Leviticus6

1यहोवा मूसाके फेरु कहलनि,2“यदि अहाँ केकरो धोखा द' क' हमरा विरुद्ध पाप करैत छी, जं अहाँ केकरो उधार वापस करबास' मनाक' दैत छी आ हुनकर किछु चोरा लैत छी,3वा ओकरा किछु एहन भेटल अछि जे ओकर पड़ोसी खाउ देलक आ ओकर विषयमे झूठ बोलैत अछि, वा जं ओ झूठा शपथ खाइत अछि, वा एहि प्रकारक कोनो मामिलामे जेकराद्वारा लोक पाप करैत अछि,4जं ओ पाप कएने अछि आ दोषी पाओल जाइत अछि, तखन ओकरा जे किछु लूटपाट वा दुखित स' लेने अछि, वा जे ओकरा द देने अछि, वा जे हेरा गेल छल मुदा जे ओ पाबि गेल छल, ओकरा द' देबाक चाही।5आओर बात, यदि अहाँ कोनो तरहे झुट्ठा शपथ खाए छी त', जखन अहाँ दोषी पाओल जाए छी त', अहाँ हुनका पांच भागमेस' एक मूल्य हुनका द' क' मालिक संगे सम्बन्ध पुनर्स्थापना करबाक चाही।6अहाँ हमरा दोषबलीके लेल हुंजमेस' एकटा भेंड़ सेहो पुजारीलग आनब, जाहिस' अहाँ दोषी नहि ठहराओल जाएब। जे भेंड़ अहाँ आनब से एहन होअए होएबाक चाही जाहिमे कोनो दोष नहि होअए, जेकर मूल्य तय भ' गेल होअए।7तखन पुजारी यहोवा समक्ष ओहि भेंड़के बलिदानक रुपमे चढ़ौताह जाहिस' अहाँके आब दोषी नहि ठहराओल जाएत, आ हम अहाँके जे गलत काज कएलहुं ताहिके लेल क्षमाक' देब।”8यहोवा मूसाके फेरुस' कहलनि,9“हारून आ हुनकर पुत्रसबके ई बात कहू जे वेदीपर जे बलिदान पूरा तरहेस' जराओल जाएत ताहि विषयमे ई नियम अछि, बलिदान बेदीपर राति भरि रहए, आ वेदीपर आगि सदिखन जरैत रहबाक चाही।10दोसर दिन भोरे पुजारीके अपन सूतीके भीतरी आ बाहरी वस्त्र पहिरबाक चाही। तखन ओकरा होमबलिके राख निकालि वेदीके कातमे राखि देबाक चाही।11तखन ओ अपन कपड़ा उतारि आन कपड़ा पहिरक' डेराक बाहर साफ-सुथरा जगहपर ल' जएबाक चाही।12वेदीपर आगि सदिखन जरैत रहबाक चाही। पुजारीके नहि मुझा देबाक चाही। सबदिन भोरे भोरे पुजारीके आगिपर आओर लकड़ी राखए पड़तनि। तखन ओकरा आगिपर आओर बलिदानक व्यवस्था करए पड़तनि, आ वेदीपर बलिदानक चर्बीके जराक' यहोवाके संग मेलबलि करए पड़तनि। 13वेदीपर जरैत आगि सदिखन जरैत रहबाक चाही। पुजारीके एकरा नहि मिझाए देबाक चाही।”14“आंटास' बनल बलिदानक लेल ई नियम अछि। हारूनके बेटासबके वेदीके सामने यहोवा लग अनबाक अछि।15पुजारीके जैतूनक तेल आ धूप मिलाओल एक मुट्ठी मेही आंटा ल' क' वेदीपर जरएबाक चाही। ओ मुट्ठी भरि ई बोध करैत अछि जे पूरा बलिदान सहीमे हमर अछि। आ नीक सुगन्ध, जखनधरि बलिदान जरैत, हमरा नीक लागत। 