Joshua10

1आब यरूशलेमक' राजा अदोनीसेदेक सुनलनि जे कोना यहोशू आई शहरके कब्जा क' क' ओकरा पूरा प्रकारस' नाश क' देलनि, जेना ओ यरीहो आ ओकर राजाक' संग कएने छलनि, तहिना ओ आई सहर आ ओकर राजाक' संग सेहो कएनलनि, आ इहो सुनिलनि जे कोना ओहिमे रहनिहार गिबोनी सब इजराएली सबहक संग मेल-मिलाप कएलक आ हुनकरे सबहक बीचमे रहए लागल।2ओसब बहुत डरा गेल छल किएक त' गिबोन एकटा पैघ सहर छल, एकटा राजकीय सहर, आई नामके शहरस' पैघ सहर छल, आ ओत' के आदमीसब सेहो शुरवीर योद्धासब छल।3एहिस' यरूशलेमक राजा अदोनीसेदेक हेब्रोनक' राजा होहाम आ यर्मूतके' राजा पिराम आ लाकीशक' राजा यापी आ एग्लोनक' राजा दबीर लग सन्देश पठौलनि।4“हमरालग आबिक' हमर मदति करु। हमसब गिबोन पर आक्रमण करी, किएक त' ओ यहोशू आ इजराएली सबहक' संग सन्धि क' लेने अछि।”5एहिस' यरुशलेम, हेब्रोन, यर्मूत, लाकीश, आ एग्लोनक' पांच एमोरी सबहक' राजासब अपन अपन योद्धा सबहक' जमाक' क' गिबोनक' आगु शिरकी खसाक' ओकारा विरुद्ध युद्ध कएलक।6गिबोनी सब गिलगालमे यहोशू लग सन्देश पठौलक, जे “अपन सेवकसब परस' हाथ नहि हटाउ। जल्दीस' जल्दी हमरासबलग आबिक' हमरासबके बचाउ, आ हमरासबहक सहायता करु, किएकत' पहाडी इलाकामे रहनिहार एमोरी सबहक राजासब हमरासबहक विरुद्ध जमा भेल अछि।”7यहोशू अपन सारा योद्धा आ शुरवीरसबके ल' क' गिलगालके लेल निकलि पड़ल।8यहोवा यहोशूस' कहलथिन, “ओकारा सबस' नहि डेराउ, हम ओकरासबके अहाँके हाथमे द' देने छी। ओकारासबमेस' केकरो अहाँके आगु ठाढ़ होबएके सामर्थ्य नहि अछि।”9यहोशू रतारात गिलगालस' जा' क' अचानक ओकरासबपर आक्रमण बोली देलकनि।10यहोवा ओकारा सबहक' इजराएली सबहक' आगु भ्रमित क' देलनि, आ ओसब गिबोन लगमे बढ़का नरसंहार कएलक, बेथोरोनके चढाइबला बाटमे ओकारा सबहक' खेहटा करैत अजेका आ मक्केदा धरि मारैत गेल।11जखन ओसब इजराएली सबहक' आगुस' बेथोरोनस' ल' क' अजेकाके ढुल्काइबला बाटमे भगैत गेल, ओत' धरि यहोवा आकाशस' पैघ-पैघ ओला पत्थल ओकरासबपर बरिसओलक। ओला पत्थलस' मर' बलाके गनती इजराएली सबहक तलबारस' मर' बलास' बेसी छल।12जखन यहोवा एमोरीसबके इजराएली सबहक' हाथमे सोंपि देने छलथिन, ओहि दिनमे यहोशू इजराएली सबहक आगु यहोवास' कहलनि, “हे सूर्य अहाँ गिबोनमे, आ हे चन्द्रमा अहाँ अय्यालोन उपत्यकाके उपर आकाशमे ठहरल रहू।” 13सूर्य ठहरि गेलनि, आ चन्द्रमा ओहि समय धरि ठहरल जा' धरि ओहि जातिके आदमीसब अपन दुश्मनस' बदला नहि लेलक। की ई बात याशारक' किताबमे नहि लिखल अछि? सूर्य मध्य आकाशमे ठहरि गेल। आ पुरे दिनधरिमे डुबबाक लेल हड़बड नहि कएलक। 14एहिस' पहिने वा बादमे एहन दिन कहियो नहि भेल जखन यहोवा आदमीक' पुकार सुनलथिन। आ यहोवा इजराएलीके लेल युद्ध कएलथि।15तब यहोशू आ हुनकासंग सारा इजराएली गिलगालमे शिविरमे घुरि अएलनि।16ओ पांचो राजा भागिक' मक्केदाके गुफामे अपने-आपके नुका लेने छल।17यहोशू लग समाचार पहुंचल जे, “पांचो राजा मक्केदाके गुफामे नुकाएल भेटल अछि!”18यहोशू कहलनि, “गुफाक' मुंहपर पैघ-पैघ पत्थल गुडकाक' राखि दिऔ आ ओकरासबपर नजरि राखिलेल आदमीसबके नियुक्त क' क' लगा दिऔ।19अहाँसब ओतहि प्रतीक्षा नहि करु। अपन दुश्मनके खेहटा करु आ ओकरासबपर पछाडी स' आक्रमण करु। ओकरासबके ओकर अपन शहरमे पैसए नहि दिअ, किएकत' यहोवा अहाँसबहक परमेश्वर ओकरासबके अहाँसबहक हाथमे द' देने छथि।”20यहोशू आओर इजराएलीसब ओकरासबहक' पुरापुरी संहार क' देलनि, आ जे बांचल आदमीसब छल, ओसब बड़का देवाल स' घेरल सहरसबमे घुसि गेल।21तब मक्केदाके शिविरमे यहोशू लग सब आदमी सकुशल घुरि आएल। इजराएली सबहक विरुद्ध केकरो आवाज नहि निकलल।