Titus2

1अहाँक लेल तीतुस, अहाँके लोकके ठीक सिद्धान्त सिखाबए पड़त जे परमेश्वरक सत्यमे विश्वास करएबलासबके लेल की उचित व्यवहार अछि।2वृद्ध लोकसबके कहि दिऔ जे ओसब सदिखन अपनेपर काबू रखबाक चाही आ एहन जीवन जिबाक चाही जेकर आदर दोसर लोक करथि आ ओसब बुद्धिमानीस' काज करथि। हुनकासबके कहि दिऔ जे हुनकासबके परमेश्वरक सत्य बातपर दृढ़तास' विश्वास करबाक चाही, दोसरस' सांचो प्रेम करबाक चाही आ ईसब काज करबाक चाही, जखन की ईसब काज करब कठिन होए।3वृद्ध पुरुष जकां, वृद्ध स्त्रीसबके कहि दिऔ जे हुनकासबके सेहो एहन जीवन जिबाक चाही जाहिस' सबके बुझल होएत जे ओसब परमेश्वरक बहुत आदर करैत छथि। ओकरासबके कहि दिऔ जे ओकरासबके दोसर लोकक विषयमे नीच वा बतखोहि नहि करबाक चाही, आ ओकरासबके दाखमद्यके दास नहि होएबाक चाही। बल्कि दोसरके नीक बात सिखाबएके चाही।4एहि तरहें ओसब जबान स्त्रीसबके अपन बच्चासबस' आ पतिस' प्रेम करबाक सलाह द' सकैत छथि।5उमेरगर स्त्रीसब सेहो युवतीसबके अपन वचन आ कर्म शुद्ध राखी से सिखएबाक चाही, कोनो पुरुषक प्रति अनुचित व्यवहार नहि करबाक चाही, घरक काज नीकस' करबाक चाही आ मात्र अपन पति जे कहैत छनि से करबाक चाही। हुनकासबके ईसब काज करबाक चाही जाहिस' केओ हमरासबके परमेश्वरक सन्देशक निन्दा नहि करए।6युवकसबलेल सेहो आग्रह करु जे ओ अपनेपर सेहो एहने नियन्त्रण रखथि।7अहाँ स्वयं नीक काज करैत रहू जाहिस' दोसर लोक सेहो देखए जे ओकरा की करबाक चाही। जखन अहाँ विश्वासीके सिखबैत छी तखन ई सुनिश्चित करु जे अहाँ जे कहैत छी से सत्य अछि आ ओकरा एहन तरीकास' कहब जे अहाँक सम्मान करत।8लोकसबके सन्देशक माध्यमस' ठीक बात सिखाउ जेकर आलोचना केओ नहि क' सकए, जाहिस' जं केओ अहाँके रोकए चाहए त' दोसर लोक ओकरा लज्जित क' दैक, किएकत' जे केओ अपनासबके सन्देशके विरोध करए ओकरा अपनासबके विषयमे खराब कहबाक कोनो अधिकार नहि छै।9जे विश्वासीसब दास अछि, हुनकासबके सदिखन अपन मालिकके अधीन रहबाक सिखाउ। हुनकासबके कहि दिऔ जे एहन जीवन जिअथि जे अपन मालिकके सब तरहें प्रसन्न करए आ हुनकासबस' बहस नहि करबाक चाही।10ओसब अपन मालिकके कोनो छोटस' छोट वस्तु नहि चोरबए चाही। बल्कि हुनकासबके प्रति विश्वासयोग्य रहबाक चाही आ सबकिछु नीकस' करबाक चाही जे लोक हमरासबके उद्धार करएबला परमेश्वरके विषयमे जे किछु सिखबैत छी ओकर सराहना करए।11विश्वासीसबके ई नीक बातके ओहिना देखबाक चाही जेना परमेश्वरके अनुग्रह सबगोटेके उद्धार दैत छथि, एकटा एहन वरदानके रुपमे जेकर हकदार केओ नहि अछि।12जखन परमेश्वर हमरासबके मंगनिएके वरदानक रुपमे उद्धार करैत छथि त' ओ हमरासबके सेहो प्रशिक्षित करैत छथि जे गलत काज करब छोड़ि दिऔ आ सांसारिक लोकसब जे करए चाहैत छथि से नहि करी। आ हमसब एहि वर्तमान समयमे बुद्धिमान, धार्मिकता, भक्तिस' परमेश्वरक आज्ञा मानएलेल जीवन जिअए सिखी।13एकर अतिरिक्त, परमेश्वर हमरासबके सिखबैत छथि जे भविष्यमे जे काज ओ निश्चितरुपस' करताह, तेकर आशा करु, जे किछु एहन काज अछि जे हमरासबके बहुत प्रसन्न करत। अर्थात्, उद्धारकर्ता यीशु मसीह, महान वैभवमे वापस आबएबला छै।14मसीह यीशु अपनासबके अधर्म स्वभावके छुटकारा लेल स्वयंके बलिदानके लेल द' देलनि, जाहिस' ओ हमरासबके शुद्ध करथि आ हमरासबके अपन विशेष सम्पत्ति, नीक काज करबाक लेल आतुर लोक बनाबथि। 15तीतुस, एहि बातसबके विषयमे अपन मण्डलीके सिखाक' उत्साह दिऔ। विश्वासीसबस' आग्रह करु जे, ओ जेना हम वर्णन कएने छी तेना जिअथि आ जखन नहि करैत छथि तखन हुनका सुधारु, जरुरति पड़ला पर हुनका आज्ञा देबाक लेल अपन अधिकारके प्रयोग करु। सुनिश्चित करु जे ओसब अहाँक कहल पर ध्यान देथि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67