Romans4

1अब्राहम हमरा यहूदीसबके आदरणीय पूर्वज छथि। एहिलेल एकरा विषयमे विचार करु जे जं अब्राहम शरीरमे रहिती त हुनकासंगे जे भेल ओकरास' हम की सिख सकैत छी।2जं परमेश्वर अब्राहमके हुनक नीक काज करबाक कारणे धर्मी ठहरौलनि, तखन अब्राहमके लग लोकक सोझा एकर घमण्ड करबाक कारण होएत, मुदा तइयो हुनकालग परमेश्वरक समक्ष एहिपर घमण्ड करबाक कोनो कारण नहि रहत।3स्मरण राखू जे पवित्र शास्त्रमे एहन लिखल अछि जे परमेश्वर अब्राहमके लेल जे करबाक प्रतिज्ञा कएने छलथि ताहिपर अब्राहम विश्वास कएलक, आ एहि कारणे परमेश्वर अब्राहमके अपन संग धर्मी ठहरौलनि। 4आब जं हमरासबके जे काज करैत छी ओकर मजदूरी भेटैत अछि त' ओहि मजदूरीके दान नहि मानल जाइत अछि। बल्कि ओसब मानल जाएत अछि जे हम कमाइ कएने छी। तहिना जं हम परमेश्वरके अपन प्रति दयालु होएबाक लेल बाध्य करबाक लेल किछु क' सकैत छी त' ओ उपहार नहि होएत।5परन्च वास्तवमे, परमेश्वर लोकसबके अपन संग सही मानैत छथि जे पहिने हुनक आदर नहि करैत छलाह। बल्कि आब ओसब हुनकापर भरोसा करैत छथि, आ तएं परमेश्वर हुनकासंग धर्मी व्यवहार करैत छथि।6एहि तरहें, ई ओहिना अछि जेना दाऊद जे शास्त्रमे कोनो एहन लोकक विषयमे धन्य लिखने अछि जेकरा एकरा कएने बिना परमेश्वर अपनासंगे धर्मी मानैत अछि:7“ओसब कतेक धन्य अछि जिनका परमेश्वर क्षमाक' देलनि, आ जिनकर पापपर आब ओ ध्यान नहि देताह।8ओसब कतेक धन्य अछि जिनकर पापक लेखा आब प्रभु नहि लेताह।” 9एहिलेल धन्य भेनाइ एहन नहि अछि जेकरा मात्र खतनाबला यहूदीसब अनुभव क' सकैत छी। नहि, ई किछु एहन अछि जिनका गैर-यहूदी सेहो अनुभव क' सकैत अछि। हम ई एहिलेल जनैत छी जे, पवित्र शास्त्रमे एना लिखल अछि जे अब्राहम परमेश्वरपर विश्वास कएलनि, एहिलेल परमेश्वर ओकरा अपनासंगे जकां धर्मी बुझलक।10एहि विषयपर विचार करु जे परमेश्वर अब्राहमके लेल ई कखन कएलक। ओ अब्राहमके खतना होबएस' पहिने एना कएलक, ओकर बाद नहि।11परमेश्वर अब्राहमके ग्रहण कएलाक कतेको साल बाद ओकर खतना कएल जाएके आज्ञा देलनि। खतना ओ छाप चेन्ह छल जे देखबैत छल जे अब्राहम पहिनेस' परमेश्वरक संगे सही छलाह। तएं हम एत सिख सकैत छी जे परमेश्वर अब्राहमके ओहि सबहक पूर्वज मानैत छलाह जे हुनकापर विश्वास करैत छथि, एतधरि जेकर खतना नहि भेल अछि। एहि तरहें परमेश्वर एहि सबलोकके अपन संग धर्मी मानैत छथि। 12तहिना, परमेश्वर अब्राहमके हमरासबहक पूर्वज मानैत छथि जे असली यहूदी छथि, अर्थात् ओसब यहूदी जे नहि केवल अपन शरीरपर खतनाक निशान धारण करैत छथि, बल्कि एहिस' महत्वपूर्ण बात ई अछि जे हमर पूर्वज अब्राहम जकां जीवन जिऐत छथि, जखन हुनकर खतना नहि भेल छल, जखन ओ सामान्य रुपस' परमेश्वरपर भरोसा करैत छलाह।13परमेश्वर अब्राहम आ हुनक वंशजस' प्रतिज्ञा कएलनि जे ओ लोकसब दुनियांके उत्तराधिकारी होएत। मुदा जखन ओ ई प्रतिज्ञा कएलनि, तखन एकर कारण ई नहि छल जे अब्राहम कोनो व्यवस्थाके पालन क' रहल छलाह। बल्कि, ई एहिलेल छल की अब्राहमके विश्वास छल की परमेश्वर ओ करथिन जे ओ प्रतिज्ञा कएने छलाह। तएं परमेश्वर अब्राहमके अपना संग धर्मी ठहरा देलथिन।