Revelation6
1हम देखलहुं जे बलि-भेंड़ा ओहि पुस्तकके सातो छापमेस' पहिन मोहर खोललनि। फेरु चारु प्राणीसबमेस' एकगोटे ठनकासन बड़ जोरस' कहलनि, “आउ!”2आ एकटा उज्जर घोड़ा देखाइ देलक। केओ ओहिपर सबार रहथि आ हुनकालग एकटा तीरधनुष रहए। परमेश्वर हुनक माथपर पहिरबाकलेल एकटा विजय मुकुट देलनि जे ओ शत्रुपर विजय प्राप्त क' सकथि। ओ युद्ध करएलेल आ जीतएलेल बाहर निकललथि।3तेकरबाद, बलि-भेंड़ा सन देखाइ देबएबला दोसर मोहर खोललथि, आ हम दोसर प्राणीके ई कहैत सुनलहुं, “आउ!”4जं ओ एना कहलनि, तखन एकटा लाल घोड़ा देखाइ देलक। ओहू घोड़ापर एकगोटे सबार रहैक आ परमेश्वर हुनका ई अधिकार देलथिन जे ओ पृथ्वीपरस' लोकसबके शान्तिस' कहियो नहि रहए दिए, ओसब एक-दोसरके नाश करए। एहि काजके लेल ओ एकटा नमहर तरुआरि ल' क' अएलथि।5तेकरबाद बलि-भेंड़ा तेसर मोहरके खोललथि, आ हम तेसर जीवित प्राणीके ई कहैत सुनलहुं, “आउ!” एहिबेर, हम एकटा कारी घोड़ा देखलहुं। ओहूपर एकगोटे सबार रहैक, आ हुनका हाथमे एकटा तराजू रहैक। 6तखन हम चारु जीवित प्राणीसबके बीचमे अबैत रहल आवाजके सुनलहुं। ओ घोड़सवारके कहलनि, “एना करु जे एक किलो गहुमके मोल एतेक होइक, जे किनबाक लेल व्यक्तिके भरि दिनके मजदूरी लगैक। एकर संगे एना करु जे तीन किलो जौ सेहो ओतबे मोलमे बिकाइक। मुदा जैतूनके तेल आ गाछ आ दाखरसके अंगूर बगानमे कोनो हानि नहि होइक।”7तेकरबाद बलि-भेंड़ा चारिम मोहरके खोललनि, आ हम चारिम जीवित प्राणीके ई कहैत सुनलहुं, “आउ!”8एहि समय हम एकटा पियर घोड़ा देखलहुं। ओहिपर केओ सबार रहैक आ ओकर नाम “मृत्यु” रहैक। केओ आओर जे ओकरा पाछु करैत रहैक; ओहि व्यक्तिके नाम “मृत्युलोक अछि।” परमेश्वर एहि दुनू व्यक्तिके पृथ्वीके एक चौथाइ लोकसबके मारि देबएके अधिकार देलथिन। ओसब ओकरासबके हथियार, आ रौदी, आ बेमारी आ जंगली पशुद्वारा मारि सकैत छल।9तखन बलि-भेंड़ा पांचम मोहर खोललथि, आ हम स्वर्गके वेदीके नीचा परमेश्वरके सेवकसबके आत्मासबके देखलहुं, जिनका सबके आओर लोकसब मारि देने रहैक किएकत' ई सेवकसब परमेश्वरके सन्देशपर विश्वास कएने रहैक, जाहि सन्देशके गवाही परमेश्वर स्वयं देने रहथि।10ओ आत्मासब जोर-जोरस' परमेश्वरके पुछ्लनि, “हे प्रभु, अपने सर्वशक्तिमान आ पवित्र आ सत्य छी। अपने ओहि पृथ्वीके अपश्चातापी पापी लोकसबके कहिया न्याय करब जे हमरासबके हत्या कएने छल?”11तखन परमेश्वर ओकरासबमेस' प्रत्येकके एकटा उज्जर आ नमहर वस्त्र देलथिन, ओ ओकरासबके किछु समय धैर्य करबाक लेल कहलथि। जाधरि ओहि संगी सेवकसबके संख्या पूरा नहि भ' जाइक जे मारल जएतैक, जेसब प्रभुके सेवा कएने रहैक जे मसीहमे एकरासबके भाइ बहिनसब छल जे स्वयं सेहो अपन विश्वासके कारण मारल गेल छल।12फेरु हम देखलहुं जे बलि-भेंड़ा छठम मोहरके खोलि देलथिन आ पृथ्वी बड़ जोरस' हिल लागल। सूर्य कारी ऊनस' बनल चट्टीके वस्त्र जकां कारी भ' गेल आ चन्द्रमा लेहू सन लाल भ' गेल। 13आकाशस' तरेगनसब बेसी संख्यामे पृथ्वीपर खसि पड़ल जेना अन्हड़-बिहारिमे अंजीरक गाछक फलसब खसि पड़ैत अछि। 14आकाश खुजिक' दु दिस विभाजित भ' गेल, जेना कोनो पुरना पुस्तक खुलिक दू दिस अलग भ' जाइत अछि। प्रत्येक पहाड़ आ द्वीप अपन स्थानस' हटि गेल छल। 15जेकर परिणाम स्वरुप, पृथ्वीके सबलोक, जाहिमे राजा, हाकिमसब, सामान्य लोकसब, धनवान लोकसब, सामर्थी लोकसब, आओर लोकसबके संगे-संगे दास आ स्वतन्त्र दुनू पहाड़के गुफासब आ चट्टानमे जा' क' नुका रहल। 16ओसब पहाड़सब आ चट्टानस' पुकारिक' कहैत छल, “हमरासबपर खसि पड़ आ हमरासबके नुका लिअ जे ओ सिंहासनपर विराजमान छथि ओ हमरासबके देख नहि सकथि आ हमरासबके बलि-भेंड़ा दण्ड नहि द' पबथि! 17ई एकटा भयानक दिन अछि जाहिमे हमरासबके दण्ड देथिन, केओ जीवित नहि रहि सकत!”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.