Titus1
1हम, पौलुस, ई पत्र, तीतुस अहाँके लेल लिख रहल छी। हम परमेश्वरके एकटा सेवक छी आ यीशु मसीहक प्रेरित छी। परमेश्वर हमरा ओहि लोकसबके सिखाबएलेल पठौलनि, जेकरा ओ अपनालेल चुनने छथि जे हुनकापर बेसी विश्वास करथि। हम हुनक लोकसबके सहायता करबाक लेल काज करैत छी केओ जानि सकए जे सत्य की अछि, आ एहन जीवन जीवि सकए जाहिस' परमेश्वर प्रसन्न भ' सकथि।2हुनक लोकसब एना सिख सकैत अछि, जे कोनाक जीबि किएकत' ओकरा आशा अछि जे परमेश्वर ओकरा अनन्त जीवन देथि। परमेश्वर झूठ नहि बजैत छथि। एतधरि जे संसार शुरु होबएस' पहिने, ओ हमरासबस' प्रतिज्ञा देलनि जे ओ हमरासबके अनन्तकालधरि जिअए देथिन।3फेरु, उचित समयपर, ओ एहि सन्देशक माध्यम अपन योजनाके प्रगट कएलनि, जेकर प्रचार करबाक लेल ओ हमरापर भरोसा कएलनि। हम ई काज परमेश्वरक आज्ञा मानबाक लेल करैत छी, जे हमरासबके उद्धारकर्ता छथि।4हम ई बात अहाँके लिख रहल छी, तीतुस; अहाँ हमरालेल विश्वासमे सहभागिताके विचारस' असली पुत्र जकां बनि गेल छी, कारण आब हम दुनूगोटे यीशु मसीहमे विश्वास करैत छी। पिता परमेश्वर आ मसीह यीशु, जे हमरासबके उद्धारकर्ता छथि, अहाँसबपर दया करथि आ अहाँसबके शान्तिके आत्मा देथिन।5एहिलेल हम अहाँसबके क्रेत द्वीपपर छोड़ि देलिऐ: जे काज एखन धरि अपूर्ण अछि, से करबाक लेल आ प्रत्येक नगरमे मण्डलीके देख-रेख कएनिहारसबके नियुक्त करबाक लेल, जेना हम अहाँसबके कहने रही।6यदि केओ निर्दोष आ एकेटा पत्नीके पति होए, जिनका बच्चा विश्वासयोग्य होए, जिनकापर लापरवाह व्यवहार वा विद्रोहके दोष नहि होए। 7मण्डलीके अगुवा एहन व्यक्ति जकां होइत छथि जे केकरो सेवक आ सम्पत्तिक भण्डारी करैत छथि, मुदा ओ परमेश्वरक लेल एहन काज क' रहल छथि। तएं जरुरी अछि जे ओ निर्दोष होए। ओकरा घमण्डी नहि होएबाक चाही आ जल्दी तमसाएबला नहि होएबाक चाही। ओकरा पियक्कर नहि होएबाक चाही, आ नहि झगड़ा आ बहस करब पसीन करएबला, आ नहि लोभी होएबाक चाही।8एकर बदलामे, ओ लोकसबके लेल अतिथि-सत्कार करथि आ जे किछु नीक अछि ताहिस' प्रेम करथि। ओकरा सदिखन बुद्धिमानीस' काज करबाक चाही आ दोसर लोकक संग निष्पक्ष आ इमानदारीस' व्यवहार करबाक चाही। ओकरा सदिखन ओहि प्रकारक धर्मी काज करबाक चाही जे परमेश्वरक प्रति समर्पित व्यक्तिक लेल उचित होए, आ ओकरा सदिखन अपन भावनाके नियन्त्रणमे रखबाक चाही।9ओ हमरासबके जे सत्य बात सिखाओल अछि ताहिपर सदिखन विश्वास करथि आ ओहि बातक अनुसार जिऐत रहथि। हुनका ई काज करबाक चाही जाहिस' ओ लोकके सेहो एहने जीवन जिअएलेल प्रोत्साहित क' सकए आओर यदि लोक एहि तरहें नहि जिअए चाहए छथि, त' फेरु ओ ओकरा सुधार क' सकए।10हम ई बात एहिलेल कहैत छी जे बहुत लोक एहन अछि, जे ओकरापर अधिकार राखएबलाके आज्ञा नहि मानैत अछि। एहन लोकक बातके कोनो मोल नहि। ओ लोकके गलत बातपर विश्वास करएलेल मनबैत अछि। एहन लोक बेसी काल ओहि खतना समूहके लोकसब जकां अछि जे मसीहके विश्वासीसबके उद्धार पाबएलेल खतना करएबाक जिद्द करैत अछि।11अहाँ आ जे अगुवा, अहाँ नियुक्त करैत छी, हुनका एहन लोकके विश्वासीके सिखाबए स' रोकए पड़त। एहन लोक ओ बात सिखा रहल अछि, जे ओकरासबके नहि सिखाबएके चाही, जेकर कारण पूरा परिवार गलत बातपर विश्वासक' रहल अछि। ई काज मात्र एहिलेल करैत अछि जे ओसब गलत ढंगस' धन प्राप्त करए जे ई बहुत लाजक बात अछि।12क्रेत निवासी, जेकरा ओकर लोकसब प्रवक्ता बुझति छल, कहलकनि, “क्रेतके लोकसब सदिखन एक दोसरास' झूठ बजैत अछि। ओ खतरनाक दुष्ट जानबर जकां अछि। आ हिछनर पेटहा अछि जे सदिखन बेसी खाइत छथि।”13ओ जे गवाही कहने छथि से सत्य अछि, तएं हुनकासबके जोरस' डांटू आ सुधारि दिऔ, जाहिस' ओसब परमेश्वरके विषयमे सही बातपर विश्वास करथि आ सिखा सकथि।14हुनकासबके यहूदीसबद्वारा बनाओल गेल दन्त्यकथा आ ओहि नियमसबके अनुसार जीवन छोड़ि देबाक चाही जे परमेश्वरक नहि मनुष्यक द्वारा देल गेल अछि—ओ लोकसब जे सत्यस' भटकि गेल अछि।15जं नैतिकरुपस' शुद्ध लोकसबके लेल सब किछु शुद्ध होएत अछि, मुदा अशुद्ध आ अविश्वासी लोकसबके लेल किछु शुद्ध नहि मुदा ओकरासबके मन आ विवेक दुनू अशुद्ध होएत अछि।16भलेहि ओहन लोकसब परमेश्वरके जानएके दाबी करैत अछि, मुदा ओसब जे काज करैत छथि, से ई दर्शबैत अछि जे ओसब परमेश्वरके नहि जनैत छथि। ओ घृणित अछि। परमेश्वरके आज्ञा नहि मानैत छथि आ परमेश्वरके लेल कोनो नीक काज नहि क' सकैत छथि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.