3 John1

1धर्मवृद्धस', प्रिय गयुसके, जेकरास' हम सत्य प्रेम करैत छी।2प्रिय मित्र, हम प्रार्थना करैत छी जेना अहाँ आत्मामे उन्नति क' रहल छी, तहिना अहाँसब काजमे उन्नति करु, आ स्वस्थ रहू।3किएकत' हम बड्ड आनन्दित भेली जखन भाइसब आबिक' अहाँके सत्यके गवाही देलनि, जेना अहाँ सत्यके अनुशरण क' रहल छी।4हमरा एहिस' बढ़का आनन्द किछु नहि अछि, जे हम ई सुनैत छी जे हमर बच्चासब सत्यताके मार्गपर चलैत अछि। 5प्रिय मित्र, अहाँ जखन-कखनो अपन भाइसबके लेल आ परदेशीके लेल सेहो काज करैत छी, त' अहाँ विश्वासयोग्य काज क' रहल छी।6ओसब मण्डलीके समक्ष अहाँके प्रेमके गवाही देने अछि। परमेश्वरक' नजरिमे नीक होएत जखन अहाँ हुनकासबके यात्राके प्रबन्ध क' देब, त' अहाँ नीक काज करब।7किएकत' ओसब ओहि नामके लेल निकलल छथि आ आन जातिसबस' किछु नहि लैत छथि।8तएं अपनासबके एहन लोकसबके स्वागत करबाक चाही, जाहिस' हमसब सत्यतामे ओकरासबहक' सहकर्मी भ जाइ।9हम मण्डलीके किछु लिखने रही, मुदा दियुत्रिफेस जे ओकरासबमे सबस' नमहर बनए चाहैत अछि, हमरासबके ग्रहण नहि करैत अछि।10एहि कारण' जखन हम आएब, त' हम ओकर काजसबके उजागर करब जे ओ हमरासबपर अधलाह काजके आरोप लगा रहल अछि। आ एहिस' सेहो सन्तुष्ट नहि भ' क' भाइसबके सेहो ग्रहण नहि करैत अछि, आ जे एना कर' चाहैत अछि, ओकरासबके रोकैत अछि आ मण्डलीस' निकालि दैत अछि।11प्रिय, अधलाहके नहि, नीक बातके अनुसरण करु। जे नीक काज करैत अछि से परमेश्वरस' अछि। मुदा जे अधलाह करैत अछि, ओ परमेश्वरके नहि देखने अछि।12दिमेत्रियुसके विषयमे सब गवाही देलक, सत्यद्वारा सेहो गवाही देल गेल, हमसब सेहो गवाही दैत छी, आ अहाँ जनैत छी जे हमरासबके गवाही सत्य अछि।13हमरा अहाँके लिखबाक बहुत बात अछि, मुदा हम अहाँके मसी आ कलमस' लिख' नहि चाहैत छी।14मुदा हम आशा करैत छी जे अहाँस' जल्दिए मिलब, आ सोझा सामने बात करब।15अहाँके शान्ति भेटए। संगीसब दिसस' अभिवादन। अपन मित्रसबके नाम ल' क' अभिवादन करब। 

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67