Leviticus4

1यहोवा मूसास' कहलनि,2इजराएलीसबके कहू जे जखन केओ पाप करबाक इच्छा नहि होइतो पाप करैत अछि, जे कोनो एहन काज करैत अछि जे यहोवाद्वारा नहि करबाक आज्ञा देल गेल अछि, आ जं ओ कोनो एहन काज करैत अछि जे निषिद्ध अछि त' निम्नलिखित काज करबाक चाही।3जं कोनो अभिषेक कएल पुजारी पाप करैत अछि आ ओहिस' आदमीसबके दोषी ठहराओल जाएत त' ओकरा यहोवा समक्ष एकटा बच्छा अनबाक चाही जे पय रहित होअए। ओ जे पाप कएने छथि ओहिलेल पापबलि चढ़ाबथि। 4ओ बच्छाके पवित्र तम्बूक' प्रवेशद्वारपर आनिक' ओकर माथपर हाथ रखलाक बाद ओकरा यहोवाके आगु बलिक' क' किछु लेहूके एकटा कटोरामे लोकि क' राखि लेबाक चाही।5आ अभिषिक्त पुजारी ओहि बच्छाके लेहू ल' क' भेटएबला तम्बूमे अबथि,6पुजारी ओहि कटोरीके लेहूमे अपन आंगुर डुबाक' यहोवाके उपस्तिथिमे महा-पवित्रस्थानके पर्दाक' आगु सात बेर छिटथि।7तखन पुजारी ओहिमेस' किछु लेहूके सुगन्धित धूप-वेदीके सिंगपर यहोवा समक्ष राखि देताह, जे सब भेट होबएबला तम्बूमे अछि, आ ओ बच्छाके शेष सब लेहू होमबलिके वेदीके जरिमे उझलि देताह, जे सब तम्बूक' प्रवेशद्वारपर अछि।8पापबलीके बच्छाके चर्बीसब निकालि लिअ, आँत रहल चर्बी आ आँत उपरके चर्बी9मिर्गौला आ ओहिके उपरका चर्बी आ पीठके निचका मांसपेशी लगक' चर्बी, मिर्गौला आ करेजाके झापएबला माउससब जे जुड़ल रहैत अछि निकालि लिअ।10तब पुजारीके ओहिसबके वेदीपर जरा देबाक चाही। जे ठीक ओहिना होअए त जखन कोनो जानबरक चर्बी निकालल जाएत जे बच्छा यहोवाके मेलबलिके लेल बलि देल जाइत अछि।11मुदा बच्छा आ आन अंगसब ओकर चमड़ा आ ओकरासबटा मांश, ओकर माथ आ टांग, ओकर भीतरका' भाग आ आँत,12बच्छाके तम्बूस' बाहर निकालिक' एकठाम फेक देबाक चाही जे यहोवाके लेल स्वीकार बनाओल जाइत अछि, जत' छाउर फेकल जाइत अछि, आ ओकरा छाउरक' ढेर पर आगिमे जरा देबाक चाही।13जं सबके इजराएली समुदाय पाप करबाक मनसायस' पाप करैत अछि, जे यहोवाके आज्ञाक बिपरित निषिद्ध काज करैत अछि, त' ओ दोषी होअए त, भलेहि ओकरा ई नहि बुझल होअए जे ओसब पाप कएने अछि।14जखन ओकरासबके ई बुझएमे आओत जे ओसब पाप कएने छथि, तखन हुनकासबके मिलिक' अपन पापक बलिदानक' लेल एकटा बच्छाके पवित्र तम्बूक' आगु अनबाक चाही।15समुदायके बूढ़-पुरानसबके यहोवाके समक्ष बच्छाके' माथपर हाथ राखिक' ओकरा बलि द' क' ओहिमेस' किछु लेहूके कटोरीमे राखि लेबाक चाही।16तखन अभिषिक्त पुजारीके ओहि बच्छाके लेहुमे स' किछु पवित्र तम्बूमे ल' जएबाक चाही।17पुजारी अपन एकटा आंगुर लेहूमे डुबाक' यहोवाके समक्ष सात बेर छिड़कि देथि।18तखन ओ भेट होबए बाला तम्बूमे यहोवाके समक्ष राखल वेदीके' सिंगपर किछु लेहू लगबथि। बच्छाके' लेहूके' शेष भाग ओकरा ओहि वेदीके आधार पर जत बलि जराओल जाइत अछि, पवित्र स्थानक' प्रवेशद्वारपर उझलि देथि।19ओ बलिक' सब चर्बी निकालि वेदीपर जरा देथि।20बच्छाके संग पुजारीके ओएह काज करबाक चाही जेना ओ अपन पापबलिमे बच्छाके संग कएने छलथि, तखन यहोवा ओकरासबहक पाप क्षमा करतनि।