Revelation7
1एहि घटनासबके बाद, हम चारिटा स्वर्गदूतसबके पृथ्वीपर ठाढ़ भेल देखलहुं। ओसब उत्तर, पूर्व, दक्षिण आ पश्चिममे ठाढ़ छथि। ओसब हवाके बहएस' रोकि रहल छल जे ओ पृथ्वीपर, समुद्र आ कोनो गाछ-वृक्षके विनाश करए। 2फेरु तखन हम एकटा आओर स्वर्गदूतके पूर्व दिसस' अबैत देखलहुं। ओ जीवित परमेश्वरके मोहर लेल रहथि। एहि मोहरस' सर्वशक्तिमान परमेश्वर, अपन लोकसबके सुरक्षा करबाक लेल ओकरासबके चेन्ह लगबैत छथि। ओ स्वर्गदूत जोरस' चारु स्वर्गदूतके बजौलनि, जिनका परमेश्वर पृथ्वी आ समुद्रके हानि करबाक लेल कहने छलथि।3ओ ओकरा कहलनि, “पृथ्वी वा समुद्र वा गाछ-वृक्षके हानि नहि करब। जाधरि हम परमेश्वरके सेवकसबके माथपर चेन्ह नहि लगा लैत छी।” 4तखन स्वर्गदूत आ ओकर संगी स्वर्गदूत परमेश्वरके सेवकसबपर परमेश्वरके चेन्ह लगौलनि। हम ओकरासबके संख्या सुनलहुं, जेकरा ओसब चिन्हित कएने रहैक। ई संख्या एक लाख चौआलिस हजार रहैक। ओसब इजराएलके प्रत्येक कुलस' छल।5स्वर्गदूत यहूदाके कुलमेस' बारह हजार लोकसबके, रूबेनके कुलमेस' बारह हजार, गादके कुलमेस' बारह हजारके मोहर लगाएल गेल,6आशेरके कुलमेस' बारह हजार, नप्तालीके कुलमेस' बारह हजार, आ मनश्शेके कुलमेस' बारह हजार लोकसबपर चेन्ह लगओलकनि।7आओर, शिमोनके कुलमेस' बारह हजार, लेवीके कुलमेस' बारह हजार, इस्साकारके कुलमेस' बारह हजार,8जबूलूनके कुलमेस' बारह हजार, यूसुफके कुलमेस' बारह हजार आ बिन्यामीनके कुलमेस' बारह हजार लोकसबपर मोहर लगाएल रहए।9एहि सब बातसबके बाद, हम एकटा बड़का भीड़ देखलहुं। ओसब एतेक रहैक जे केओ ओकरा गनियो नहि सकैत छी। ओसब सब जाति, सब कुल, सब समुदाय आ सब भाषा बाजएबला लोकसब छल। ओसब सिंहासन आ बलि-भेंड़ाके आगु ठाढ़ रहैक। ओसब उज्जर आ नमहर वस्त्र पहिरने रहैक आ खजूरके छज्जा हाथमे ल' क' ठाढ़ रहैक जे ओसब उत्सव मनाबि सकैक।10ओसब जोर-जोरस' आवाज निकलिक' कहि रहल छल, “अपनासबके परमेश्वर, जे सिंहासनपर विराजमान छथि, आ बलि-भेंड़ा हमरासबके शैतानके शक्तिस' उद्धार कएने छथि!” 11सब स्वर्गदूत सिंहासनके, चौबीस धर्मवृद्धसबके आ चारु जीवित प्राणीसबके चारुभर ठाढ़ छल। ओसब सिंहासनके आगु मुंहे भरे खसिक' परमेश्वरके आराधना करैत छल।12ओसब प्रशंसाके गीत गएलनि, “हं, ई एहने अछि! हम सदा, हमरासबहक परमेश्वरके स्तुति, धन्यवाद आ सम्मान करैत छी। हमसब स्वीकार करैत छी जे जे अपने बुद्धिमान आ शक्तिशाली छी, जे सदाके लेल सबकिछु करएमे सक्षम छी। आमीन।”13तखन चौबीसमे एकटा धर्मवृद्ध हमरा पुछ्लनि, “ई लोकसब जे उज्जर आ नमहर वस्त्र पहिरने अछि, की अहाँ जनैत छी जे ओसब के अछि आ ओसब कतस आएल अछि?”14हम उत्तर देलिऐ, “नहि मालिक। अहीं जनैत होएबैक जे ओसब के अछि!” ओ हमरा कहलनि, “ई लोकसब ओ अछि जे महासंकटस' सुरक्षित निकलिक' आएल अछि, बलि-भेंड़ा हिनकासबके लेल अपन बलिदान देने रहथि आ परमेश्वर हिनकासबके पाप क्षमाक' देने छथि। ई एना अछि जे ओसब बलि-भेंड़ाके लेहू मे अपन आ नमहर वस्त्र धो लेने अछि आ स्वयंके साफ क' लेने अछि। 15एहि कारणस', ओसब परमेश्वरके सिंहासनके आगु ठाढ़ अछि, आ ओसब हुनकर सभाघरमे राति-दिन हुनक आराधना करैत अछि। परमेश्वर, जे सिंहासनपर विराजमान छथि, एकरासबके रक्षा करथिन। 16जाहिके परिणाम स्वरुप ओसब कहियो भूखल नहि होएतै। ओसब कहियो पियासल नहि रहत। सूर्यके प्रचण्ड रौद एकरासबके हानि नहि करत, ने गर्मी ओकरासबके झरका सकत। 17एना एहिलेल होएत जे बलि-भेंड़ा जे सिंहासनपर विराजमान छथि ओ ओकरासबके देखभाल करैत छथि, जेना चरबाह अपन भेंड़के देखभाल करैत अछि। ओ ओकरासबके अनन्त जीवन दिस मार्गदर्शन करतथि, जेना चरबाह अपन भेंड़के पानिके झरना दिस ल' जाइत अछि। परमेश्वर ओकरासबके दुखित नहि रहए देथिन। एक प्रकारस' ओ ओकरासबके आंखि सबस' सारा नोर पोछि देथिन।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.