2 Timothy4

1हम अहाँके परमेश्वरके सामने शपथ दियाक' घोषणा करैत छी आ मसीह यीशु, जे जीवित आ मरलसबके न्याय करए जा रहल छथि आ हुनका प्रगट होअएस' हुनकर राज्य:2वचन प्रचार करु; आ समय आ असमयमे तैयार रहू; सुधार, डांट डपट, प्रोत्साहित, पूरे धैर्यके साथ आ शिक्षा देबएमे।3किएकत' एकटा समय आओत जहिया ओसब ठीक शिक्षाके नहि सहि सकत। बल्कि, ओसब अपन इच्छा अनुसार अपना उपर ओकरासबके कानके खुजली अनुसारके शिक्षकसबके ढेरी लगाओत ,4आ सत्यस' दुनू अपन कान बंद क' लेत आ दन्त्यकथासब दिस मन लगाओत।5मुदा अहाँ, सब किछुमे शान्त रहू। दुख उठाउ। प्रचारकके काज करु। अपन सेवा पूरा करु।6किएकत' हम पहिनहिस' उझलल जा रहल छी, आ हमरा एहि संसारस' जाएके समय आबि गेल अछि। 7हम उत्तम युद्ध लड़ने छी; हम दौड़ पूरा क' लेने छी; हम विश्वास बचाक' रखने छी। 8आब धार्मिकताके मुकुट हमरालेल सुरक्षित राखल अछि, जे प्रभु, धर्मी न्यायी, ओहि दिन हमरा प्रतिफल देथि, आ मात्र हमरे नहि, बल्कि ओकरासबके जे हुनकर आगमनके प्रेम कएने अछि।9हमरालग जल्दी आबए के प्रयत्न करु।10किएकत' देमास हमरा छोड़ि देने अछि, वर्तमान युगस' प्रेम करैत, आ थिसलुनिका शहरमे चलि गेल अछि, क्रेसकेंस गलातियामे, आ तीतुस दलमतिया प्रान्तमे चलि गेल अछि।11मात्र लूका हमरासंगे अछि। मरकुस भेटत त' ओकरा अपना संग लेने आएब, किएकत' ओ हमर सेवामे लेल महत्वपूर्ण अछि12मुदा तुखिकुसके हम इफिसुस शहर पठौने छी।13जाहि वस्त्रके हम त्रोआस शहरमे करपुस लग छोड़ि आएल छी, जखन अहाँ आएब त लेने आएब, आ पुस्तकसब, आ विशेष क' क' चर्मपत्रसब।14सिकन्दर सोनार त' हमरा बहुते हानि पहुंचएने अछि। प्रभु ओकरा ओकर काजक अनुसार बदला देथि ,15जाहिस' अहाँ, स्वयंके रखबारी करु, किएकत' ओ हमर बातसबके बड्ड विरोध कएने रहए।16हमर पहिनुका प्रतिवाद मे, हमरासंग केओ नहि देखाइ देलक, बल्कि सबगोटे हमरा छोड़ि देलक। एहन नहि होए जे ई ओकरा विरुद्ध गनल जाइक।17मुदा प्रभु हमरासंग ठाढ़ रहलथि आ हमरा सामर्थ्य देलथिन, जाहिस' हमराद्वारा सुसमाचार प्रचार नीकस' भ' सकए आ सब आन जाति सुनि सकए। आ भूखल सिंहस' बचालेने जकां प्रभु हमरा मृत्युदण्ड स' बचा लेलखिन। 18प्रभु हमरा सबटा दुष्ट काजसबस' छोड़एथिन आ अपन स्वर्गीय राज्यके लेल हमर उद्धार करथिन। हुनके महिमा युगयुगान्तर होएत रहए। आमीन।19प्रिस्किला आ अक्विलाके, आ उनेसिफुरूसके घरानिके नमस्कार कहि देबनि।20इरास्तुस कोरिन्थ शहरमे रहि गेलै, आ त्रोफिमुसके हम मिलेतुस शहरमे बेमार छोड़ि आएल छली।21जाड़स' पहिने आबि जाउ। यूबूलुस अहाँके आ पूदेंस, आ लिनुस आ क्लौदिया, आ सब भाइके नमस्कार करैत छी।22प्रभु अहाँके आत्माके साथ रहथि। आ अहाँपर परमेश्वरके अनुग्रह बनल रहए।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67