Genesis17
1 जखन अब्राम निनान्बे वर्षके भेलथि तखन यहोवा फेरु अब्राम लग प्रगट भ' कहलनि, “हम सर्वशक्तिमान परमेश्वर छी। हम चाहैत छी जे अहाँ अपन जीवन ओहि तरहे जीबि जेना हम चाहैत छी। हम चाहैत छी जे अहाँ कोनो अधलाह काज नहि करु।2हम अपनासबके बीच भेल अपन करारके पूरा करब, आ अहाँके वंशजके बहुते बढ़ा देब।”3 अब्राम अपन माथ जमीन भरे निहुराक' प्रणाम कएलनि। तखन परमेश्वर हुनका कहलनि,4 “ई बात सुनू! ई करार हम अहाँसंगे क' रहल छी जे अहाँ कतेको जाति समूहक पिता बनब।5 आब अहाँक नाम अब्राम नहि, बल्कि अहाँक नाम अब्राहम होएत, कारण हम अहाँके बहुते जाति समूहक पिता बना देब।6हम अहाँस' बहुत वंशके उत्पन्न करब, आ ओहिमेस किछु देश आ राजासबके सेहो बना देब।7हम ई करार हम आ अहाँके बीच आ अहाँक बादक वंशजक पिढ़ी सबके बीच सदा-सर्वदा लेल बना लेब। एहि करारके कारणे अहाँ हमरा परमेश्वरके रुपमे आराधना आ पालन करब, आ अहाँक वंशजो।8हम अहाँ आ अहाँक वंशजके पूरा कनान देश द' देब, जत अहाँ एखन रहैत छी। ई ओकरासबके लेल अनन्त सम्पत्ति होएत, आ हम ओकरासबके परमेश्वर बनब।”9तखन परमेश्वर अब्राहमके कहलनि, “हम जे करार अहाँसंगे क' रहल छी, ताहिमे अहाँके अपन हिस्साके पालन करबाक अछि, आ अहाँक वंशजके सेहो एकर पालन करबाक अछि, सब पिढ़ी धरि।10हम जे करार हम अपना आ अहाँक वंशजक बीचक' रहल छी ताहिमे ई एकटा शर्त अछि जे अहाँसबमेस' प्रत्येक पुरुषक खतना करबाक अछि।11हुनकासबके खतना क' देब ई संकेत होएत जे अहाँसब ओहि करारके स्वीकार क' लेने छी जे हम अहाँसबके संग क' रहल छी।12अहाँसब प्रत्येक जन्मल बेटाके खतना आठ दिनक उमेरमे, आगामी सब पीढ़िमे करबाक चाही। पीढ़ि-दर पिढ़ी, मात्र अहाँक वंशज नहि, बल्कि अहाँक घरमे जन्मल वा परदेशीके पाइ द' क' कीनल गेल सबहक बेटासबके सेहो।13ओकर माय-बाबू अहाँक घरक सदस्य छथि वा जे दास अहाँ दाम द' क' किनने छी, एहिस' कोनो फरक नहि पड़ैत अछि। सबहक खतना होएबाक चाही। अहाँक शरीरमे ई निशान रहत जे अहाँसब एहि अनन्त करारके स्वीकार क' लेने छी जे हम क' रहल छी।14 जाहि पुरुषके खतना नहि भेल अछि ओकरा अहाँ अपन समाज स' भगा दिऔ, किएक त' ओ व्यक्ति हमर करारक आज्ञा नहि मानलक।”15 परमेश्वर अब्राहमके इहो कहलनि, “अहाँक पत्नी सारैके आब सारै नहि कहब। हम ओकर नाम सेहो बदलि देब। आब ओकर नाम सारा होएत।16हम ओकरा आशीष देबनि, आ ओ अहाँक लेल बेटाके जन्म अवश्य देतीह। आ हम हुनका एतेक आशीष देबनि जे ओ कतेको लोकक समूहके पूर्वज बनतीह। राजा आ लोकक समूहके वंशज हुनकास' होएत।”17अब्राहम परमेश्वरके समक्ष आदर करबाक लेल अपन माथ जमीन भरे राखि देलनि। मुदा फेरु हंसैत मनेमन बजलाह, “सए वर्ष आदमी बेटाके बाप बनि सकैत अछि? आ जखन सारा सेहो नब्बे वर्ष अछि, तखन ओ कोना बच्चा जन्मा सकैत अछि?”18तखन अब्राहम परमेश्वरके कहलनि, “शायद अहाँ इश्माएलके अपन आशीष ग्रहण कर' देब आ हमरासबके सम्पत्तिक उत्तराधिकारी बनाएब।”19 तखन परमेश्वर उत्तर देलथिन, “नहि! अहाँक पत्नी सारा अहाँके लेल एकटा बेटा जनमौतीह। अहाँ ओकर नाम इसहाक राखब। हम हुनकासंग अपन करार स्थापित करब, जे ओकरा आ ओकर वंशजसबके संग अनन्त करार होएत।20इश्माएलक बात त' हम सुनने छी जे अहाँ हमरा हुनकालेल जे करबाक लेल कहलहुं। हम ओकरा सेहो आशीष देबनि जाहिस' हुनका सेहो बहुत रास वंशज होएतनि। ओकर वंशजमे बारह जातिक अगुवा सेहो रहत। आ हम ओकर वंशजके एकटा विशाल लोकक समूह बना देब।21मुदा हम इसहाकके संग अपन करार स्थापित करब — इसहाक, ओ बेटा जेकरा सारा अगिला साल एहि समयमे जन्म देतीह।”22 जखन परमेश्वर अब्राहमस' बातचित समाप्त कएलनि त' परमेश्वर हुनकर आगुस' बिला गेलथि।23ओहि दिन अब्राहम, अपन बेटा इश्माएल आ अपन घरक सब पुरुषके ल' क' खतना कएलनि। जाहिमे ओसब दाससबके बेटा सेहो छल जे ओ दाम द' क' किनने छलाह आ ओकर खतना कएलनि। ओ ओकरासबके खतना कएलनि, ठीक ओहिना जेना परमेश्वर हुनका कहने छलाह।24अब्राहम जखन खतना करौलनि तहिया निनान्बे वर्षके छलाह।25जखन इश्माएल तेरह वर्षके छल त' अब्राहम ओकर खतना कएलनि।26ओहि दिन अब्राहम आ हुनकर बेटा इश्माएलके खतना भेलै।27हुनकर घरक सब पुरुष, जे ओत' जनमल छल आ जे अब्राहम परदेशी सबस' दाम द' क' किनने छल, ओकरासबके सेहो खतना भेल।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.