Leviticus17

1यहोवा फेरु मूसास' कहलनि,2“हारून, हुनक पुत्रसब आ सब इजराएलीसबके ई कहि दिऔ जे यहोवा आज्ञा देने छथि।3जं इजराएलीसब बच्छा, भेंड़ आ छागरके बलि देब त' ओकरा पवित्र तम्बू क्षेत्रके प्रवेशद्वारपर पुजारीलग आनि दिऔ जाहिस ओ हमरा समक्ष लाबि सकए।4यदि अहाँ ओकरा बलिदानक रुपमे तम्बूस' दोसर ठाम मारैत छी, त' ओकर लेहू बहएबाक दोष लागि जाएत। जं अहाँ एहन करब त' अहाँके यहोवा लोकक स' संग रहबाक अनुमति नहि भेटत।5यहोवा अहाँ इजराएलीसबके ई कहि रहल छथि जे अहाँसब आब खुल्ला जगहमे बलिदान नहि चढ़ाएब। मुदा, उचित तरीकास' बलिदान करबाक चाही। पवित्र तम्बू क्षेत्रके प्रवेशद्वारपर पुजारीलग ल' क' अएबाक चाही जेकरा पुजारी मेलबलि चढौताह।6पुजारी ओहि पशुके मारिक' ओकर किछु लेहू पवित्र तम्बूके प्रवेशद्वारिके वेदीपर छिटक' ओकर चर्बीके जरा देताह जाहिके सुगन्ध यहोवाके नीक लागए।7अहाँसब आब छागर जकां मूर्तिके बलिदान द' क' ओहि प्रबृतिके नहि बनू। अहाँसब ई आज्ञाके सदिखन मानब।”8यहोवा मूसाके इहो बात कहलनि, “हारून आ हुनक बेटासबके ई कहि दिऔ, ‘जं कोनो इजराएली आ हुनकासब बीच रहनिहार कोनो विदेशी पुजारी लेल बलिदान अनैत अछि, जे होमबलि आ यदि ओ आन कोनो बलिदान अनैत छथि,9मुदा जं ओ हमरालेल बलिदानक' रुपमे पवित्र तम्बू क्षेत्रके' प्रवेशद्वारपर नहि अनैत अछि त' ओहि व्यक्तिके हमरा लोकके बिचमेस' बहिस्कार करु।10हम अहाँसब बीच रहनिहार कोनो इजराएली आ कोनो विदेशीके बहिस्कार क' देब जे कोनो जानबरके लेहू पिबैत अछि आ ओकरा हमरा लोकके स' संग रहबाक कोनो अनुमति नहि भेटत।11एकर कारण अछि जे जानबरसबके प्राण ओकर लेहूमे होअए त अछि। हम स्पष्ट कहि देने छी जे वेदीपर लेहू चढ़ाएल जाएत, जाहिस' हम लोकक पाप क्षमाक' देब। 12एहिलेल हम कहैत छी जे अहाँ इजराएलीसब आ अहाँसब बीच रहनिहार कोनो विदेशी लोकसब लेहू नहि पिबू।13जं अहाँसबमेस' केओ इजराएली आ अहाँसब बीच रहनिहार कोनो विदेशी कोनो जानबर आ चिड़ैके मारि दैत अछि जेकरा हम अहाँसबके खाए लेल उचित ठहरौने छी, त' ओकर लेहू जमीनपर चुआक' ओकरा माटिमे झांपि दिऔ।14कारण जे प्रत्येक प्राणीक प्राण ओकर लेहूमे होइत अछि। एहिलेल हम अहाँ इजराएलीसबके कहने छी, “जे केओ जानबरके लेहू पिबैत अछि त' ओकरा हमरा लोकसबस' बहिस्कार करबाक चाही।” 15जं अहाँ इजराएलीसब आ अहाँसब बीच रहनिहार कोनो विदेशी कोनो जानबरके माउस खाइत अछि जे मरि गेल अछि आ जंगली जानवरद्वारा मारल गेल अछि त' अहाँसब अपन कपड़ा धो' क' नहाऊ। किएक त अहाँ अशुद्ध भ' जाएब आ ओहि सांझ धरि अहाँ केकरो नहि छुएब तब ओ शुद्ध होएत।16जं अहाँसब एहि नियमके पालन नहि करब त' हम अहाँसबके अधर्मके अवश्य दण्डित करब।’”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67