Leviticus16

1यहोवाके आज्ञाके विपरीत धूप जरएबाक कारणे हारूनके दूटा बेटाके मृत्यु भेलापर यहोवा मूसास' बात कएलनि। 2यहोवा मूसाके कहलनि, “अहाँ अपन भाय हारूनके कहि दिऔ जे जत पवित्र स' सन्दूक आ ओकर कृपा आसन अछि जे पर्दा भीतर अछि, ओहि पवित्र स्थानपर कोनो समयमे प्रबेश नहि करथि, नहि त' ओ मरि जएताह! किएक त' जत' हम उपस्थित छी ओ बादलस' घेरल अछि। 3जखन हारून पवित्र तम्बूमे महा-पवित्रस्थानमे प्रवेश करत, तखन ओकरा एकटा बच्छा जे पापबलि लेल मारल जाएत, आ एकटा भेंड़ होमबलिके लेल लओताह।4ओ सूती कपड़ाके पवित्र अंगरखा, लेलीन कपड़ाके जांघिया, लेलीन कपड़ाके डांढ़मे भरकस बान्हि आ लेलीन कपड़ाके पगड़ी सेहो बान्हिक' प्रवेश करथि। ईसब पवित्र वस्त्र अछि, जे ओ नहाए' पहिरने छलाह।5इजराएलके समुदायके लोकसबके पापक बलि लेल दूटा छागर आ होमबलिके लेल एकटा भेंड़के लओताह।6हारूनके पापबलि लेल बच्छा चढ़ाबए पड़त जाहिस' हम ओकर आ ओकर परिवारके पाप क्षमाक' देब। 7तखन ओ दुनू छागरके पवित्र तम्बूक प्रवेशद्वारपर हमरालग लएबाक चाही।8हारूनके चिट्ठा लगाक' ओहिमेस' एकटाके यहोवाके एल बलि देब चाही आ दोसर छागरके मुक्त क' देबाक चाही। 9हारूनके ओहि छागरके हमरालग लएबाक चाही जे बलिदानक लेल चुनल गेल अछि। ओ लोकक पापके बलिदान होअए त।10मुदा जाहि बकरी पर बलिक बकरा लेल चिट्ठा पड़त, ओकरा यहोवाक समक्ष जीविते लाबएके चाही, जाहिस ओकरा बलिक बकराके रुपमे जंगलमे पठाक' प्रायश्चित कएल जा सकए।11तखन हारूनके ओ जवान बच्छा हमरालग लएबाक चाही, जे ओ अपन आ अपन परिवारक लेल बलिदान द' सकत। ओकरा ओ बच्छाके पापबलीके रुपमे बलिदान चढाओल जाए आ ओकर लेहुके लेहू बहएबला जगहमे बहा दी।12तखन ओहि पीतरि वेदीपरस' किछु जरैत कोइला ल' क' धूपदानीमे यहोवाके आगु राखि देबाक चाही। तखन ओकरा हाथमे सुगन्धित, मेही पीसल धूप लेबए पड़त। तखन ओकरा पर्दा भीतर धूप आ धूपदानीके महा-पवित्रस्थानमे, पवित्र तम्बूमे ल' जएबाक चाही। 13यहोवाके उपस्तिथिमे जरैत कोइला पर धूप राखि देत। आ गवाहीके स' सन्दूकपर रहल कृपा आसन जरैत धूपके धुआं' भरि जाएत। जं ओ एहि निर्देशनसबके पालन नहि करतथि त' ओ मरि जएताह।14तखन ओ बच्छाके किछु लेहू ल' क' आंगुरस' प्रायश्चितक आवरण पर पूर्व दिस छिट देलनि आ तखन किछु लेहू आवरणक आगुमे आंगुरस' सात बेर छिट देलनि। 15तखन हारूनके पवित्र तम्बूस' बाहर जा' लोकसबके लेल पापबलिके छागरके मारि देबाक चाही। ओकर लेहू पर्दा भीतर महा-पवित्रस्थानमे लाबए पड़त। ओतए ओहि लेहूमेस' किछु कृपा आसनपर आ कृपा आसनके आगु भागपर छिट दैथि, जेना बच्छाके' लेहू कृपा आसनपर छिटिने छलथि।16प्रायश्चित क' क' एहि तरहे ओ महा-पवित्रस्थानके शुद्ध करताह। आ ओकरा पवित्र तम्बूपर बेसी लेहू छिट देथि, किएक त' हम ओतए उपस्थित छी जत भेटि होबएबला तम्बू अछि, इजराएली लोकक बीचमे जे अपन पापक कारणे हमरालेल अशुद्ध भ' गेल अछि।17जखन हारून पवित्र तम्बूमे महा-पवित्रस्थानमे ओकरा प्रायश्चित क' क' शुद्ध करबाक लेल जएताह तखन पवित्र तम्बूके दोसर भागमे दोसर केकरो प्रवेश नहि करए चाही। हारूनके बिधि-बिधान कएलाक बाद हम ओकरा आ ओकर परिवार, सब इजराएली लोकके माफ क' सकैत छी, तेकरबाद केओ पुजारी पवित्र तम्बूमे प्रवेश क' सकैत अछि।