Leviticus18

1यहोवा फेरु मूसाके कहलनि,2“इजराएली लोकसबस' कहलजाए जे हम यहोवा अहाँके यहोवा छी।3अहाँसब मिस्र वासीसबके व्यवहार देखलाक बाद, जेकरा सबहक बीच अहाँसब सेहो रहैत छलहुं, अहाँसब ओहिना नहि करब जेना ओसब करैत छल। आ अहाँसब कनानक लोकसबके जेका व्यवहार नहि करब, जाहि देशमे हम अहाँसबके ल' जा' रहल छी। अहाँसबके ओकरासबहक चालि-चलनके देखाओस नहि करबाक चाही।4अहाँसबके हमरसब नियमके पालन करबाक चाही। अहाँसबके ओसब काज करबाक चाही जे हम, अहाँके' यहोवा, अहाँसबके आज्ञा द' रहल छी।5यदि लोकसब हमर आदेश सबहक आ नियम सबहक पालन करत त' बहुत दिन धरि जीवित रहत। हम, यहोवा, अहाँसबके ई वचन द' रहल छी। अत: हमर किछु नियमसब ई अछि।6अपन कोनो लगक रिश्तेदारके संग नहि सुतू। हम, यहोवा ई आज्ञा द' रहल छी।7अपन मायक स' संग सुतिक' अपन पिताक अपमान नहि करु। एहि तरहे अपन मायक' बदनामी नहि करु।8अपन पिताक कोनो दोसर पत्नीक स' संग नहि सुतब, किएक त' एहिस' अहाँके पिताक बेइजती होअए, त।  9अपन सहोदर बहिन आ सतबा बहिनक' स' संग नहि सुतब। ओ अहाँके' घरमे जन्मल आ पलल-बढ़ल होअए आ कतहु आन ठाममे, कोनो बात भ' सकए।10अपन पोतीक आ नतिनीक स' संग नहि सुतब, किएक त' एहिस' अहाँके बदनामी होअए त।11अपन सतबा बहिनक स' संग नहि सुतब, ओकर पिता अहाँके' पिता सेहो छथि। ओ अहाँके बहिन अछि।12अपन पियुसिक स' संग नहि सुतब, किएकत' ओ अहाँके पिताके सहोदर बहिन छथि।13अपन मौसीक' स' संग नहि सुतब, किएक त' ओ अहाँके मायक' सहोदर बहिन छथि।14अपन पिताक' भायके पत्नीस' संग सुतिक' हुनक अपमान नहि करब, किएकत' ओ अहाँके काकी छथि।15अपन पुतहुस' संगे नहि सुतब, कारण ओ अहाँके' बेटाके पत्नी अछि।16अपन भौजी आ भाबोस' संगे नहि सुतब, किएक त' एहिस' अहाँके भाइके बेइज्जत होअए त। 17जेकरास' संगे पहिने सुतल छलहुं, ओकर बेटी आ पोतीक स' संग नहि सुतब। ओहिमेस' केकरोस' संग सुतब दुष्टके काज होअए त।18जाधरि अहाँके पत्नी जीवित अछि ताधरि अपन सारिस' संगे विवाह नहि करु आ हुनकास' संगे नहि सुतब।19महिलाके महिनाबारीमे अशुद्ध भेल समय हुनकास' संगे नहि सुतब।20दोसरके पत्नीस' संगे सुतिक' अपनाके अशुद्ध नहि करु।21अहाँ अपन सन्तानके मोलेकके बलि नहि चढ़ाउ आ नहि अपन यहोवाके नाम अपवित्र करु। हम यहोवा छी। 22केओ पुरुष दोसर पुरुषस' संगे नहि सुतए। ई घृणित काज अछि। 23कोनो पुरुष आ स्त्री कोनो जानवरस' संगे सुतिक' अपनाके अशुद्ध नहि करए। ई अस्वभाविक दुराचार अछि।24एहिमेस' कोनो प्रकारक काज क' क' अपनाके अशुद्ध नहि करु, किएकत' एहिसब काज क' क' जाति-जातिक लोकसब हमरालेल ग्रहणयोग्य नहि भेलथि, ओहि लोकक समुहसबके हम भगा देब, जखन अहाँसब ओहि देशमे जाएब जे हम अहाँसबके देब जा' रहल छी।25ओसब ओहि देशके ई काज क' क अशुद्ध क' देलक, तएं हम हुनकासबहक पापक सजाय देब जा' रहल छी, जेना ओहि देशमे रहनिहार लोकसबके उल्टी जकां निकालि देलक।26मुदा अहाँसब हमर नियम आ आदेशके पालन करु। एहिमे अहाँसब जे एत' जन्मल छी आओर अहाँसब बीच रहए बाला विदेशी घृणित काज नहि करी।27ओसब घृणित काज क' क' अहाँसबहक अएबास' पहिने एहि देशमे रहनिहार लोकसब एहि देशके अशुद्ध क' देलक।28तएं जं अहाँसब सेहो देशके अशुद्ध करब त' हम अहाँसबके छोड़ि देब जेना अहाँसबके आबएस' पहिने एहि ठामक लोकसबके छोड़ि देलहुं।29अहाँसब ओहि घृणित काजसबमेस' कोनो घृणित काज करएबला लोकसबके अहाँसब संगत नहि करु, अहाँसब हमर लोक छी।30हम अहाँसबके जे किछु आज्ञा देने छी, ओकर पालन करु आ अहाँसबके आबएस' पहिने जे लोकसब छल, ओकरास' संगे कोनो घृणित चालि-चलन क' क' अपनाके अशुद्ध नहि करु। हम, अहाँके परमेश्वर यहोवा, ईसब आज्ञा द' रहल छी।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67