Deuteronomy3
1“मूसा इजराएली लोकसबसंग आओर बजैत गेलाह, सीहोनके राजाके मरलाके बाद, हमसब घुमिक' बाशान क्षेत्र दिस आगु बढलहुं। बाशानक' राजा ओग एद्रेई नगरमे अपन सम्पूर्ण सेनाके संग हमरासबस' युद्ध करए लेल आएल।2यहोवा हमरास' कहलथिन, ‘राजा ओगस' नहि डेराउ, किएकत' हम अहाँके विजय बनाएब आ ओकर सम्पूर्ण सेना आ ओकर देश समेत अहाँसबहक हाथमे द' देने छी। अहाँसब हेशबोनके एमोरी सबहक राजा सीहोनके साथे जे कएने रहि ओहिना एकरोसंग करब।’3यहोवा हमरासबके परमेश्वर बाशानक राजा ओगके विरुद्ध विजय बनओलक आ ओकर सम्पूर्ण सेनासबके हमरासबहक हाथमे द' देलनि। हमसब ओकरासबके एकोटा बांकी नहि राखि सबके मार देलिऐ।4ओहि समय हमसब ओकरासबहक सब शहर ल' लेने रही। साठिटा शहरमेस' एकोटा शहर नहि छल जे हमसब ओकरासबस' छीनिक अधिकार नहि कएलहुं, बाशानमे ओगक' राज्य, अर्गोबक समस्त इलाका समेत।5ई शहरसब उंच देवाल, बड़का फाटक आ सलाखक संग गढ़ल गेल छल। एहिके अलावा बहुत रास बिना देवाल बाला गामसब सेहो छल।6हमसब ओकरासबके पूरेपुरी नाश क' देलिऐ, जेना हेशबोनक राजा सीहोनके नाश क' देने रही, हरेक शहर, पुरुष, महिला आ छोट-छोट बच्चा समेत पूर्णरुपस' नाश क' देलिऐ।7मुदा सारा मालजाल आ शहरके धनबित जीतके इनाम स्वरुप ल' गेलियैक।8ओहि समयमे हमसब दूटा एमोरीक राजाके हाथस' अर्नोनके उपत्यका स' ल' क' हर्मोन पहाड धरि जे यरदन नदीधरि पसरल छल से ल' लेली।9हर्मोन पहाड़के सीदोनीसब सिर्योन आ एमोरीसब एकरा सनीर कहैत अछि।10आ तराईक' सब शहर, सम्पूर्ण गिलाद क्षेत्र आ सम्पूर्ण बाशान, बाशानमे रहल ओग राज्यके सल्का आ एद्रेई शहर धरि हमसब कब्जा क' लेलौं।”11किएक त' रपाईके लोकसबमेस' बाशानक राजा ओग मात्रे जीवित छल। देखू, ओकरा लोहाके पलंग छल। की ओ पलंग एखन धरि अम्मोनीके शहर रब्बाहमे नहि अछि?, ओ आदमीसबके नाप मुताबिक नऔ हाथ नमहर आ चारि हाथ चौड़ा छल।12“ओहि समयमे हमसब ई देश अपन कब्जामे लेने रही, अरोएरस' अर्थात् अर्नोनक उपत्यकामे, आ आधा पहाड़ी देश गिलाद आ ओतएके शहरसब, हम रूबेनी आ गादी सबके द' देलिऐ।13शेष गिलाद आ सम्पूर्ण बाशान, ओगक राज्य, हम मनश्शेक आधा कुलके द' देलिऐ। अर्गोबक समस्त क्षेत्र, आ समस्त बाशान। रपाई देश कहल जाइत छल।14मनश्शेक सन्तान याईर अर्गोबक सम्पूर्ण क्षेत्रके' गशूरि आ माकावासीसब सीमा धरि ल' लेलकैं। ओ एहि इलाकाके नाम देलकऐ, वहिस' आइधरि बाशानके हववोथ याईर कहल जाइत अछि।15हम गिलाद माकीरके द' देलिऐ।