Deuteronomy4

1तखन मूसा इजराएलीसबके आओर आगु कहलनि जे आब, हे इजराएल, हम अहाँसबके सिखाबए' जा' रहल विधिविधानसब ध्यानस' सुनू। ओसब पालन करु, जाहिस' अहाँसब जीबि सकब आ अहाँसबके पूर्वजके यहोवा परमेश्वर अहाँसबके देब जा' रहल देशपर अधिकार करब।2हम अहाँसबके जे आज्ञा देने छी, ताहिमे किछु कम बेस नहि थप घट करब, मुदा हम अहाँसबके देने यहोवा परमेश्वरक आज्ञा सबहक पालन करब। 3पोरके बालके कारणे यहोवा की कएलनि से अहाँसब अपने आंखिस' देखने छी। पोर पहाड़के वाल देवताके मानएबाला सबके यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके बिचमेस' नाश क' देलथिन। 4मुदा अहाँसब जे यहोवा अहाँसब परमेश्वरस' सटल रहि गेली, से सब आजुक दिन धरि जीविते छी।5देखू, यहोवा हमर परमेश्वर हमरा जेना आज्ञा कएने छलथि, हम अहाँसबके सब विधिविधान सिखऔने छी, जाहिस अहाँसब जाहि देशके कब्जा करए जा रहल छी, ओत ई विधिविधानसब पालन क' सकी।6तएं अहाँसब ई विधिसब मानू आ पालन करु। कारण, ई अहाँसबके बुद्धि आ समझदारी ओहि लोकसबके नजरिमे अछि जे एहिसब नियमक विषयमे सुनत आ कहत जे निश्चय ई महान जातिके लोकसब एकटा बुद्धियार आ समझदार लोक अछि।7किएक त' आओर कोन एतेक महान जाति अछि जेकर देवता ओकरासबहक एतेक लगमे अछि, जेना यहोवा हमरासबहक परमेश्वर हमरासबहक लगमे रहैत छथि, जखन हमसब हुनका पुकारैत छी? 8हम अहाँसबके आजुक दिन देबएबला व्यवस्था जकां धार्मिक विधिविधान भेल आन कोन पैघ जाति अछि जेकर व्यवस्था ओतेक धर्मीक विधिविधान भेल आन कोन पैघ जाति अछि?9होसियार रहुं आ अपने-आपके सचेत करु, अहाँसब अपन आंखिस' देखने बातसब नहि बिसरु आ अहाँसबके जीवनभरि अहाँसबके मोनस ई बात नहि हटाएब। मुदा ईसब बात अहाँसब अपन बेटाबेटी आ नातीपोता सबके सिखाउ। 10जाहि दिन अहाँ यहोवा अपन परमेश्वरक समक्ष होरेबमे ठाढ़ छलहुं, तखन यहोवा हमरा कहलनि जे हमरा लोकसबके जमा करु, हम ओकरासबके अपन बात कहब, जाहिस' ओसब पृथ्वीपर रहैत काल हमरास' डरब सिखए। आ ओसब अपन बेटा-बेटीसबके सिखा सकए।11अहाँसब आबिक पहाड़क नीचामे ठाढ़ भ' गेलहुं। सिनै पहाड़मे आगि धधकिक' आकाश धरि पहुंच गेल, कारी बादल आबिक' घनघोर अन्हार भ गेल छल। 12यहोवा धधकैत आगिमे स' अहाँसबस' बात कएलनि। अहाँसब हुनकर शब्दके आवाज सुनलहुं, मुदा कोनो रुप नहि देखलहुं। अहाँसब मात्र एकटा आवाज सुनलहुं।13ओ अहाँसबके अपन करारक' घोषणा करैत दस आज्ञाक पालन करबाक लेल आज्ञा देलनि। ओ दूटा पत्थलक' पाटीपर ईसब लिखलनि।14ओहि समयमे यहोवा हमरा आज्ञा देने छलाह जे अहाँसबके नियम आ विधिविधान सिखाबी, जाहिस' अहाँसब अधिकार करएबला ओहि देशमे अहाँसब पालन करब।15तएं अहाँसब बहुत सावधानीस' रहुं। किएक त' जाहि दिन यहोवा अहाँसबस' होरेबमे आगिमे स' बात कएलनि, ताहि दिन अहाँसब कोनो प्रकारक हुनकर रुप नहि देखलहुं। 