Numbers34
1यहोवा मूसाके आओर आगु कहलथिन,2“इजराएलीसबके आज्ञा दिऔ आ ओकरासबके कहियौ जे, ‘जखन अहाँसब कनान देशमे प्रवेश करब, जे देश अहाँसबहक अधिकारमे होएत, कनान देश आ ओकर सीमाना एहि तरहे रहत,3अहाँसबहक दक्षिणी सीमाना एदोम देशके सीनक उजाड स्थानस' विस्तारित होएत। दक्षिणी सीमानके पूर्वी छोर एकटा एहन रेखा पर होएत जे नुनगरहा सागरके दक्षिणी छोर पर समाप्त होएत।4अहाँसबहक सीमाना अक्रब्बीम पहाड़स' दक्षिण दिस घुमिक' सीनक उजाड स्थानमेस' जाएत। ओत' स' ई कादेशबर्नेस' दक्षिणमे जाएत आ हसरद्दार आ आगु अस्मोन धरि जाएत।5ओत' स' सीमाना अस्मोनस' मिस्रके खोल्सा दिस घुमि जाएत आ ओकर पाछु समुद्र धरि होएत।6पश्चिमी सीमाना महासागरक तट होएत। ई अहाँसबहक पश्चिमी सीमाना होएत।7अहाँसबहक उत्तरी सीमाना एकटा रेखाक संग विस्तारित होएत जे अहाँसबके महासागरस' होर पहाड धरि रहत,8फेरु होर पहाड़स' लेबो-हमात धरि, फेरु सदाद धरि चिन्हित सिमाना राखब।9तखन सीमाना जिप्रोन धरि आ हसरेनानमे समाप्त होएत। ई अहाँसबहक उत्तरी सीमाना होएत।10तखन अहाँसब अपन पूर्वी सीमाना हसरेनानस' दक्षिण शपाम धरि निश्चित करब।11तखन पुरुबके सीमाना शपाम स' नीचा ऐनक पूर्व कात रिबला धरि जाएत। सीमाना किन्नेरेत सागरके पूर्वी भागके साथ जारी रहत।12तखन सीमा यरदन नदीक कातमे दक्षिण दिस बढ़ैत नुनगरहा सागर धरि आ नुनगरहा सागरक पूर्वी सीमास' नीचा। चारुकात अपन सीमाक पालन करैत ई अहाँक देश होएत।’”13तखन मूसा इजराएलीसबके आज्ञा देलनि आ कहलथिन, “ई ओ देश अछि जे अहाँसबके चिट्ठामे मिलत, जे यहोवा साढ़े नऔ गो कुलके देबाक आज्ञा देने छथि।14रूबेनी आ गादके वंशजके कुल अपन पूर्वजक कुलके हिस्सा देबाक बाद आ गादक वंशजक कुल अपन पूर्वजक कुलके हिस्सा देबाक बाद आ मनश्शेक आधा कुलके अपन हिस्सा भेटि गेल अछि।15अढाइ कुल यरदन नदीक ओहिपार यरीहो नगरके पूर्व दिस, अपन हिस्साके जमीन पाबि गेल अछि।”16यहोवा मूसाके आओर आगु कहलथिन,17“अहाँ इजराएली लोकसबके उत्तराधिकारक लेल देश बंटनिहार सबहक नाम ई अछि: पुजारी एलीआजर आ नूनक पुत्र यहोशू।18अहाँसबके प्रत्येक कुलमेस' एक-एकटा नायक चुनबाक आवश्यक अछि जे ओकर कुल लेल जमीन बांटि सकए।19ई अगुवासबके नाम अछि, यहूदाक कुलस' यपुन्नेक पुत्र कालेब।20शिमोनक कुलस' अम्मीहूदके पुत्र शमूएल।21बिन्यामीन कुलस' किसलोनक पुत्र एलीदाद।22दानके कुलके सरदार, योग्लीक पुत्र बुक्की।23यूसुफके वंशजमेस', मनश्शेक कुलके अगुवा एपोदक पुत्र हन्नीएल।24इफ्राइमक कुलके सरदार शिप्तानक पुत्र कमूएल।25जबूलूनक कुलमेस' सरदार, पर्नाकके पुत्र एलीसापान।26इस्साकारक कुलक सरदार अज्जानक पुत्र पलतीएल।27आशेरक कुलक सरदार शलोमीक पुत्र अहीहूद।28नप्तालीके कुलमेस' सरदार अम्मीहूदके पुत्र पदहेल।”29यहोवा एहि अगुवासबके आज्ञा देलथिन जे ओ कनान देशके बांटिक' इजराएलक प्रत्येक कुलके अपन हिस्सा देथि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.