Romans3
1अहाँ यहूदी कहि सकैत छी, “जं ई सत्य अछि, तखन यहूदी होएबाक कोनो लाभ नहि अछि! आ खतना सेहो लाभदायक नहि अछि!”2तखन हम कहब, “यहूदी होएब कतेको तरीकास' लाभदायक अछि!” निश्चितरुपस' सत्य अछि, किएकत' सबस' पहिने परमेश्वर यहूदीसबके अपन वचनके सारा प्रकाश सोंपि देने छलथि। 3त' अहाँ कहि सकैत छी, “की किछु यहूदीसब निश्चितरुपस' परमेश्वरक प्रति विश्वासयोग्य नहि छलाह! हुनकर अविश्वास परमेश्वरक विश्वासयोग्यताके कोना निष्फल क' सकैत अछि!”4तखन हम कहब, परमेश्वर सदैव सत्य छथि, मुदा आन सब नहि छथि। शास्त्रमे दाऊद लिखलखिन, “हमर पापक परिणाम ई होएत जे लोक स्वीकार करतनि जे जखन अहाँ परमेश्वर बजैत छथि तखन अहाँ सत्य प्रमाणित भ' जाइछी आ जखन लोक अहाँक न्याय करबाक प्रयास करत, तखन अहाँ विजय प्राप्त करब।” 5मुदा “मानि लिअ जे ई सांच अछि आ हम यहूदीसबके अधर्म परमेश्वरक धार्मिकताके आओर सिद्ध करैत अछि। ई कोना भ' सकैत अछि जे परमेश्वर अधर्मी छथि किएकत' ओ हमरासबके दण्ड दैत छथि!” जखन हम एहि तरहें बजैत छी तखन हम ओ विचार व्यक्त क' रहल छी जे मनुष्य सोंचैत अछि।6तखन हम कहब, “बिलकुल नहि! जं परमेश्वर अधर्मी छलाह जखन ओ हमरासबके दण्ड देलनि तखन ओ सम्पूर्ण दुनियांके न्याय कोनाक' सकैत छलाह!”7मुदा तखन अहाँ कहि सकैत छी, “मानि लिअ ई सत्य अछि, आ हमर झूठस' परमेश्वरक सत्यता आओर बेसी महिमा प्राप्त करैत अछि। त' परमेश्वर एखनो हमरा पापी जकां न्याय किएक करैत छथि?8आओर जं ई सत्य अछि, तखन अहाँ हमरासबके निन्दा करबाक लेल कहि सकैत छी जाहिस' नीक परिणाम भेटए!” ई बात किछु लोक हमरा विषयमे निन्दा क' क' झूठ बजैत छथि आ दाबी करैत छथि जे हम कहैत छी। परमेश्वरक लेल ई उचित अछि जे ओ एहन लोकक न्याय करथि जे ई कहैत छथि आ करैत छथि!9अहाँ यहूदी तखन कहि सकैत छी, “यदि ई सत्य अछि, त' हम गैर-यहूदीस श्रेष्ठ नहि छी!” आ हम कहब जे वास्तवमे हम नहि छी। हम ई एहिलेल कहैत छी किएकत' हम पहिने आरोप लगा चुकल छी जे सब यहूदी आ गैर-यहूदी पाप कएनाइ बंद नहि क' सकैत छथि।10ई ओ बात अछि जे प्रवक्तासब धर्मशास्त्रमे लिखने छथि, “केओ धर्मी नहि अछि, केओ नहि!” 11“केओ समझदारीस नहि सोंचैत अछि। केओ परमेश्वरके जानएके प्रयास नहि क' रहल अछि!12सबगोटे परमेश्वरके पालन करएस' अस्वीकार क' देने अछि। सामूहिक रुपस', ओसब परमेश्वरक इच्छा अनुसार किछु नहि करए छथि। केओ दयालु नहि अछि, केओ नहि!” 13“लोक जे कहैत अछि ओ नैतिकरुपस' भ्रष्ट अछि जेना सड़ल लासके कबरस दुर्गन्ध अबैत अछि! ओ जे कहैत अछि ओकरास' सदिखन लोकसबके धोखा दैत अछि!” “ओकर बातस' लोकसबके चोटे लगैत अछि, जेना बिखधर सांपके विष!” 14“ओ सदिखन दोसरसबके सराप दैत अछि आ कटाक्ष शब्दस' बात करैत अछि।” 15“ओ लोकसबके हत्या करबाक लेल जोरस' दौड़ैत अछि।16जत कतौ ओ जाएत अछि, ओ जीवनके नाश करैत अछि आ लोकसबके दुख दैत अछि।17ओ ई नहि बुझत जे दोसरके संग शान्तिस' कोना रहबाक अछि।” 18“ओ परमेश्वरक डर-भय साफे नहि मानत!” 19निश्चितरुपस', हम यहूदी जनैत छी जे परमेश्वरके सब बात यहूदी व्यवस्थामे जे किछु अछि ओहि लोकसबपर लागू होइत अछि जेकरा परमेश्वर अपन व्यवस्था देने छथि। ई एहिलेल अछि जे परमेश्वरक न्यायस' केओ स्वयंके नहि बचा सकए। ई इहो लेल अछि जाहिस' परमेश्वर पूरा दुनियांमे सबके दोषी ठहराक' उचित दण्ड द' सकए।