Numbers35
1यरीहोमे यरदन नदीक कात जरिहो सहर लग मोआबक मैदानमे यहोवा मूसास' कहलथिन,2“इजराएलीसबके आज्ञा दिऔ जे ओ अपन किछु हिस्सा लेवीसबके द' दिऔ। ओकरासबके रहएलेल सहर आ ओहि सहर सबहक चारुकातक ओलार क' जमीन द' दिऔ।3लेवी सबहक रहबाक लेल ई सहरसब रहत। ओलार ओकरासबहक मालजाल, ओकर भेंड़ बकरी आ ओकरासब जानबरक लेल होएत।4सहरक चारुकात जे ओलार जे अहाँसब लेवीसबके देब, से सहरक देवालस' एक हजार हाथ धरि सब दिशामे पसरल होएत। 5सहरक बाहरस' पूर्व दिस दू हजार हाथ आ दक्षिण दिस दू हजार हाथ, पश्चिम दिस दू हजार हाथ आ उत्तर दिस दू हजार हाथ नापि लेब। ई ओकारा सबहक सहरक लेल ओलार होएत। सहरसब बीचमे रहत।6अहाँ जे सहर लेवीसबके देब ताहिमेस' छह टा सहर शरणक नगरक रुपमे रहत। अहाँसबके ईसब एहन जगहके रुपमे उपलब्ध कराबए पड़त जत' केकरो मारएवाला व्यक्ति भागि सकए। संगहि बियालीस टा आओर सहर सेहो दिऔ। 7अहाँसब जे सहर लेवीसबके देब से जमा अड़तालीसटा होएत। अहाँ ओकारा सबहक ओलार सेहो हुनकासबहक संग अवश्य देबनि।8इजराएलीके बड़का कुल, जे कुलके लग अधिक जमीन छै, ओकरा अधिक सहर दिऔ। छोटका कुलके कम सहर दिऔ। प्रत्येक कुलके लेवी सबहक भरण-पोषण ओहि भागके अनुसार होएबाक चाही।”9तखन यहोवा मूसाके आओर कहलथिन,10“इजराएलीसबस' इहो कहू जे, ‘जखन अहाँसब यरदन नदीपार क' क' कनान देशमे आबि जाएब,11तखन अहाँसबके सहर चुनू।’ अहाँसबहक लेल शरण सहरक रुपमे रहत, एहन स्थान जत' अनजानमे केकरो मारि देने व्यक्ति भागि सकैत अछि।12ई नगरसब अहाँसबहक बदला लेनिहारस' शरण लेबएबला जगह रहत, जाहिस' आरोपित आदमीके समुदायके समक्ष न्यायस' पहिने नहि मारल जाए।13अहाँसबके छह टा नगरक शरणस्थलीक रुपमे रहए।14अहाँसबके यरदन नदीक पूर्व दिस ओहिपार तीनटा सहर आ कनान देशमे तीनटा सहरक अलग करबाक चाही। ओसब शरणक नगर होएत।15इजराएली सबहक लेल, परदेशी सबहक लेल, अहाँसबहक बीच रहनिहारसब लेल, ई छह सहर एकटा शरणक नगर होएत, जाहिमे जे केओ अनजानेमे केकरो मारि देत, ओ भागिक' ओत जा' सकए।16मुदा जं कोनो आरोपी केकरो लोहाके औजारस' मारलक आ ओ मरि गेल त' ओ आरोपी सांच्चे हत्यारा अछि। ओकारा मृत्यु अवश्य होएबाक चाही।17जं कोनो आरोपी केकरो पत्थलस' मारलक, आ जं ओ मरि गेल त' ओ आरोपी सांच्चे हत्यारा अछि। ओकारा मृत्यु अवश्य होएबाक चाही।18जं कोनो आरोपी केकरो लकड़ीक हथियारस' मारलक जाहिस' पीड़ितके मारल जा सकैत अछि, आ जं पीड़ितक मृत्यु भ' गेल त' ओ आरोपी सांच्चे हत्यारा अछि। ओकारा मृत्यु अवश्य होएबाक चाही।19खूनक बदला लेनिहारके हत्याराके मारि देबाक चाही। जखन ओकरास' भेट होइत अछि त' खूनक बदला लेबएबला ओकरा मारए पड़त।