16कोनो प्रकारक' प्रतिमा नहि गढ़ब, पुरुष वा स्त्रीके प्रतिमा।17पृथ्वीके कोनो जानबरक, आकाशमे उड़एबला कोनो चिड़ैक।18जमीनपर घिसियाबाला कोनो जीवजन्तुक वा पानिमे रहनिहार कोनो माछ्क प्रतिमा गढ़िक अपनाके भ्रष्ट नहि करब।19आकाशमे यहोवा अहाँसबके परमेश्वरद्वारा आकाशके' नीचा सब मनुष्यक लेल देल गेल सूर्य, चन्द्रमा वा तरेगनसबके देख ओहि दिस आकृष्ट भ' क' ओहि सबहक पूजा आ आराधना नहि करब।20मुदा यहोवा अहाँसबके मिस्र देशस', लोहाके भट्ठीक स' आइ जकां अपन निज उत्तराधिकारी बनाबए खातिर बाहर निकालि लेलनि। 21अहाँसबके कारणे यहोवा हमरापर क्रोधित छलाह। आ हम यरदन नदीके ओहिपार नहि जाएब पाएब आ यहोवा अहाँसबके' परमेश्वर अहाँसबके अधिकारमे देबएबला नीज देशमे जाए नहि पाएब से कठोर प्रतिज्ञा लेलनि। 22बल्कि हमरा एहि भूमिमे मरए पडत। हम यरदन नदीक ओहिपार नहि जा पाएब। मुदा अहाँसब ओहिपार जा' क' ओहि नीज भूमिपर अधिकार करब।23सतर्क रहुं, यहोवा अहाँसबके परमेश्वरक करारके नहि बिसरब, जे ओ अहाँसबस' कएने छलाह, आ अपनालेल एकटा कोनो प्रकारक मूर्ति नहि बनाएब जे यहोवा अहाँसबके बनाबएस' मना कएने अछि।24किएकत' यहोवा अहाँसबके परमेश्वर भस्म करएबला आगि आ जड़निहार परमेश्वर छथि। 25जखन अहाँसब बेटाबेटी आ नातीपोता पैदा करब, आ जखन अहाँसब ओएह देशमे बहुत दिन समय बितओलाक बादो जं' अहाँसब अपनाके भ्रष्ट क' क' कोनो वस्तुक रुपमे प्रतिमा खोधिक यहोवा अहाँसबके परमेश्वरक नजरिमे कुकर्म क' क' काज करब हुनका क्रोधित बनाएब त'26हम आजुक दिन स्वर्ग आ पृथ्वीके अहाँसबके विरुद्ध साक्षी रखैत छी की जेना देशके अहाँसब अधिकार करएलेल यरदन नदीपार जा' रहल छी वही देशमे बेसी दिन नहि रहब मुदा अहाँसब जल्दिए नाश भ' जाएब।27यहोवा अहाँसबके जातिसबके बीचमे तितर-बितर क' देथिन, आ अहाँसब जाति सबहक बीच कम संख्यामे रहि जाएब, जत' यहोवा अहाँसबके ल' जएताह।28ओतए' अहाँसब आन देवता सबहक सेवा करब, जे मनुष्यक हाथके काज अछि, लकड़ी आ पत्थल, जे नहि देखैत अछि, नहि सुनैत अछि, नहि खाइत अछि आ नहि सुंघ्ह सकैत अछि।29मुदा ओतए' अहाँसब यहोवा अपन परमेश्वरके पूरा हृदय आ प्रण स' खोजब त' हुनका पाबि लेब।30जखन अहाँसब विपत्तिमे पड़ब आ जखन ईसब बात अहाँसबपर आबि जाएत तखन अहाँसब यहोवा अपन परमेश्वर लग घुरिक' आएब आ हुनकर वचन पालन करब।31यहोवा अहाँसबहक परमेश्वर दयालु परमेश्वर छथि। ओ अहाँसबके असफल नहि होबए दैत आ नहि अहाँसबके नाश करत, आ अहाँके पूर्वजसबके संग कएल गेल ओहि किरिया खाक' कएने करारक बातके नहि बिसरत।