21तब पुजारीके बच्छाके आन भागके तम्बूस' बाहर ल' क' जरा देबाक चाही, जेना ओ स्वयं पाप कएलाक बाद करैत अछि। ओ पापक बलिदान होअए त जे सबलोक कएने अछि, आ ओकरासबके क्षमा कएल जाएत।22जखन कोनो पंच पाप करबाक मनसाय बनौने बिना पाप करैत अछि आ अपन यहोवाके कोनो आज्ञामे निषिद्ध काज करैत अछि त' ओ दोषी होअए त।23जखन ओकरा बुझएमे आओत जे ओ कोनो पाप कएने अछि तखन ओकरा अपन बलिदानमे एकटा छागर अनबाक चाही जाहिमे कोनो दोष नहि होअए।24ओकरा यहोवाके समक्ष छागरक माथपर हाथ राखिक' ओहि ठाम मारए चाही जत ओसब ओहि पशुसबके मारैत अछि जे वेदीपर पूर्णरुपस' जराओल जाएत। जे ओकर पापक बलिदान होअए त।25तखन पुजारीके ओहि पापबलिके किछु लेहू एकटा कटोरामे राखि अपन एकटा आंगुर ओहिमे डुबाक' ओहिमेस' किछु लेहू वेदीके सिंगमे लगा देबाक चाही। होमबलिके वेदीके जरिमे बांचल लेहूके उझैल देवक चाही।26तखन ओ वेदीपर सब चर्बीके जरा देथि, जेना यहोवाके स' संग मित्रताक प्रतिज्ञा करबाक लेल बलिदानक चर्बीमे कएल जाइत अछि। पुजारीके प्रायश्चित कएलाक परिणाम अगुवा पापके दोषी नहि होअए त आ ओकरा क्षमा कएल जाएत।27जं इजराएली लोकमेस' केओ पुजारी नहि अछि जे बिना पापक मनसाय बनौने पाप करैत अछि आ अपन यहोवाके कोनो आज्ञामे निषिद्ध काज करैत अछि त' ओ दोषी होअए त।28जखन ओकरा बुझएमे आओत जे ओ पाप कएने अछि तखन ओकरा अपन बलिदानक लेल एकटा पाठीके अनबाक चाही जाहिमे कोनो दोष नहि होअए।29पापबलिके माथपर हाथ राखि ओहि ठाम ओकरा मारि देबाक चाही जत ओसब ओहि जानबरके मारि दैत अछि जेकरा ओसब वेदीपर पूरा तरहे जरबैत अछि, आ किछु लेहू एकटा कटोरीमे राखि लिअ।30तखन पुजारीके अपन एकटा आंगुर ओहिमे डुबाक' ओहिमेस' किछु लेहू वेदीके सिंगपर लगएबाक चाही। आ होमबलिके वेदीके जरिमे उबरल लेहू उझैल दिअए।31तखन ओ पाठीक सब चर्बी निकालि वेदीपर जराबथि, जेना यहोवाके लेल मेलबलिके रुपमे चर्बीमे कएल जाइत अछि। आ नीक सुगन्ध यहोवाके नीक लगैत छनि। पुजारीके प्रायश्चितके एहन काजके परिणाम स्वरुप आब ओ व्यक्ति अपन पापक दोषी नहि होअए त आ ओकरा क्षमा कएल जाएत।32जं ओ कोनो भेंड़के बच्चाके पापक बलि देबाक लेल अनैत अछि त' ओकरा ओहि मादा भेंड़ बच्चाके अनबाक चाही जेकरामे कोनो दोष नहि होअए।33ओ ओहि पापबलिके माथपर हाथ राखिक' ओहि जगहपर मारि देत जत' ओसब वेदीपर होमबलिके जानबरसबके मारि दैत अछि आ ओहिमेस' किछु लेहूके कटोरीमे राखि लेताह।34तखन पुजारीके अपन एकटा आंगुर पापबलिके लेहूमे डुबाक' ओहिमेस' किछु लेहू वेदीके सिंगपर लगाबए पड़त। तखन ओकरा होमबलिके वेदीके जरिमे उबरल लेहू उझैल देथि।35तखन ओ भेंड़के बच्चासबके चर्बी निकालि वेदीपर सब चर्बीके जरा देथि, जेना यहोवाके मेलबलिके चर्बीमे कएल जाइत अछि। ओकरा यहोवाके लेल जे आन बलिदान जराओल जाइत अछि, ओकर उपर जरएबाक चाही। पुजारी हुनकाद्वारा कएल गेल पापक प्रायश्चित करथिन आ ओहि आदमीके क्षमा कएल जाएत।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67