22यहोशू कहलनि, “गुफाक' मुंह खोलिक' ओहि पांचो राजाके गुफास' बाहर हमरालग ल' क' आउ।”23ओसब एहिना कएलक, गुफामे स' एहि पांचटा राजाके हुनका लगमे अनलनि, जाहिमे यरुशलेम, हेब्रोन, यर्मूत, लाकीश आ एग्लोनक' राजा छल।24ओसब ओहि पांचो राजाके यहोशू लग अनलनि तब यहोशू इजराएलीसबके बजाक' ओकारा सबहक संग गेल युद्धके सेनापतिसबके कहलनि, “एत' आउ। एहि राजा सबहक गरदनिपर अपन अपन पयर राखू।” तएं ओसब लगमे आबिक' गरदनिपर पयर राखि देलक।25तब यहोशू ओकरासबके कहलनि, “अहाँसब नहि डेराउ। हतोत्साहित नहि होउ आ साहसी क' बलवान बनू, किएकत' अहाँसबहक' शत्रुसबहक संग जे सब अहाँसबस' लड़ए आएत, ओकारा सबहक यहोवा एहने करताह।”26तेकरबाद यहोशू ओकरासबके मारिक' ओकरासबहक लाश पांचटा गाछपर लटका देलक आ सांझ धरि ओकारा सबहक लाश गाछपर लटकल रहल।27सूर्यास्त लागल समय यहोशू आदेश देलनि आ ओसब ओहि राजा सबहक' लाश गाछस' उतारिक' ओसब नुकाएल गुफामे फेक देलक। गुफाक मुंहपर पैघ-पैघ पत्थल राखि देलक, जे आइधरि ओतहि ओहने राखल अछि।28ओहि दिन यहोशू मक्केदा पर कब्जा कएलक आ ओकर राजा सहित ओत' के बासिन्दासबके तलबारस' मारि देलक। ओ केकरो जीवित नहि छोड़लनि, आ ओ मक्केदाक' राजाक' संग ओहिना कएलनि जेना यरीहोक' राजाक' संग कएने छलाह।29ओहिके' बाद यहोशू आ हुनकासंग सारा इजराएली मक्केदा स' लिब्ना दिस आगु बढ़लाह आ लिब्नामे आक्रमण कएलनि।30यहोवा ओत' के राजा आ ओहि शहरमे रहनिहार बासिन्दासबके इजराएलीके हाथमे द' देलकनि आ ओसब ओहिसबके तलबारस' मारि देलक। ओसब केकरो जीवित नहि छोड़लक, आ ओत' के राजाक संग ओहिना कएलनि जेना यरीहोक' राजाक संग कएने छल।31तब यहोशू आ हुनकासंग सारा इजराएल लिब्नास' लाकीश गेलाह आ ओसब चारुकात' स' घेरिक' आक्रमण कएलनि।32यहोवा लाकीशके इजराएली सबहक हाथमे द' देलनि, आ दोसर दिन ओहिपर चढाइ क' देलनि आ लिब्नामे रहएबलासबके तलबारस' मारि देलक।33तब गेजेरक' राजा होराम लाकीशक' सहायता करए लेल आएल। यहोशू ओकरा आ ओत रहनिहार बासिन्दासबके केकरो बांकी नहि राखि मारि देलक।34यहोशू आ सारा इजराएलीसब लाकीश स' एग्लोन गेलनि। ओसब चारुकातस' घेरिके आक्रमण क' देलनि।35ओसब ओहि दिन सहर कब्जा क' क' ओतएके बासिन्दासबके तलबारस' मारि देलक। लाकीशक' जकां ओहू जगह पूरे पुरी नाश क' देलक।36ओहिके बाद यहोशू आ सारा इजराएलीसब एग्लोन स' हेब्रोन गेलनि आ आक्रमण क' देलनि।37ओसब चारुकातस' घेरिके ओकरासबके तलबारस' मारि देलक, ओकर राजा आ शहरमे रहनिहारसब आदमीके मारि देलक। ओसब हेब्रोनके सेहो एग्लोनके जकां कएलनि। सब किछु नाश क' देलक।38तब यहोशू आ सारा इजराएलीसब घुरिक' दबीर गेलनि आ ओत' आक्रमण कएलनि।39ओसब ओकरा आ ओकर राजा सहित शहरके चारुकातस' घेरिके तलबारस' मारि देलक आ ओत' के बासिन्दासबके पूर्णरुपस' नाश क' देलक। केकरो नहि छोड़लक। जहिना ओ हेब्रोन आ लिब्नाके राजाक संग कएने छल ओहिना दबीरके संग कएलनि।40एहि तरहे यहोशू सारा देश, पहाड़ी देश, नेगेव, तराई आ चढाइ परके देश उपर विजय कएलनि। ओकारा सबहक राजासबमे स' केओ नहि बांचल, मुदा जीवित केओ नहि जीवित रहल, ओहिना जेना यहोवा इजराएली सबहक परमेश्वर आज्ञा देने नाश क' देलक।41यहोशू ओकरासबके कादेशबर्नेस' गाजा धरि, आ सारा गोशेन स' ल' क' गिबोन धरि सबके मारि देलक।42एकहि बेरमे यहोशू एहिसब राजा आ ओकरा भूमिसब पर कब्जा क' लेलनि, किएकत' यहोवा इजराएली सबहक परमेश्वर इजराएली सबहक लेल युद्ध कएलनि।43तब यहोशू सारा इजराएलसंग गिलगालके शिविरमे घुरि अएलनि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67