Deuteronomy2

1“मूसा इजराएलीसब संगे आओर बजलथि जे यहोवा हमरा जेना कहने छलथि हमसब घुमिक' लाल समुद्रक बाटपर उजाड़-स्थान दिस यात्रा कएलहुं। हमसब बहुत दिन धरि सेईर पहाड़क चारुकात घुमैत रहलहुं।2यहोवा हमरास' कहलनि,3‘अहाँसब एहि पहाड़क' चारुकात बहुत दिनस' परिक्रमा क' रहल छी; आब उत्तर दिस बढू।4आदमीसबके आदेश दैत कहू, अहाँसब एसावके सन्तान, अपन भाइबन्धुके देश सेईर भ' क' जा' रहल छी। ओसब अहाँसबस' डेराएत। एहिस' ओकरासबस' सतर्क रहब।,5ओकरासबस' युद्ध झगड़ा नहि करब, अहाँसबके ओकरासबहक देशमे पयर रखबाक लेल सेहो जगह नहि देब। किएक त' सेईरके पहाड़ी देश हम एसावके अधिकार द' देने छिऐ। 6खाएबला वस्तुसब पाइ द' क' किनक' खा' सकैत छी आ पिबएबला पानि सेहो किनक' पिब सकैत छी।7यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके हाथके सब काजमे अहाँसबके आशीष देने छथि। एहि भयंकर उजाड़-स्थानमे अहाँसबके आबा-जाही हुनका बुझल छन्हि। एहि चालीस बर्षमे यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबहक संगे छथि, आ अहाँसबके कोनो वस्तुके कमी महसूस नहि होबए देलनि।8एहिस' सेईर निवासी एसावके सन्तान जे अपनासबके नाताके लोकसब अछि, हमरासबके भाइबन्धुसबके बीच दने हमसब आगु बढलहुं। एलत नगर आ एस्योनगेबेरस' आबएबला अराबाके बाट छोड़िक' हमसब मोआबके उजाड़-स्थान भ' क' आगु बढलहुं।’9आ यहोवा हमरास' कहलनि, ‘मोआबके दुख नहि देब, आ ओकरासबके युद्ध झगड़ाके लेल नहि उस्काएब। ओकरासबहक देशके एको अंश अहाँसबके नहि देब किएक त' आर शहर लूतक सन्तानके अधिकार द' देने छिऐ।’10पहिने ओतए एमीसब रहैत छलाह, जे अनाकी बलबंत, असंख्य आ अनाकी लोकनि जकां पैघ, नमगर छलाह;11ओसब सेहो अनाकीसब जेका रपाई दैत्य मानल जाइत छल। मुदा मोआबीसब ओकरासबके एमी कहैत छल।12होरी लोकनि सेहो पहिने सेईरमे रहैत छलाह, मुदा एसावक सन्तानसब ओकरासबके ओतएस' भगा देलनि। ओसब ओकरासबके नाश क' क' ओकरासबहक स्थानपर रहि गेल, जेना यहोवा इजराएली सबहक अधिकारके लेल देल देशके ओसब लेने छल।13‘आब उठू आ जेरेद धारक पार चलि जाउ।’ तेए हमसब जेरेद धारक पार गेलहुं।14आब कादेशबर्ने नगरस' जेरेद नदीपार करैत धरि अड़तीस वर्ष बित गेल। एहि समयमे यहोवाक शपथके मोताबिक ओहि पीढ़िक योद्धासब छाउनीमेस' नाश भ' गेल।15एतबे नहि, यहोवा अनाज्ञाकारी लोकसबके ताबत धरि दण्ड दैत रहलाह जाधरि ओसब शिविरमे मरि नहि गेलनि।16एहन भेल, जे जखन युद्ध करएबला आदमीसब मरिक' लोकक बीचस' चलि गेल छल।17यहोवा हमरास' कहलनि,18‘अहाँसब आजुक दिन मोआबक सीमा आर शहरके पार करब।19जखन अहाँ अम्मोनी सबहक आगु आबि जाएब त' ओकरासबके परेशान नहि करब, आ नहि ओकरासबस' युद्ध करब। किएक त' हम अम्मोनी सबहक देश अहाँसबके अपन अधिकारमे नहि देब। कारण, जे हम एकरा लूतक सन्तानके अधिकारमे द' देने छी।