14जं लोकसब एहि जगतके वारिस एहिलेल अछि किएकत' ओ परमेश्वरक व्यवस्थाके पालन करैत छथि, तखन कोनो बातक लेल परमेश्वरपर भरोसा करब बेकार अछि, आ हुनक प्रतिज्ञाक कोनो अर्थ नहि अछि। 15मन राखू जे वास्तवमे, परमेश्वर अपन व्यवस्थामे कहैत छथि जे ओ एहन सबटा ओहि लोकके परमेश्वर अपन क्रोधस' दण्ड देथिन जे हुनक आज्ञा पूर्णरुपस' नहि मानत। मुदा, इहो मन राखू जे जिनकालग कानून नहि अछि हुनकालेल एकर अवज्ञा करब असम्भव अछि।16तएं ई एहि कारण अछि जे हम परमेश्वरपर भरोसा करैत छी जे ओ ओहि वस्तुके प्राप्त करथि जे ओ हमरासबके देबाक प्रतिज्ञा कएने छथि किएकत' ओ बहुत दयालु छथि। ओ ई वस्तुसब ओकरासबके दैत छथि जेकरा ओ अब्राहमक वास्तविक वंशज मानैत छथि अर्थात् हमसब यहूदी विश्वासी जिनकालग परमेश्वरक व्यवस्था अछि आ जे हुनकापर विश्वास करैत छथि, आ गैर-यहूदीसबके सेहो जिनकालग परमेश्वरक व्यवस्था नहि अछि, मुदा जे अब्राहम जकां हुनकापर विश्वास करैत छथि। किएकत' परमेश्वर अब्राहमके हमसब विश्वासीसबके आत्मिक पिता मानैत छथि।17जेना शास्त्रमे ई लिखल अछि, परमेश्वर अब्राहमके कहलथि, “हम अहाँके बहुत रास जातिसबके पिता नियुक्त कएने छी,” ओहि परमेश्वरके उपस्थितिमे जिनकापर ओ भरोसा कएलनि, जे मरलसबके फेरुस जीवित करैत छथि आ जे वस्तुसब अस्तित्वमे नहि अछि, ओकरा ओ एना बजबैत छथि जे ओ अस्तित्वमे अछि ;18अब्राहम जे आशाहीन लागएबला परिस्थितिके अछैतो परमेश्वरपर भरोसा क क परमेश्वरपर विश्वास कएलनि। परिणाम स्वरुप, ओ कतेको लोकक लेल आत्मिक पूर्वज बनि गेलाह। ई ओहिना भेल जेना परमेश्वर ओकरास' शास्त्रमे कहने रहथि “अहाँके वंशके लोक आकाशके तरेगन जकां असंख्य भ' जाइत।”19ओ सन्देह नहि कएलक जे परमेश्वर ओ करत जे ओ प्रतिज्ञा कएने छलथि, भलेहि ओ जनैत छलाह जे हुनकर देह एगो बच्चाक पिता बनबाक लेल सक्षम नहि छल किएकत हुनकर आयु सय वर्षक छलनि, आ ओ विश्वासमे कमजोर नहि भेलीह साराके एखन धरि बच्चा नहि जनमल रहितो, विशेष क' क' एखन किएकत ओ बहुत बूढ़ी छलीह। 20मुदा ओ परमेश्वरक प्रतिज्ञाके प्रति अविश्वासमे किछु सन्देह नहि कएलक, बल्कि, ओ परमेश्वर पर आओर बेसी दृढ़तास' भरोसा कएलनि, आ जे परमेश्वर करए जारहल छलथि ओ ओहिके लेल परमेश्वरके प्रशंसा देलनि।21हुनका इहो विश्वास छलनि जे परमेश्वर ओकरा करबाक लेल सक्षम अछि जे किछु ओ प्रतिज्ञा कएने छलथि जे ओकर जा रहल छलथि।22आ इहे कारण अछि जे परमेश्वर जे अब्राहमके अपनासंगे धर्मी बुझलक। 23पवित्र शास्त्रक ई शब्द, “परमेश्वर जे हुनका अपनासंगे धर्मी एहिलेल बुझलक किएकत ओ ओकरापर विश्वास कएलनि”, खाली अब्राहमके विषयमे नहि अछि।24ओ हमरो विषयमे सेहो लिखल गेल अछि, जेकरा परमेश्वर अपनेसंगे ठीक एहिलेल बुझत किएकत हमहूं परमेश्वर पर विश्वास करैत छी, जे हमरासबहक प्रभु यीशुके मरलाक बाद फेरुस' जीवित कएलनि।25परमेश्वर जे हमरासबके दुष्टकाज कएने लोकसबके यीशुके मारबाक अनुमति देलनि। आ परमेश्वर जे यीशुके फेरुस' जीवित कएलनि किएकत परमेश्वर हमरासबके हुनकासंगे धर्मी बनबाक चाहैत छल। 

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67