Numbers36

1एकदिन, माकीरक' पुत्र गिलाद जे मनश्शेक' पुत्र छल क' पूर्वज परिवारक मुखियासब आबि मूसा आ इजराएली नायक सबहक समक्ष आबिक' कहलनि।2ओसब कहलनि, “हमर मालिक, अहाँके यहोवा आज्ञा देलथिन जे इजराएलीसबके चिट्ठास' जमीनक हिस्सा द' दिऔ। हमर मालिक, अहाँके यहोवाके आज्ञा छलनि जे अहाँ हमरासबके सगा-सम्बन्धी सलोफादके हिस्सा ओकर बेटीसबके द' दिऔ।3मुदा जं सिलोफहदके बेटीसब इजराएलक कोनो आन कुलक पुरुषक संग विवाह करत त' ओकरासबहक जमीन हमरासबहक पूर्वजक पैतृक जमीनक हिस्सा हेरा जाएत। जाहि कुलमे ओसब जुटत ओकर हिस्सामे जोड़ल जाएत। ओहि स्थितिमे चिट्ठाद्वारा हमरासबहक उत्तराधिकारक निर्धारीत हिस्सास' हमसब वंचित भ' जाएब।4जखन इजराएली सबहक पचासम् वर्ष आओत तखन ओकरासबहक हिस्सा ओहि कुलक हिस्सामे मिलाओल जाएत जाहिमे ओसब विवाह क' क' गेल अछि। एहि तरहे ओकारा लोकनिक हिस्सा हमरासबहक पूर्वजक कुलक हिस्सा ल' लेत।” 5तखन मूसा यहोवाके वचन अनुसार इजराएलीसबके आज्ञा देलथिन। ओ कहलनि, “जे मनश्शेके कुल कहैत अछि से ठीक अछि।”6यहोवा सलोफादके बेटीसबहक विषयमे ई आज्ञा दैत छथि। ओ कहैत छथि जे ओकरासबहक विवाह जेकरास' नीक लागए ओकरेस' करु, मुदा ओकरासबके अपन पिताक कुलक परिवारमे मात्र विवाह करबाक चाही।7इजराएली सबहक कोनो हिस्सा एक कुलस' दोसर कुलमे नहि जाएत। प्रत्येक इजराएली अपने पैतृक सम्पत्तिके अधिकार भीतरमे रहए।8इजराएली सबहक कोनो कुलमे सम्पत्तिके हिस्सा राखएबाली स्त्रीसब अपन पिताक कुलमेस' केकरोस' विवाह कर' पड़त। ई एहिलेल कएल गेल अछि जे प्रत्येक इजराएलीके अपन पूर्वजक' उत्तराधिकार भेटए।9कोनो पैतृक सम्पत्तिके हिस्सा एक कुलस' दोसर कुलमे हाथ नहि जाए। इजराएली सबहक प्रत्येक कुलके अपन अपन उत्तराधिकारक पालन करए।10तएं सलोफादके बेटीसब ओहिना कएलक जेना यहोवा मूसाके आज्ञा देने छलथि।11सलोफादके पुत्री महला, तिर्सा, होग्ला, मिल्का आ नोवा मनश्शेक सन्तानसबस' विवाह कएलक।12ओसब यूसुफके पुत्र मनश्शेक वंशजक कुलमे विवाह कएलक। एहि तरहे ओकारा सबहक पैतृक सम्पत्ति ओकरे पिताक कुलमे रहि गेल।13ईसब आज्ञा आ विधि अछि जे यहोवा मूसाक द्वारा यरीहो नगरस' ओहिपार यरदन नदी कातमे मोआबक मैदानमे इजराएलीसबके देलनि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67