Genesis18
1 ओहि सालमे एकदिन, जहिया गर्मी रहए, तखन यहोवा अब्राहमके फेरुस' ओहि मम्रेके बड़का झमटगर गाछीसबके लगमे प्रगट भेलथि। अब्राहम अपन डेराक प्रवेशद्वारपर बैसल छलनि।2अब्राहम आंखि उठाक' देखक आश्चर्यचकित भ' गेलाह जे हुनकालग तीन आदमी ठाढ़ छलनि। हुनकासबके देखक' हुनकासबस' भेट करबाक लेल दौड़लनि। ओ सम्मानमे माथ जमीनपर राखि दण्डवत कएलनि।3ओ हुनकासबमेस' एकगोटेके कहलनि, “प्रभु, जं अहाँ हमरास' प्रसन्न छी त' किछुकाल एतहि रहू।4 हमर नोकरसबके कनि पानि आनिक' पयर धोअ दिऔ आ फेरु एहि गाछक नीचा आराम करु।5किएक त' अहाँ हमरालग एत' आएल छी, तएं हमरा अहाँक लेल किछु भोजन लएबाक अनुमति दिअ जाहिस' अहाँके जाएस' पहिने किछु बल पाबि सकब।” ओ पुरुषसब उत्तर देलथिन, “ठीक अछि, जहिना अहाँ कहलहुं तहिना करु।”6 तखन अब्राहम हड़बड़ाक' डेरामे जाक' साराके कहलनि, “जल्दी, मेही अंटा बीस किलो ल' लिअ आ किछु रोटी बनाउ!”7तखन अब्राहम दौड़ल पशुक हेंड़मे गेलाह आ एकटा एहन बच्छा चुनलनि जेकर माउस मोलायम आ स्वादिष्ट होइक। अपन एकटा नोकरके द' देलक, जे धड़फड़ा क' मारिक' रिन्हलक।8बच्छाके माउस रिन्हला पर अब्राहम किछु दही, दूध आ जे माउस सेवक बनौने छल, ओकरा अनलनि। हुनकासबके आगु राखि देलनि। तखन ओसब भोजन करैत काल एकटा गाछके नीचा अब्राहम हुनकासबके लगमे ठाढ़ भ' गेल।9भोजनक बाद ओसब हुनकास' पुछलथि, “अहाँक पत्नी सारा कत' छथि?” ओ उत्तर देलथिन, “ओ पालमे छथि।”10 तखन समूहक अगुवा कहलनि, “अगिला साल बसंत ऋतुमे हम अहाँ लग घुरब आ सुनू, अहाँक पत्नी साराके एकटा बेटा होएत।” एहन भेलै जे सारा डेराक प्रवेशद्वारपर सुनैत छलीह, जे ओहि आदमीक पाछु छल जे बाजि रहल छल।11अब्राहम आ सारा बहुत बूढ़ भ' गेल छलाह आ सारा सन्तानक जन्म देबाक समय बित गेल छल।12तखन सारा मनेमन हंसैत सोंचैत बजलीह, “हम बूढ़ भ' गेल छी आ हमर मालिको बूढ़ भ' गेल अछि। तखन हमरा बच्चाक सुख कोना भेटत?”13 यहोवा अब्राहमके कहलनि, “सारा किएक हंसलीह? ओ किएक सोंचि रहल छथि जे ‘हम बहुत बूढ़ छी, तखन बच्चा कोना होएत?’14हम यहोवाके लेल किछु कठिन अछि? हम अगिला साल बसंत ऋतुमे लगभग एहि समयमे घुरिक आएब, जे समय हम तएं कएने छी, आ साराके एकटा बालक होएत।”15 तखन सारा डेरा गेलीह, तएं ओ झूठ बाजिक' कहलनि, “हम कहां हंसलहुं?” मुदा यहोवा कहलनि, “एकरा अस्विकारु नहि! अहाँ हंसलहुं अवश्य।”16 तीनू आदमी जखन विदा होबएलेल उठलाह तखन ओसब नीचा घाटीमे सदोम नगर दिस तकलनि। अब्राहम हुनकासबस' “विदाह” कहबाकलेल हुनकासबके संग चलैत गेलाह।17यहोवा मनेमन कहलनि, “हमरालेल ई उचित नहि अछि जे हम अब्राहमके ई जानि सकब जे हम की करबाक योजना बना रहल छी।18 अब्राहमके वंशज एकटा नमहर आ शक्तिशाली लोकक समूह बनत। आ हम हुनकालेल जे किछु करैत छी ताहिके लेल सबलोक समूहके लोक धन्य होएताह।