18तखन हारून यहोवाके वेदीके प्रायश्चित क' क' शुद्ध करएलेल तम्बूके बाहर जएबाक चाही। ई काज ओकरा बच्छाके किछु लेहू आ छागरके किछु लेहू वेदीके प्रत्येक सिंगपर लेपि देबाक चाही।19तखन हारूनके अपन आंगुर लेहूके वर्तनमे बोरिक' किछु लेहू वेदीपर सात बेर छिटबाक चाही। ओहि वेदीलगस' इजराएलीसबके अलग क' देताह जे हमरालेल अशुद्ध अछि। वेदी हमरालेल शुद्ध जाएत।20जखन हारून पवित्र तम्बू भीतर महा-पवित्रस्थान, पवित्र तम्बू आ वेदीसबके प्रायश्चित क' क' पवित्र क' देताह तखन हुनका ओहि छागरके लेबाक चाही जे छुटकाराक' लेल चुनल गेल छल।21हारूनके अपन दुनू हाथ छागरक माथपर राखि इजराएली लोकसबके पाप स्वीकार करबाक चाही। एना कएलाक बाद ओ हुनका लोकक पापके अपराध छागरके माथपर राखि देथि। तखन ओ छागरके चुनल आदमीके देबाक चाही, आ ओ बकरीके मरुभूमिमे पठा देल जाए। 22हम बकराके एना बुझब जे ओसब पापक दोषके मरुभूमिमे ल' जाइत अछि।23हारून जखन महा-पवित्रस्थान छोड़ि पवित्र तम्बूके दोसर भागमे जाइत छथि तखन हुनका ओ सूतीके कपड़ा उतारि देबाक चाही जे ओ पहिरने छथि। ओ कपड़ा ओतहि छोड़ि देब' पड़तनि।24तखन ओकरा अपन पापक आ इजराएली लोकके पापक लेल पवित्र स्थानपर स्नान करबाक चाही, अपन नियमित वस्त्र पहिरबाक चाही आ ओहि पशुसबके बलिदान करबाक चाही जे ओ वेदीपर पूरा जरा देताह। तखन यहोवा हुनकासबके पाप क्षमा करताह।25पापबलिके पशुके चर्बीसब सेहो वेदीपर जरा देबाक चाही।26जे आदमी छागरके जंगलमे छोड़िक' वापस आओत, हुनको अपन कपड़ा धोबए पड़त आ नहाए पड़त। तखन फेरु बस्तीमे प्रवेशक' सकैत अछि।27लोकक पापके प्रायश्चित करबाक लेल पापबलिके रुपमे जे बच्छा आ छागरके बलि चढ़ाएल गेल छल, ओकरा पवित्र तम्बूस' बाहर ल' जा' क' जराओल जएबाक चाही। एहि जानबरसबके चमड़ा, ओकर भीतरके अङ आ ओकर गोबर जराबए जरुरी अछि।28जे आदमी ओहि वस्तुसबके जरबैत अछि ओकरा फेरुस' तम्बूमे आबएस' पहिने अपन कपड़ा धो' क' स्नान करबाक चाही।29सातम महिनाके दसम दिन, जाहि दिन हम निर्धारीत कएने छी, अहाँसब उपवास करु आ कोनो काज नहि करु। ई एकटा एहन नियम अछि जेकरा इजराएलीके मूल निवासी आ अहाँसबके बीच रहनिहार विदेशीसबके सदिखन पालन करबाक चाही।30ओहि दिन, हारून प्रायश्चितके एहन बिधि-बिधान करताह जाहिस' हम अहाँसबके क्षमाक' सकब, तखन हम, यहोवा अहाँसबके सब पापक दोषस' मुक्त क' देब।31ओ दिन अहाँसबहक विश्रामके दिन होअए त आ विश्राम-दिन कोनो काज नहि करब आ ओहि दिन उपवास करब। जे अहाँसबलेल एकटा स्थायी आज्ञा अछि जे अहाँसबके पालन करबाक चाही। 32जे पुजारी जैतूनके तेलस' अभिषेक कएल गेल अछि आ यहोवाके सेवा करबाक लेल दोसरस' अलग कएल गेल अछि, ओ प्रायश्चितके बलि चढ़ाओत, यहोवाके आदर करए लेल अलग कएल गेल सूतीके वस्त्र पहिरक' बलि चढ़ाओत।33ओ ई प्रायश्चित पवित्र स्थान, सब पवित्र तम्बू, वेदी, पुजारी आ इजराएलीसबके पवित्र करबाक लेल कएल जाएत, जेना हारून कएने छलाह।34ई प्रायश्चित करएबला विधि अहाँसबहक लेल एकटा स्थायी आज्ञा होअए त जे अहाँसब सालमे एक बेर मानी, जाहिस' हम अहाँसब इजराएली लोकसबके अहाँसबद्वारा कएल गेल पापसबके क्षमाक' सकब।” मूसा यहोवाद्वारा देल गेलसब नियमके पालन कएलनि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67