Jude1
1यीशु मसीहके दास आ याकूबके भाइ यहूदा दिसस', हुनकर नाममे बजाओल गेलसब, जे परमेश्वर पितामे प्रेम आ यीशु मसीहमे सुरक्षित अछि।2अहाँसबपर कृपा आ शान्ति आ प्रेम बढ़ैत रहए।3प्रियसब, अपनासबके सझिया उद्धारके विषयमे अहाँसबके लिखएलेल हमसब सम्भव प्रयत्न क' रहल छी, हमरा अहाँसबके ओहि विश्वासक लेल संघर्ष करब प्रोत्साहित करबाक लेल आग्रह करैत लिखब आवश्यक छल जे पवित्र लोकसबके लेल एक समय सोंपल गेल छल।4किएकत' किछु एहन लोकसब गुप्तरुपस' अहाँसबहक बीचमे पैसि गेल अछि, जे बहुत समय पहिनेस' एहि दण्डके लेल अलग कएल गेल छल, एहन भक्तिहीन लोक, जे अपनासबके परमेश्वरके अनुग्रहके विलासितामे बदलने अछि, आ अपनासबके एकमात्र मालिक आ प्रभु, यीशु मसीहके अस्वीकार करैत अछि।5आब, हम अहाँसबके मोन पाड़ए चाहैत छी, जे अहाँसब सब बात एक बेर जनैत रहिऐ, जे यीशु, लोकसबके मिस्र देशस' उद्धार करैत निकालिक' अनलथि, आ विश्वास नहि करएबला लोकसबके पाछुस' नाश क' देलथिन। 6आ ओहि स्वर्गदूतसबके जे अपन अधिकारके मर्यादा नहि रखलनि, मुदा अपन उचित वासस्थान त्याग देलनि, ओकरासबके पतालके अन्हारमे न्यायके ओहि महान दिन धरि अनन्तके झिझिरमे बान्हिक' रखने छथि। 7जेना सदोम आ गमोरा आ ओकर लगपासक शहरके लोकसब व्यभिचार क' क' आ अस्वभाविक कामवासनाके कारण, एकटा उदाहरणके रुपमे देखल जाइत अछि, जे अनन्त आगिके दण्ड भोगि रहल अछि। 8तहिना, सपना देखएबला सब एक त' शरीरके अशुद्ध करैत अछि आ दोसर दिस अधिकारके अस्वीकार करैत अछि, आ स्वर्गीय प्राणी सबहक निन्दा करैत अछि।9मुदा प्रधान स्वर्गदूत मिकाएल, जखन ओ मूसाके लासके विषयमे शैतानस' विवाद क' रहल समय ओकर विरुद्ध निन्दा क' क' न्याय करबाक साहस नहि कएलथि। मुदा, कहलकनि, “प्रभु तोरा डांटथि!”10मुदा ई लोकसब जे बात नहि बुझति अछि ओकर एक त' निन्दा करैत अछि; दोसर दिस जाहि बातके ओसब निर्बुद्धि जानबरसब जकां स्वभाविक प्रवृत्ति स' बुझति अछि, ओहि बातसब द्वारा ओसब नाश भ' रहल अछि।11ओकरासबके धिक्कार! किएकत' ओसब कैनके रस्तापर चलल अछि आ फायदाके लेल बिलामके भूलभुलैयामे फंसि जाइत अछि, आ कोरहके भयंकर विद्रोह जंका ओसब नाश भ' जाइत अछि। 12ई ओ लोकसब अछि जे अहाँसबके प्रेम भोजमे कलंक अछि — ईसब अपन मात्रे वास्ता राखएबला बिना लाजशरमके' खाइत अछि; ओसब पानि बिनाके बादल जकां अछि, जेकरा हवा उड़ाक' ल' जाइत अछि। ईसब शरद ऋतुके फल बिनाके गाछ अछि — जे दू बेर मरि गेल जड़ि सहित उखारल गेल अछि। 13ओसब समुद्रके हिंसक लहरि अछि जे अपन निर्लज्जताके फेन बाहर निकालैत अछि, ओसब दिशाहिन भटकैत तरेगन अछि, जेकरालेल घनघोर अन्हारके उदासी अनन्तकालधरि राखल गेल अछि। 14आदम स' सातम पीढ़ीके हनोक सेहो एहि लोकसबके विषयमे भविष्यवाणी कएने छलनि, “देखू! प्रभु अपन असंख्य पवित्र जन संग अएलनि। 15सबहक' न्याय करएलेल आ सब प्राणके डांटए लेल, जे सब अधर्मके' काज कएलनि आ ओहि सब कठोर बातसबके विषयमे जे ओ अधर्मी पापीसब हुनका विरुद्ध बाजल।”16भनभनाइत रहनिहारसब, दोष लगौनिहारसब, अपन ललसाके अनुसार चलैत रहनिहारसब, अपन मुंहस' घमण्डके बात बाजएबलासब, अपन फायदाके लेल चापलूसी करएबलासब इएह सब अछि।17मुदा, यौ हमर प्रियसब, अहाँसब, अपनासबके प्रभु यीशु मसीहके प्रेरितसबद्वारा पहिनेस' कहल गेल बातसब स्मरण करु।18ओसब अहाँसबके कहने छलनि, “अन्तके समयमे ठट्ठा करएबला लोकसब होएत जे अपन भक्तिहीन अभिलाषाके' अनुसार चलत।” 19ईसब विभाजन लाबएबला, सांसारिक, पवित्र आत्मा नहि भेल आदमीसब अछि।20मुदा हे हमर प्रियजन, अहाँसब अपन पवित्र विश्वासमे स्वयंके मजगूत करैत, सदिखन पवित्र आत्मामे प्रार्थना करु,21स्वयंके परमेश्वरके प्रेममे राखू। अनन्त जीवनक' लेल अपनासब प्रभु यीशु मसीहके कृपाके प्रतीक्षा करु।22विचारक दुबिधामे रहल आदमीसबपर दया देखाउ;23मुदा दोसरके आगिमेस' लपैक क' बचाउ; आ दोसरके भयके संग दया देखबैत काल सावधान रहू, शरीरके पापमय स्वभावद्वारा अशुद्ध भेल वस्त्रके घृणा करु।24आब हुनकर जे अहाँसबके ठोकर खएने बिना बचाबएमे, आ अहाँसबके अपन महिमाक समक्ष आनन्दस' निर्दोष ठाढ़ करएमे सक्षम छथि,25अपनासबके प्रभु यीशु मसीहक' द्वारा उद्धारकर्ता एकमात्र परमेश्वरके महिमा, प्रताप, सामर्थ्य, आ अधिकार युगो-युग पहिनेस' एखन आ अनन्तकालधरि होइत रहए। आमीन!
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.