Revelation8
1तखन बलि-भेंड़ा सातम मोहर खोललथि, आ कनिक काल स्वर्गमे कोनो शब्द नहि सुनाइ देलक।2हम सातटा स्वर्गदूतके देखलहुं जे परमेश्वरके आगु ठाढ़ रहैत छथि। ओ हुनकासबके एक-एकटा बिगुल देलनि।3एकटा आओर स्वर्गदूत आबिक' वेदीपर ठाढ़ भेलथि। धूप जरएबाक लेल हुनकालग सोनाके कटोरा छलनि। परमेश्वर हुनका बहुते धूप देलथिन जे ओ परमेश्वरके सिंहासनके आगु सोनाके वेदीपर परमेश्वरके सब धार्मिक लोकसबके प्रार्थनासबके संग ओकरा चढ़ाएल जाइक। तखन ओ ओहि वेदीपर ओहि धूपके जरा देलनि। 4परमेश्वरके उपस्थितिमे रहल स्वर्गदूतके हाथस' धूपके धुआं परमेश्वरके धार्मिक लोकसबके प्रार्थनासबके संग, परमेश्वर लग पहुंच गेलनि। 5तेकरबाद स्वर्गदूत सोनाके कटोरा ल' क' वेदीके आगिके कोइलास' भरि देलकनि। ओ एकरा पृथ्वीपर उझलि देलनि। गर्जन आ मेघ तड़कल आ गड़गड़ाए लागल आ लौका लौकल आ पृथ्वी हिल लागल।6तखन सातो स्वर्गदूत, जिनका सबलग एक-एकटा बिगुल छल, ओकरा बजाबएलेल तैयार भेलथि।7पहिन स्वर्गदूत अपन बिगुल फुकलनि, आ पृथ्वीपर लेहूके संगे संग पत्थल आ आगि वर्षा देलनि। जेकर परिणाम, जमीनके सतहपरस सब किछुके एक तिहाइ भाग जरि गेल: एक तिहाइ गाछ जरि गेलैक, आ हरियर घासके एक तिहाइ भाग सेहो जरि गेल। 8फेरु दोसर स्वर्गदूत अपन बिगुल फुकलनि आ किछु एहन वस्तु जे आगिस' जरैत नमहर पहाड़ जकां छल से समुद्रमे खसि पड़ल। जेकर परिणाम स्वरुप, समुद्रके एक तिहाइ भाग लेहू जकां लाल भ' गेल ,9समुद्रके एक तिहाइ जीवित प्राणीसब मरि गेल, आ समुद्रके जहाजसबमेस' एक तिहाइ नाश भ' गेल।10फेरु तेसर स्वर्गदूत अपन बिगुल बजौलनि, एकटा दिस बढ़का तरेगन, जे मशाल जकां जरि रहल छल, आकाशस नदीसबके एक तिहाइपर आ पानिके झरनासबके एक तिहाइपर खसि पड़ल।11ओहि तरेगनके नाम तीत अछि। जेकर परिणाम, एक तिहाइ नदी आ झरनासबके पानि तीत भ' गेल। बहुते लोकसब ओहि पानिके पीबलास' मरि गेल किएकत' ओ तीत भ' गेल छल। 12तखन चारिम स्वर्गदूत अपन बिगुल फुकलनि, आ परमेश्वर सूर्य, चन्द्रमा आ तरेगनसबके मारलथि जे ओसब एक तिहाइ समयके लेल अपन प्रकाश हेरा लैक। दिनके एक तिहाइके भागमे सूर्य नहि चमकल आ रातिके एक तिहाइ भागमे चन्द्रमा आ तरेगन नहि चमकल। 13जं हम देखलहुं, त' हम एकटा गरुड़के आकाशमे बड्ड उपर उड़ैत आ जोरस' चिचिआ रहल छल, “पृथ्वीपर रहनिहार अपश्चातापी पापी लोकसबके संग भयंकर विपत्तिसब घटत, जं तीनटा बांकी स्वर्गदूत अपन बिगुल फुकत आ ओसब ओकरा फुकहिबला अछि!”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.