Joshua11
1ई सुनि हासोरके राजा याबीन एहि राजासबके बजाहटि पठाओलक, ई राजासब अछि, मादोनक' राजा योबाब, शिम्रोनक' राजा, आ अक्षाप क' राजा, 2उत्तर दिसके पहाड़ी देशके राजासब, आ किन्नरेतस' दक्षिण आराबाके, मैदानी भू-भागके आ पश्चिम दिस दोरके पहाडी ढिमकापरके राजा। 3आ पूर्व आ पश्चिमके कनानी, एमोरी, हित्ती, परिज्जी, यबूसी आ मिस्पा देशके हेर्मोनक' पहाड़के नीचा रहनिहार हिब्बीसब।4ओसब आ ओकर सेनासब, जे समुद्रके बालु जकां आदमीसब, बहुत रास घोड़ासब आ रथ ल' क' निकलिक' आएल।5ओ राजासब निर्धारीत समयपर जमा भेलनि, आ ओसब आबिक' मेरोम तलाव लगमे इजराएली सबहक विरुद्ध युद्ध करए लेल शिविर टंगलक।6तब यहोवा यहोशूस' कहलथिन, “ओकरासबस' नहि डेराउ, किएकत' काल्हि एहि समयमे हम ओकरासबके मरि लेल इजराएली सबहक' द' देब। अहाँ ओकारा सबहक घोड़ासबके पयरक' नशा कटबादेब, आ ओकरासबहक रथसबके आगि लगा देब।”7एहिस' यहोशू आ हुनकर योद्धासब अचानक मेरोम तलाव लग ओकारा सबहक विरुद्ध आबि गेलाह आ ओसब ओकरासबपर टूटि पडलाह।8यहोवा ओकरासबहक' इजराएली सबहक हाथमे द' देलथिन आ ओसब ओकरासबके मारिक' पैघ सहर सीदोन, मिस्रपोतमैम धरि आ पूर्वमे मिस्पेके उपत्यका धरि खेहटा कएलनि। जा' धरि ओकरासबके निर्मूल नाश नहि क' देलनि।9एहिके बाद यहोशू यहोवाक' कहल अनुसार ओकरासबहक संग कएलनि। ओ ओकारा सबहक घोड़ासबके पयरके नशा काटि देलनि आ रथसबके सेहो आगि लगा देलनि10ओहि समय यहोशू पाछु घुमिक' हासोर कब्जा क' लेलनि आ ओकर राजाके' तलबारस' मारि देलनि, कारण जे हासोर पहिने एहि राज्य सबहक अगुवा छल।11ओसब ओहिमे रहनिहारसबके तलबारस' मारि देलक, हरेक जीवित प्राणीके निर्मूल क' देलक आ हासोरके आगि लगा देलक।12तब यहोशू एहि राजासब आ ओकरासबहक सहरसबपर कब्जा क' लेलनि आ यहोवाके' सेवक मूसाके देने आज्ञानुसार ओकरासबके तलबारस' मारि देलनि।13मुदा यहोशूके द्वारा जराओल गेल हासोरके छोड़िक' ढिमका पर बैसल कोनो शहरके इजराएलीसब नहि जरओलक।14एहि सहर सबहक' सबटा मालमत्ता आ मालजाल, इजराएलीसब लुटि लेलक, मुदा ओसब आदमीसबके तलबारस' मारि देलक, हरेक प्राणीके मारिके सहर निर्मूल क' देलक।15जे आज्ञा यहोवा अपन सेवक मूसाके आ मूसा यहोशूके देलनि। यहोवाद्वारा मूसाके देल गेल हरेक आज्ञा यहोशू पूरा कएलनि एकोटा अछूत नहि छोड़लनि।16यहोशू ई सारा भू-भाग, पहाडी देश, सारा नेगेव, गोशेनक' सारा भू-भाग, मैदानी भू-भाग, अराबा, इजराएलक' पहाड़ी देश आ निचाके' इलाका अपन हाथमे ल' लेलनि।17सेईरके चढाइमे रहल हालाक पहाड स' ल' क' हर्मोन पहाड़क' नीचा लेबनान उपत्यकामे बाल गाद धरि कब्जा क' ओकरासबहक राजासबके मारि देलक।18यहोशू आई राजा सबहक संग बहुत दिन धरि युद्ध कएलनि।19गिबोन बासी हिब्बीसब बाहेक इजराएली सबहक संग समझौता करएबला आन दोसर सहर नहि छल। सब सहर ओसब लडाइमे जीतलक।20किएकत', यहोवाक ओकरासबहक हृदय कठोर क' देलनि जाहिस' ओसब इजराएली सबहक विरोधमे युद्ध करए आ ओ ओकरासबके नामनिशान मेटा देथि। यहोवाके द्वारा मूसाके देल गेल आज्ञानुसार ओकरासबके दया बिना साफे नाश क' दिअ।21यहोशू ओहि समयमे पहाडी देशमे आबिक' हेब्रोन, दबीर, अनाब आ यहूदाक' सारा पहाड़ी देश आ इजराएलक' सारा पहाड़ी देशमे रहनिहार अनाकी सबहक' सामुल नाश क' देलनि। यहोशू ओकरासबके सहर सबसंगे पूर्णरुपस' नाश क' देलनि। 22गाजा, गत आ अश्दोदमे किछु बांकी अतिरिक्त इजराएली सबहक देशमे कोनो अनाकी नहि बांचल।23यहोशूके मूसाद्वारा यहोवा जे किछु कहने छलाह, तएं अनुसारे यहोशू सारा देशके अपना हाथमे ल' लेलनि, आ यहोशू ओकरा अपन कुलक' हिसाबस' इजराएलीसबके उत्तराधिकारमे द' देलनि। तब जा' क' युद्ध स' आराम भेटल।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.