16रूबेनी आ गादी सबके हम गिलाद स' अर्नोन उपत्यका धरि क्षेत्र देलिऐ। उपत्यकाके' बीच भागमे ओकर सीमा छल। आ अम्मोनक सन्तानक सीमाना यब्बोक नदीधरि छल।17एकर दोसर सीमाना यरदन नदीके उपत्यकाके समथर भू-भाग सेहो छै, जे किन्नेरेत' ल' क' अराबाके समुद्र धरिके पिसगा पहाड़के ढलान धरि पूर्व दिस छै।18ओहि समयमे हम अहाँसबके आदेश दैत कहली, ‘अहाँसबके यहोवा परमेश्वर अहाँसबके ई भूमि अधिकार करब लेल देने छथि। अहाँसबके सब योद्धा हातहथियार स' मुक्त भ' क' अपन आओर इजराएली कुलसबके आगु ओहिपार जाए पड़त।19ओहि समय हम रुबेन, गाद, आ पूर्वी मनश्शेक लोकसबस' कहलहुं: मुदा अहाँसबके पत्नी, अहाँसबके छोट-छोट बच्चाबुच्ची सब आ अहाँके मालजाल हमरा बुझल अछि जे अहाँसबलग बहुत रास मालजाल अछि हम जे शहर देने छी ओतहि रहत।20जाधरि यहोवा अहाँसबके आओर संगी इजराएली भाइसबके अहाँसबके जकां आराम नहि देत अछि, जाधरि ओसब ओहि देशपर कब्जा नहि क' लेत जे यहोवा अहाँसबके परमेश्वर ओकरासबके यरदन नदीक ओहिपार द' रहल छथि एन करब। तखन अहाँसब अपन अपन देशमे घुरि जाएब जे हम अहाँसबके देने छी।’21हम ओहि समय यहोशूके आज्ञा देलिऐ जे, ‘अहाँ अपन आंखिस' देखलहुं जे अहाँसबके यहोवा परमेश्वर ओहि दुनू राजाक संग जे किछु कएलनि। यहोवा ओहि सब राज्यके संग सेहो एहने करताह जत अहाँसब जाएब।22तब हम यहोशूके कहलिऐ, अहाँसब ओहि लोकसबके समूहसबस' नहि डेराएब, किएक त' यहोवा अहाँसबहक परमेश्वर अहाँसबहक लेल युद्ध करताह।’23ओहि समय हम यहोवास' विनती कहलहुं।24‘हे प्रभु यहोवा, अहाँ अपन सेवकके अपन महानता आ अपन पराक्रम देखाबए लागल छी। किएक त' स्वर्गमे वा पृथ्वीपर कोन एहन ईश्वर अछि जे अहाँ जकां पराक्रमी काज क' सकत?25हम अहाँसबस' निहोरा करैत छी जे हमरा ओहिपार जाए दिअ आ यरदन नदीक ओहिपार नीक भू-भाग, ओ नीक पहाड़ी देश लेबनान हम देख सकी।’26मुदा अहाँसबके कारणे यहोवा हमरापर क्रोधित छलाह। ओ हमर बात नहि सुनलनि। यहोवा हमरा कहलथिन, ‘अहाँलेल ई नीक होएत जे हमरास' एहि विषयमे आब किछु नहि कहब!’27पिसगा पहाड़के उपर चढ़ू आ पश्चिम, उत्तर, दक्षिण आ पूर्व दिस अपन नजरि उठाक' अपन आंखिस' देखू, किएक त' अहाँ यरदन नदीक ओहिपार नहि जाएब।”28एकर बदलामे यहोशूके निर्देशन दिऔ आ ओकरा प्रोत्साहित करियौ आ ओकरा साहसी बनाउ, किएकत' ओ एहि आदमीसबके आगु ल' जएताह आ जे देश अहाँ देखब ओ ओकरासबके ओहि देशके मालिक बनओताह।29एहिस' हमसब बेतपोर नगरके सामने ठहरि गेली।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.