19हम हुनका एहिलेल चुनने छी जे ओ अपन सन्तान आ हुनकर परिवारके यहोवाके मार्ग एहिलेल निर्देशित करथि जे ओसब हमर आज्ञा मानथि आ उचित काज करथि, जाहिस' हम अब्राहमके लेल ओ काज करब जे हम हुनकालेल करबाक प्रतिज्ञा कएने छी।”20तखन यहोवा अब्राहमके कहलनि, “हम सुनलहुं जे किछु लोक सदोम आ गमोराक लोकक विषयमे भयावह बात कहैत अछि। ओकरासबके पाप बहुत घोर अछि।21 तएं हम एखन नीचा उतरब आ देखब जे हम जे सब भयावह बात सुनलहुं से सत्य अछि वा नहि।”22तखन दोसर दुनू आदमी घुमिक' सदोम दिस बढ़ए लगलाह। मुदा अब्राहम यहोवाक सामने ठाढ़ रहलाह।23 अब्राहम हुनकालग आबिक' कहलनि, “की अहाँ ठीके एहन लोकसबके नाश क' देब जे दुष्टसबके संग कोनो गलत काज नहि कएने होथि?24जं शहरमे पचास गोटे एहन होएत जे कोनो गलत नहि कएने होथि त' अहाँ की करब? की अहाँ ठीके सबके नाश क' देब, आ ओहि पचास धर्मी लोकक लेल ओहि स्थानके नहि बकसि देबै जे कोनो गलत काज नहि कएने छथि?25अहाँ एहन काज नहि करब जे नीक लोकसबके संग दुष्ट लोकसबके सेहो मारि देब आ नीक लोकसब आ दुष्ट लोकसबके संग एके व्यवहार करब। अहाँसे नहि क' सकलहुं, किएक त' अहाँ जे पृथ्वीपर सबके न्यायाधीश छी, सदोमक लोकसबके सम्बन्धमे उचित काज करब!”26यहोवा उत्तर देलथिन, “जं हमरा सदोम शहरमे पचास लोक भेटिजाए जे कोनो दुष्ट नहि कएने होथि त' हम हुनकासबके लेल पूरा जगह बकसि देब।”27अब्राहम उत्तर देलथिन, “हे हमर प्रभु, हमरा एहि तरहे बात करबाक साहस नहि करबाक चाही, किएक त' हम गरदा आ छाउर जकां बेकार छी।28मुदा जं मात्र पैंतालीस लोक अछि जे कोनो दुष्ट नहि कएने होथि त' अहाँ की करब? की अहाँ पूरा शहरमे सबके नाश क' देब, कारण पैंतालीसटा नीक लोक अछि आ पचासटा नीक लोक नहि?” यहोवा उत्तर देलथिन, “हम ओकरा नाश नहि करब जं हम पाबि जाएब जे पैंतालीस नीक लोक अछि।”29अब्राहम हुनकास' एहि तरहे बजैत रहलाह, “जं अहाँ देखब जे ओत' चालीसटा नीक लोक अछि त' अहाँ की करब?” यहोवा उत्तर देलथिन, “हम चालीस गोटेकेलेल सबके नाश नहि करब।”30अब्राहम कहलनि, “कृपया आब क्रोध नहि करु। प्रभु, हम फेरु बजैत छी। जं मात्र तीसटा नीक लोक रहत त' की करब?” ओ उत्तर देलथिन, “हम नहि करब जं देखब जे ओतए तीस गोटे छथि।”31अब्राहम कहलनि, “हे हमर प्रभु, हमरा एहि तरहे बातचित करबाक लेल साहस नहि करबाक चाही। मुदा जं देखब जे ओतए बीसटा नीक लोक अछि त' की करब?” ओ उत्तर देलथिन, “हम ओहि बीस गोटेकेलेल पूरा शहरके नाश नहि करब।”32अन्तमे अब्राहम कहलनि, “हे हमर प्रभु, आब क्रोध नहि करु। मात्र एक बेर आओर हम बाजब। जं देखब जे ओतए मात्र दसटा नीक लोक अछि त' की करब?” यहोवा उत्तर देलथिन, “हम ओहि दस गोटेकेलेल नगरके नाश नहि करब।”33 अब्राहम आब नहि कहलनि। जहिना यहोवा अब्राहमस' बातचित समाप्त कएलनि तखन ओ चलि गेलाह आ अब्राहम घर चलि गेलाह।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.