Revelation1

1एहि पुस्तकमे ओ सबटा बात अछि जे यीशु मसीह हम, यूहन्नाके प्रगट कएने रहथि। परमेश्वर एहि बातसबके यीशुके कहलथि जे ओहि सबबातके ओ अपन दाससबके सेहो कहि दैथि। ई बातसब बहुत जल्दी पूरा होबएबला अछि। यीशु अपन एकटा स्वर्गदूत पठाक' अपन सेवक, हमरा यूहन्नाके ओहि बातसबके जानकारी देलथिन। 2हम यूहन्ना जे किछु देखलहुं आ जे परमेश्वरके वचनके विषयमे सुनने छलहुं, आ यीशु मसीहके विषयमे जे सांच्चेके साक्षी देल गेल रहैक, ओहिके गवाह भ' क' बतएलहुं।3धन्य अछि ओ जे केओ एहि पुस्तकके वचनके विश्वासीसबके सुनाक' पढ़ैत आ सुनैत अछि, ओसब परमेश्वरके भलाइके भागी होएत। आ जे केओ एहि वचनके ध्यानस' सुनिक' एकर पालन करैत अछि, ओकरासबसंगे परमेश्वर भलाइए करताह, किएकत' एहि बातसबके पूरा होएबाक समय जल्दी आबि रहल अछि।4हम, यूहन्ना, ई पत्र आसिया प्रान्तमे रहनिहार विश्वासीसबके सातो मण्डलीसबके लिख रहल छी। परमेश्वर अहाँसबके अनुग्रह करथि आ अहाँसबके शान्ति दैथि, किएकत' ओएह एकमात्र परमेश्वर छथि जे पहिनहूं रहथि, एखनो छथि आ भविष्यमे सेहो सदा रहथि। परमेश्वरके सिंहासनके आगु उपस्थित रहल सात आत्मासब दिसस' अहाँसबके लेल ई सब काजसब कएल जाए।5यीशु मसीह जे परमेश्वरके विषयमे अपनासबके सांच बताबएमे विश्वासयोग्य गवाह छथि, ओ अहाँसबपर दया करथि आ अहाँसबके शान्ति प्रदान करथि। किएकत' ओएह पहिन छथि जिनका परमेश्वर मरलसबमेस' जीवित कएलथि आ ओ ओएह छथि जे पृथ्वीके राजासबपर शासक छथि। ओएह छथि जे अपनासबके प्रेम करैत छथि आ जे क्रूसपर बलिदान भ' क' अपन लेहूस' अपनासबके पापसबके दोषस' मुक्त कएने छथि। 6ओ ओएह छथि जे अपन राज्यपर शासन करब शुरु क' देने छथि, ओ अपनासबके पुजारी होएबाक लेल अलग कएने छथि, जे हुनक पिता अर्थात् परमेश्वरके आज्ञा अनुसार हुनक आराधना करैत अछि। ओ यीशुए मसीह छथि जिनका अपनासबके सदाके लेल सम्मान आ स्तुति करबाक चाही। आमीन। 7देखू, यीशु मसीह बादल पर आबएबला छथि, सब केओ हुनका देख सकैत छी, आ ओहो देख सकैत छी जे हुनका क्रूसपर कांटी ठोकिक' मारि देने रहैक। पृथ्वीके सब एक कुलके लोक दुखित आ चिन्तित होएत जं ओसब यीशुके पृथ्वीपर फेरुस' अबैत देखतनि। आमीन। 8प्रभु परमेश्वर कहैत छथि, “हमहीं अल्फा छी जे सबकिछुके रचना कएने छी, आ हमहीं ओमेगा छी जे एहिसबके अन्त करब । हम जीवित छी, आ छी, आ सदैव रहब। हम ओएह छी जे सब वस्तुसबपर आ सब लोकसबपर राज्य करैत छी।” 