20ई सत्य अछि किएकत' परमेश्वर केकरो खाली एहिलेल धर्मी नहि मानैत केओ ओहि व्यवस्थाके पालन कएलनि जे यहूदीसबके देल गेल छल। ई एहिलेल अछि किएकत' ओ व्यवस्था खाली लोकसबके हुनक पापके जनबैत अछि। 21मुदा आब परमेश्वर प्रगट कएने छथि जे ओ लोकसबके कोना उचित मानैत छथि। धर्मी ठहरबाक सम्बन्ध परमेश्वरद्वारा यहूदीसबके देल गेल व्यवस्थाके पालन करए से नहि अछि। तइयो, जे किछु ओसब बहुत पहिने धर्मशास्त्रमे लिखलनि ओहिमे गवाहीमे मूसा आ प्रवक्तासब सेहो अछि जे परमेश्वर लोकसबके कोना धर्मी मानैत छथि।22परमेश्वर लोकसबके यीशु मसीहपर विश्वास करएस' धर्मी मानैत छथि। परमेश्वर सब प्रकारक लोकके धर्मी ठहराओत यदि ओ यीशुपर विश्वास करए छथि। ई एहिलेल अछि किएकत' परमेश्वर विभिन्न प्रकारके लोकसबस' कोनो भेदभाव नहि करए छथि।23ई एहिलेल अछि किएकत' सब प्रकारक लोक पाप करैत अछि आ परमेश्वरके महिमामयी स्थिति पाबएमे असमर्थ रहैत अछि।24परमेश्वर अपन दयालुके कारण एहि पापी लोकसबके स्वतन्त्र रुपस' धर्मी मानैत छथि। लोकसबके ई उपहार परमेश्वरस' भेटैत अछि जखन परमेश्वर हुनका यीशु मसीहस' जोड़ए छथि, जे हुनकासबके पापक दण्डस' उद्धार कएलनि।25परमेश्वर यीशुके सबके पापके प्रायश्चित करएबला बना देलनि। लोकसबके पापके दण्डस' मुक्ति भेट जाएत अछि जखन ओ हुनक बलिदानपूर्ण मृत्युमे विश्वास करैत छथि। परमेश्वर ई कएलक ई देखाबएलेल जे ओ लोकसबके कोना धर्मी मानैत छथि। ई एहिलेल भेल किएकत' परमेश्वर ओहि पापके अनदेखी कएलनि जे लोक पहिने कएने छलाह।26परमेश्वर ई अपन सहनशीलताके कारण कएलनि। परमेश्वर ई देखबै लेल कएलखिन जे ओ हमर समयमे लोकके कोना धर्मी मानैत छथि। एकर उदेश्य ई देखाबए के अछि जे परमेश्वर धर्मी छथि आ ओ ओहि लोकसबके धर्मी मानैत छथि जं ओ यीशुपर विश्वास करैत छथि।27अहाँ यहूदी कहि सकैत छी, “जं ई सत्य अछि, तखन केओ घमण्ड नहि क' सकैत अछि!” तखन हम कहब, “सचमुच, केओ नहि क' सकैत अछि!” तखन अहाँ कहि सकैत छी, “निश्चितरुपस हम व्यवस्थाके पालन क धर्मी भ' सकैत छी! निश्चितरुपस हुनकर अनुसरण करब हमरा धर्मी बना देत!” तखन हम कहब, “बिलकुल नहि!” एकर विपरीत, यीशु मसीहपर विश्वासस' लोक धर्मी छथि।28वास्तवमे, हमसब यहूदी मसीही मानैत छी जे लोक यीशु मसीहमे विश्वासस धर्मी छथि। धर्मी होएब ओहि वस्तुस' सम्बन्धित नहि अछि जे परमेश्वर यहूदीसबहक देल गेल व्यवस्थामे आज्ञा देलनि।29आ अहाँ कहि सकैत छी, “निश्चितरुपस' परमेश्वर एसगरे यहूदीके परमेश्वर नहि छथि। निश्चय रुपस' ओसब गैर-यहूदीसबके परमेश्वर सेहो छथि!” त' हम कहब, “बिलकुल! ओसब आन जातिके परमेश्वर सेहो छथि।30ई सत्य अछि किएकत' निश्चितरुपस' सबहक लेल एकहि परमेश्वर अछि। ओ दुनू खतना भेल यहूदीसबके धर्मी ठहराएत जे यीशुपर विश्वास करए अछि, आ बिना खतनाके गैर-यहूदीसबके सेहो जे यीशुपर विश्वास करैत अछि।”31अहाँ यहूदी कहि सकैत छी, त' निश्चितरुपस' हम यीशुपर विश्वास क ओहि व्यवस्थाके जे परमेश्वर हमरासबके देलनि त' हम कहब, बिलकुल नहि! एकर विपरीत, हम पुष्टि करैत छी जे परमेश्वर ओहि व्यवस्थामे कहलनि ओ वैध अछि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.