32आब ओहि दिन विषयमे पुछू जे बितल अछि, जे अहाँके समयस' पहिने बितल समयमे भेल छल, जहिया परमेश्वर पृथ्वीपर मनुष्यके बनौने आदि कालक विषयमे स्वर्गके एक छोरस' ल' क' दोसर छोर धरि खोज खबरि करु, की एहि प्रकारक महान काज किछु भेल अछि, वा एहन किछु कहियो सुनल गेल अछि?33की अहाँसब कहियो सुनने छी जे आन कोनो जाति अहाँसब जकां आगिमे स' परमेश्वरक आवाज सुनलक आ जीवित रहि गेल? 34यहोवा मिस्रमे अहाँसबके आंखिके आगु परीक्षा ल' क' आश्चर्यक' चेन्हसब आ चमत्कारीक काजसब देखाक' यूद्धस', अपन सामर्थी हाथ पसारिक, भयानक आतंक पसारि क' दोसर जातिसबमेस' अपन लेल एक निज जाति खड़ा कएने जकां कोनो आन ईश्वर एहन प्रयास कएने अछि?35अहाँसबके इएह बातसब देखाओल गेल जाहिस' अहाँसब जानि सकी जे यहोवाके छोड़िक' कोनो परमेश्वर नहि छथि।36अहाँसबके अपन निर्देशन पालन कराबएलेल ओ स्वर्गस' अहाँसबके अपन आवाज सुनौलनि। पृथ्वीपर अपन पैघ आगि अहाँसबके देखौलनि। अहाँसब आगिके बीचमेस' हुनकर शब्दसब सुनलहुं।37ओ अहाँसबके पूर्वजसबस' प्रेम कएलाक कारणे आ ओकरासबहक बाद ओकरासबहक सन्तानसबके चुनलनि आ अपन उपस्थितिमे पैघ शक्तिक' संग अहाँसबके मिस्रस' बाहर निकालि लेलनि।38अहाँसब अपन स' पैघ आ शक्तिशाली जातिसबके देशमे प्रवेश क' क' अधिकार करबाक लेल आजुक दिन अहाँसबके सोझा स' भगा देने अछि।39तएं आजुक दिन जानि लिअ की यहोवा उपर स्वर्गमे आ नीचा पृथ्वीपर परमेश्वर छथि। यहोवा बाहेक आन दोसर कोनो नहि अछि। 40आजुक दिन हम अहाँसबके देब लागल हुनकर विधि आ आज्ञासब पालन करु, जाहिस' अहाँसबके आ अहाँके बादक सन्तानसबके लेल नीक होअए आ यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अनन्तकालधरि जे देश अहाँसबके द' रहल छथि, ताहिमे अहाँसबके आयु लम्बा होए।41तखन मूसा यरदन नदीक पूर्व कात तीनटा शहर चुनलनि,42जाहिस' बिना दुश्मनी जं केओ गलतीस' दोसर व्यक्तिके' मारि देलाके बाद ओहिमेस' कोनो शहरमे भागिक' जान बचा सकए।43ओ शहरसब छल: रूबेनीसबके लेल मरुभूमिके मैदानी बेसेरके तीन शहरसब। गादी सबहक लेल गिलादके रामोत आ रामोतके सीमासब। आ मनश्शेके वंशजके लेल बाशानके गोलन।44मूसाद्वारा इजराएलक लोकक लेल देल गेल व्यवस्था इएह अछि।45मिस्रस' बाहर निकलला पर मूसा इजराएली सबहक कहने विधिविधान आ नियमसब इएह अछि।46ई मूसा यरदन नदीक पूर्वमे बेतपोरके आगुके उपत्यका हेशबोन शहरमे राज करएबला एमोरी सबहक राजा सीहोनके देशमे रहैत काल देने छलथि। जेकरा मूसा आओर इजराएलीसब मिस्रस' निकलला पर पराजीत कएने छल।47ओसब ओकर भूमि आ बाशानक राजा ओगक देश आ यरदन नदीस' पूरबके दूटा एमोरी राजा सबहक देशमे अधिकार कएलक।48ई क्षेत्र अर्नोन उपत्यकाके किनहेरिमे अरोएरस' सिय्योन पहाड अर्थात् हेर्मोन पहाड धरि पसरल छल,49आ एहिमे यरदन नदीके उपत्यकाके समस्त मैदान, यरदन नदीके ओहिपार पूर्व दिस, यरदन नदीधरि अराबाके समुद्र , पिसगा पहाड़के ढलान धरि राज्य कएलक।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67