20जं ओ दोसरके घृणा करैत अछि वा ओकरापर किछु फेकैत अछि, जखन की ओकरापर घात लगाबए लेल नुकाएल रहैत अछि, जाहिस' पीड़ितक मृत्यु भ' जाइत अछि,21वा जं ओ घृणामे ओकरा हाथस' मारि दैत अछि जाहिस पीड़ितक मृत्यु भ' जाइत अछि, तखन आरोपी जे ओकरा मारलकै, ओकरा अवश्य मारल जाए। ओ हत्यारा अछि। लेहूके बदला लेबए बाला हत्याराके भेट भेलापर हत्या क' सकैत अछि।22मुदा जं कोनो आरोपी बिना कोनो घृणा कएने अचानक केकरो मारि दैत अछि वा कोनो एहन चीज फेकैत अछि आ ओ मरि जाइत अछि23वा बिना दुश्मनी वा कोनो क्षति नहि पहुंचाबएके उदेश्यस' पत्थलस' मरैत अछि आ ओ जेना-तेना मरि जाइतअछि त ई की करबाक चाही।24ओहि स्थितिमे समुदायके एहि नियमक आधार पर आरोपी आ खूनक बदला लेनिहारक बीच न्याय करबाक चाही। 25समुदायके अपराधीके खूनक बदला लेबए बलास' बचाबए पड़त। समुदायके आरोपीके ओहि शरणके शहरमे फेरुस' पठा दिअ पड़त जत' ओ मूल रुपस' भागि गेल छल। पवित्र तेलस' अभिषेक कएल गेल वर्तमानक प्रधान पुजारीक मृत्यु धरि ओतहि रहए पड़त।26मुदा जं आरोपी कोनो समय ओहि शरण नगरक सीमास' बाहर जाइत अछि जाहिमे ओ भागि गेल छल,27आ जं खूनक बदला लेनिहार ओकरा अपन शरण नगरक सीमास' बाहर भेट जाइत अछि आ जं ओ ओकरा मारि दैत अछि त' ओकारा मारएबाला हत्याके दोषी नहि होएत।28एकर कारण अछि जे आरोपीके प्रधान पुजारीक मृत्यु धरि अपन शरण नगरमे रहबाक छल। प्रधान पुजारीक मृत्युके बाद आरोपी ओहि भूमिपर वापस आबि सकैत अछि जत' ओकर अपन अधिकार अछि।29ईसब कानून अहाँसबहक लेल विधान बनत, अहाँसबहक समस्त पीढ़िमे अहाँसब जत' रहैत छी।30जे केओ केकरो मारैत अछि, ओहि हत्याराके गवाहिके द्वारा देल गेल प्रमाणक आधार पर मात्रे मारल जाए। मुदा एकटा गवाहके गवाही मात्रस' कोनो व्यक्ति मारल नहि जाए। 31संगहि, अहाँसब हत्या क दोषी हत्याराक जीवनक लेल मोल नहि स्वीकार करु। ओकरा मृत्यु अवश्य होएबाक चाही।32जे शरणके नगरमे भागि गेल अछि, ओकरालेल अहाँसब मोल स्वीकार नहि करु। जाधरि प्रधान पुजारीके मृत्यु नहि भ' जाएत ताधरि ओकरा अपन जगहमे नहि रहए देब।33जाहि देशमे अहाँसब रहैत छी, ओहि देशके एहि विधि अनुसार अशुद्ध नहि करु, किएकत' हत्या क लेहू देशके दुषित करैत अछि। जखन ओहि भूमिपर लेहू बहओने अछि तखन लेहू बहाबए बलाके लेहू बाहेक कोनो प्रायश्चित नहि कएल जा सकैत अछि। 34तएं अहाँसब ओहि देशके अशुद्ध नहि करु जाहिमे अहाँसब रहैत छी, किएकत' हमहूं ओतहि रहैत छी। हम, यहोवा, इजराएलक लोकक बीच रहैत छी।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.