Joshua12

1ईसब ओहि देशके' राजासब अछि, जेकरासबके इजराएलीसब पराजीत क' क' यरदन नदीक ओहिपार पूर्व दिस, अर्नोन नदीस' ल' क' हेर्मोन पहाड आ पूर्व दिसक' सारा अराबा धरिके देशमे अधिकार कएलनि।2एमोरी सबहक राजा सीहोन जे हेशबोनके बासी छलाह। जे अर्नोन नदिके' कातक' अरोएरस' ल' क' ओहि उपत्यकाक' बीचके आधा गिलाद स' अम्मोनी क' सीमास' यब्बोक नदीधरि ओकर सिमाना छल।3पूरबके अराबास' किन्नेरेत सागर धरि, अराबा सागर नुनगरहा सागर धरि, आ बेत्यशीमोत के पूर्व दिस जाएबला बाट धरि आ दक्षिण दिस, पिसगाके ढलानक नीचा भू-भागमे शासन करैत छल,4अश्तारोत एद्रेईमे रहनिहार रपाई सबहक बचल भू-भाग बाशानके राजा ओग,5आ हेर्मोन पहाड, सल्का आ सारा बाशान गशूरि आ माकीसब सीमाना धरि आ हेशबोनक' राजा सीहोनक' सीमा धरि, आ आधा गिलाद धरि।6यहोवाक' दास मूसा आ इजराएलीसब ओकरासबके मारिक' देने छल आ यहोवाक' दास मूसा रूबेनी, गादी आ मनश्शेक' आधा कुलके अपन सम्पत्तिके रुपमे द' देने छल। 7ईसब ओहे देशके' राजासब अछि, जेकरा सबहक यहोशू आ इजराएलीसब यरदन नदीक ओहिपार, पश्चिम दिस, लेबनान उपत्यकामे बाल गादस' ल' क' सेईरके चढाइ दिस हलाक पहाड़ धरि पराजीत कएलनि। यहोशू एहिके इजराएलीके कुलके विभाजन अनुसार ओकारा सबहक अधिकारके रुपमे द' देलनि,8पहाड़ी इलाका, आ तराईमे, आ अराबामे, आ पेनीमे, आ उजाड स्थान, आ दक्षिण देश नेगेवमे हित्ती, एमोरी, कनानी, परिज्जी, हिब्बी आ यबूसी,9एक यरीहोक' राजा। एक बेतेलके बगलमे आइके राजा,10एक यरूशलेमके राजा। एक एनाइमके राजा,11एक यर्मूतके राजा, एक लाकीशक' राजा।12एक एग्लोनके राजा। एक गेजेरके राजा,13एक दबीरके राजा, एक गेदेर के राजा14एक होर्माके राजा, एक अरादक' राजा,15एक लिब्नाके राजा, एक अदुल्लामके राजा,16एक मक्केदाके राजा। एक बेतेलके राजा,17एक तप्पूह क राजा। एक हेपेरके राजा,18एक अपेक के राजा। एक लश्शारोनके राजा,19एक मादोनके राजा, एक हासोरके राजा,20एक शिम्रोन्मरोनके राजा। एक अक्षाप के राजा,21एक तानाक के राजा, एक मगिद्दोके राजा,22एक केदेशके राजा। एक कर्मेलके योकनाम राजा,23एक नापोत दोरके राजा। एक गिलगालक' गोयीमके राजा,24आ एक तिर्सा के राजा। कुल मिला क एकतीसटा राजासब छल।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67