20ओहो रपाईके देश मानल जाइत छल। रपाईके लोकनि पहिने ओतहि रहैत छलाह-मुदा अम्मोनी लोकनि ओकरासबके जमजुम्मी कहैत छल।21अनाकी लोकसब जकां वीर, बहुत आ नमगर कदके छल। मुदा यहोवा अम्मोनी सबहक सामने ओकरासबके नाश क' देलनि आ ओसब ओकरासबके भगाक' ओतहि बसि गेल।22यहोवा सेईरमे रहनिहार एसावक सन्तानसबके लेल सेहो एहने कएलनि, जखन यहोवा ओकरासबके आगुस' होरीसबके सन्तान नाश कएलनि, आ एसावक सन्तानसब ओकरासबहक भगाक आजुक दिन धरि ओकरासबहक स्थानपर बसोबास करैत अछि।23गाजा सहर धरि गाममे रहनिहार अव्वि लोकसबके कप्तोरस' आएल कफ्तोरी लोकसब ओकरासबके नाश क' क' ओकरासबहक स्थानपर बसि गेल। 24आब उठू, अपन यात्रा करु, आ अर्नोन उपत्यका पार करु। देखू, हम हेशबोन शहरके राजा एमोरी सीहोन आ ओकर देश अहाँसबहक हाथमे द' देने छी। एहिपर राज करु, आ ओकरासबसंगे युद्ध करु।25आजुक दिन आकाशके नीचा रहनिहारसबमे अहाँसबहक भय आ आतंक राखि देब; अहाँके खबरि सुनिक ओसब कांपि उठत आ अहाँके कारणे विचलित भ' जाएत।’26कदेमोतके उजाड़-स्थानस' हेशबोनके राजा सीहोनक समक्ष शान्तिक सन्देश सहित हम दूत पठेलहुं।27‘हमरा अहाँ अपन भूमि भ' क' जाए दिअ, हमसब बाटे द' क' जाएब। हमसब दहिना आ बामा कात नहि घुमब।28खाएलेल भोजन आ पीबएलेल पानिके बदला हमरासबस' पाइ लिअ। मात्रे खाली पयर हमरासबके अहाँ अपन भूमि भ' क' जाए दिअ।29जेना सेईरमे रहनिहार एसावके सन्तान आ आरमे रहनिहार मोआबीसब हमरासबहक लेल कएने छल। जाधरि हमसब यरदन नदीपार यहोवा हमरासबहक परमेश्वरद्वारा देल गेल भूमिमे नहि पहुंच जाइ।’30ताधरि हेशबोनके राजा सीहोन हमरासबके नहि जाए देलनि। किएक त' यहोवा अहाँसबहक परमेश्वर ओकर हृदयके कठोर आ हठी बना देलनि, एहिलेल की ओकरासबके अहाँसबहक हाथमे द' देथि, जेना की आजुक दिनमे प्रगट अछि।31यहोवा हमरास' कहलनि, ‘देखू, हम सीहोन आ ओकर देश अहाँके समक्ष राखि देने छी। ओकरापर कब्जा करु, जाहिस' ओकरासबहक देशके अपन अधिकारमे लेबएलेल शुरु करु।’32तखन सीहोन अपन सेना सहित हमरासबहक विरुद्ध यहस शहरमे लड़बाक लेल आबि गेलाह।33यहोवा हमरासबहक परमेश्वर ओकरा हमरासबहक हाथमे द' देलनि आ हमसब ओकरा आ ओकर सन्तानसब आ ओकरा लोकसबके पराजीत क' देलहुं।34हमसब ओहि समयमे ओकरासबके शहर ल' लेलहुं आ शहरसबके पूर्णत नाश क' देलहुं-पुरुष-महिला आ छोटस' छोट बच्चासब, हमसब केकरो नहि छोड़लहुं।35हमसब कब्जा कएने शहरमेस' मात्रे मालजाल आ धनबित लूटिक ल' लेलहुं।36अर्नोन उपत्यकाके कातमे रहल अरोएर शहरस' गिलादके उत्तरी क्षेत्र धरि कोनो शहर कब्जा करबाक बांकि नहि रहल। यहोवा हमरासबहक परमेश्वर ओकरासबके हमरासबके हाथमे द' देलनि।37मात्रे अम्मोनी सबहक सन्तानसबके देशके कातमे, यब्बोक नदी किनारक जमीन आ पहाड़ी देशके शहरसब यहोवा हमरासबहक परमेश्वरक आज्ञा बमोजिम रोकल गेल जगहमे हमसब नहि गेलहुं।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67