9हम, यूहन्ना, अहाँसबके संगी-विश्वासी ओहने दुख उठाबि रहल छी जेना अहाँसब उठाबि रहल छी। किएकत' यीशु अपनासबके उपर शासन करैत छथि। अपनासब अपन विश्वासके लेल दुख उठाबएके बजाहटिमे सहभागी छी। अपनासब हुनकर राज्यके एक भाग छी आ सब बातसबपर शासन करैत छी, आ धैर्यस' हरेक कष्ट आ परीक्षा जे अहाँसबपर अबैत अछि ओकरा सहि लैत छी। हमरा बंदी बनाक' पतमुस द्वीपमे पठा देने अछि किएकत' हम लोकसबके परमेश्वरके सन्देश आ यीशुके सत्यताके विषयमे गवाह बनि रहल छलहुं।10एकटा रविदिन हम आओर विश्वासीसबसंगे परमेश्वरके आराधना करैत रही, तखन पवित्र आत्मा हमरापर अएलथि। फेरु हम केकरो हमरा पाछुस बिगुल बजैत सुनलहुं। ओ एकटा एहन आवाज रहैक जे केओ फुकति होइक। 11ओ हमरा कहलनि, “जे किछु अहाँ देखैत छी से एकटा पुस्तकमे लिख लिअ, आ एहिके सातो मण्डलीसबके पठा दिऔ। जे इफिसुस, स्मुरना, पिरगमुन, थूआतीरा, सरदीस, फिलादेलफिया आ लौदीकियाके शहरमे अछि।”12तब, जं हम एहि शब्दसब सुनलहुं त' हम ई देखबाक लेल घुमलहुं जे के बाजि रहल छथि, तखन हम सातटा सोनाके लाबनि देखलहुं।13लाबनिसबके बीचमे मनुष्यक पुत्र सन केओ छलथि। हुनकर वस्त्र पयर धरि नमहर रहैक आ ओ छातीपर एकटा सोनाके डरकस बन्हने छलथि। 14हुनकर माथके केश ऊन आ हिम सन उज्जर छलनि। हुनकर आंखिसब धधकैत आगि जकां छलनि। 15हुनकर पयर भट्ठास' निकालल पितरि जकां चमकैत देखाइ दैत छल। जं ओ बजलनि त' हुनकर आवाजमे नमहर नदीके पानिके गर्जन जकां छलनि। 16ओ अपन दहिना हाथमे सातटा तरेगन लेने छलथि। हुनक मुंहस' दूधारी तरुआरि निकलि रहल छलनि। हुनकर चेहरा दुपहरके चमकैत सूर्य जकां सामर्थ्य चमकैत छलनि। 17जं हम देखलहुं, त' हम हुनकर आराधनामे हुनक पयरपर खसि पड़लहुं आ हम मरल जकां भ' गेलहुं। मुदा ओ अपन दहिना हाथ हमरापर रखलनि आ हमरा कहलनि, “डेराउ नहि! हमहीं सबस पहिन छी, जे सब किछुके रचने छी आ हमहीं अन्तिम छी जे सबके अन्त करब। 18हम जीवित छी, भलेहि हम एकबेर मरि गेल रही, मुदा वास्तवमे, हम सदाके लेल जीवित छी! मृत्यु पर हमर अधिकार अछि आ मरलसबके स्थान नरकके कुंजी सेहो हमरालग अछि। 19एहिलेल आब जे किछु भ' रहल अछि, आ भविष्यमे होबएबला अछि से लिख लिअ, जे किछु अहाँ देखने छी से लिख लिअ।20सात तरेगनके रहस्य जे अहाँ हमर दहिना हाथमे देखने छी आ सात सोनाके लाबनिसबके रहस्य ई अछि ईसब सात तरेगन ओहि स्वर्गदूतके दर्शबैत अछि जे आसियाके सात मण्डलीसबके देख-रेख करैत अछि, आ सात लाबनि ओहि सात मण्डलीसबके दर्शबैत अछि जत ओ अछि।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67