16हारून आ ओकर बेटासब अन्नबलिके बचल भाग बिना खमीर खा' सकैत अछि। मुदा ओकरासबके यहोवाके लेल अलग जगहपर, पवित्र तम्बूक' आंगनमे खाए पड़तैक। 17ओहिमे खमीर नहि मिलाओल जाए। जेना पापके बलिदान आ लोकके पापके दोषी नहि बनएबाक लेल दोषबली, ओ बलिदान बहुत खास अछि, जे हमरालेल आरक्षित अछि।18हारूनके वंशके कोनो पुरुष एहिके खा' सकैत अछि, किएक त' ई हमरा देल गेल बलिदानमे आ वेदीपर आगिमे जराओल गेल बलिदानमेस' ओकर विधि अनुसार स्थायी हिस्सा अछि। जे केओ ओकरासबके स्पर्श करत, ओकरा यहोवाके आदरक लेल पवित्र मानल जाएत।”19यहोवा मूसाके फेरुस' कहलनि,20“हारून आ ओकर बेटासबके ई कहि दिऔ जे जाहि दिन हुनकासबमेस' कोनो व्यक्तिके नियुक्ती कएल जाएत ताहि दिन हमरालग ओ बलिदान आनए पड़तनि अन्नक आंटास' बनल बलिदानक रुपमे मेही आंटा। आधा भोरे आ आधा सांझमे अवश्य आनए। 21ओकरा जैतूनक तेलमे नीक जकां मिलाक' ताबामे सेकब। ओकरा छोट-छोट टुकड़ामे तोड़िक' वेदीपर जराबएलेल चढ़ाउ। आ नीक सुगन्ध, जखनधरि जरैत रहत, हमरा नीक लागत।22हमर आज्ञा अछि हारूनके वंशज जे हारूनके मृत्युके बाद महापुजारी बनबाक लेल नियुक्त कएल जाएत, ओकरासबके ओ वस्तुसब तैयार करए लेल अएबाक चाही। हमरा बलि वेदीपर पूर्णरुपस' जराबए पड़त।23कोनो पुजारी जे आंटास' बनल बलिदान दैत अछि, ओकरा पूरा तरहेस' जराओल जाए। एहिमेस' नहि खएबाक चाही।”24यहोवा मूसाके फेरुस' कहलनि जे25हारून आ ओकर बेटासबके कहू, “लोकसबके पापक बलिदानक विषयमे ई नियम अछि। पुजारी बलिदान ओहि स्थानपर चढ़ा देताह जत बलिदान जराओल जाइत अछि। ओहिके यहोवा समक्ष चढ़ाएल जाए आ बलिदान यहोवाके समर्पित कएल जाए।26जे पुजारी पापक बलिदान दैत छथि, ओ यहोवाके देल गेल बलिदान खा' सकैत छथि। पुजारी मात्र ओहि तम्बूके आंगनमे ओहि स्थानपर खा' सकैत छथि जे बलि खाए लेल अलग कएल गेल अछि। 27जे कोनो आन व्यक्ति ओकर बलिदानक' मांश छुबैत अछि से हमर होअए त। आ ओकर लहूके छिटका अहाँके कपड़ा परि गेल अछि त' अहाँसब पवित्र स्थानपर कपड़ा धोउ।28यदि माउस माटिक वर्तनमे पकाओल गेल अछि त' ओहि माटिक बर्तनके फोरि देबाक चाही। मुदा जं कांसक वर्तनमे पकाओल गेल अछि त ओहि बर्तनके माइज क' पानिस' धोएबाक चाही।29पुजारीक परिवारक कोनो पुरुष पकाओल माउसमेस' खा' सकैत अछि। ओ माउस बहुत खास अछि।30मुदा जं ओहि पापबलिके लेहू पवित्र तम्बूमे आनल जाए जाहिस' लोकसबके पाप क्षमा कएल जाइत अछि, त' ओहि पशुसबहक माउस नहि खाउ। पुजारी ओहि माउसके पूरा तरहे जरओताह।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67