Genesis16
1 एखन धरि अब्रामक पत्नी सारै अब्रामकलेल कोनो सन्तान नहि जनमौने छलीह। मुदा हुनका मिस्र देशके एकटा दासी छलनि, जेकर नाम हागार छलनि।2 सारै अब्रामके कहलीह, “हमर बात सुनू! यहोवा हमरा गर्भवती होबएमे सक्षम नहि बनौने छथि। तएं हमर दासी हगार ल' जाउ। शायद ओ धियापुता जन्मा दैक जेकरा हम अपन बुझि सकब।” अब्राम सारैके कहल करएलेल तैयार भ' गेल।3ई बात अब्राम आ सारै कनान देशमे रहबाक दस वर्षके बाद भेल। एहि तरहे अब्राम सारैके मिस्री दासी हागारके अपन दोसर पत्नी बना लेलनि।4ओ हागारक संग सुतलाह आ ओ गर्भवती भ' गेलीह। जखन हुनका बुझाएल जे ओ गर्भवती छथि तखन ओ अपन मलिकानि सारैके अपमान करए लगलीह।5 तखन सारै अब्रामके कहलनि, “दोष अहींक अछि! हम अपन नोकरनीके अहाँक कोरामे राखि देलिऐ जाहिस' अहाँ ओकरासंगे सुति सकी। आब ओ गर्भवती भ' गेलीह, आ हमरा अपमान करैत छथि, कारण हमरा सन्तान नहि अछि। हमरासंग एहन काज करबाक लेल यहोवा अहींके दोषी मानथि!”6अब्राम सारैके कहलनि, “हमर बात सुनू! ओ अहाँक नोकरनी अछि, तएं ओकरासंगे जेना अहाँके नीक बुझाइ तहिना करु।” तखन सारै ओकरासंगे दुर्व्यवहार करए लगलीह, तएं हागार भागि गेलीह।7 यहोवाक स्वर्गदूत हुनकालग गेलाह जखन ओ मरुभूमिमे पानिक भवरी लग छलीह। ओ भवरी छल जे शूर जाएबला सड़कके कातमे रहए।8ओ हुनका पुछलथि, “सारैक दासी हागार, अहाँ कतस' आएल छी आ कत' जा रहल छी?” ओ उत्तर देलीह, “हम अपन मलिकानि सारै लगस' भागिक' आएल छी।”9यहोवाक स्वर्गदूत कहलनि, “अपन मलिकानि लग जाउ आ हुनकर आज्ञा मानैत रहू।”10यहोवाक स्वर्गदूत इहो हुनका कहलनि, “हम अहाँके एतेक वंशके उत्पन्न करएमे सक्षम बनादेब जे केओ ओकरासबके गनि नहि सकत!”11 यहोवाक स्वर्गदूत हुनका कहलनि, “देखू, अहाँ गर्भवती छी आ एकटा बेटाके जन्म देबै। अहाँ ओकर नाम इश्माएल राखि देबनि। कारण परमेश्वर अहाँके दुख सुनने छथि।12 मुदा अहाँक बेटा जंगली गदहा जकां बेकाबू भ' जाएत। ओ सबके विरोध करत, आ लोकसब ओकर विरोध करत। ओ अपन सबटा परिजनस' दूर रहत।”13 हागार मनेमन बजलीह, “यहोवा हमरा देखलेने छथि तइयो हम जीविते छी!” तएं ओ यहोवाके ई नाम देलीह, “परमेश्वर, जे हमरा देखैत छथि।”14 एहिलेल लोकसब ओतक इनारके “बएर-लहई-रोई” कहैत अछि, जेकर अर्थ अछि, “हमरा देखनिहार जीवित लोकके इनार!” एखनो ओतहि अछि, कादेश आ बेरेदके बीचमे।15 बादमे हागार अब्रामके लेल एकटा बेटाके जन्म देलीह आ ओ ओकर नाम इश्माएल रखलनि।16अब्राम छियासी वर्षके छलाह जखन हागार अब्रामक बेटा इश्माएलके जन्म देलीह।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.