Ruth3
1एकदिन नाओमी रूथके कहलीह, “ऐ बौआ हम कामना करैत छी जे अहाँके एकटा नीक घर आ नीक पति होअए।2एहि समय अहाँ बोअजके दासीसबसंगे काज क' रहल छी। जेना अहाँके बुझल अछि जे ओ हमरासबके नजदिकी सम्बन्धी छथि। तएं अहाँ ध्यानस' सुनू। आइ राति ओ खरिहानमे रहिक' जौके दौनी करतथि। अनाजके उड़ौतनि।3नहा धो' लिअ आ इत्र लगा लिअ। अहाँ अपन सबस' बढ़िया बस्त्र पहिरक' ओहि खरिहानमे जाउ जत' ओ जौके दौनी करताह। मुदा ताधरि हुनका भनक नहि लगैक जाधरि ओ खान-पिन नहि क' लेथि।4जखन ओ सुत जाएत' ध्यान देब जे ओ कत' सुतैत अछि, तखन हुनके लग जा' क' हुनकर गोरथारीमे हुनक पयर दिसके ओढ़ना घिंचिक' ओहि ठाम सुति रहब। जखन ओ उठतथि त' अहाँके कहि देताह जे की करबाक अछि।”5रूथ नाओमीके कहलनि, “जेना करबाक लेल अहाँ कहलिऐ ओहिना करएलेल हम तैयार छी।”6तहन ओ ओहि ठाम गेल जत' जौके दौनी भ' रहल छल। ओतहि ओ सबकिछु कएलनि जे ओकर साउसद्वारा कहल गेल रहए।7जखन बोअज खान-पान क' लेलाके बाद, अलसा क' सूतएलेल खरिहानके कोनो कातमे जा' क' ओतहि सुति गेलनि। तखने रूथ नुका-नुकाक हुनकालग गेलीह आ हुनकर पयरक' ओढ़ना घिंचिक' गोरथारीएमे सुति रहलीह।8अधरतियामे हुनकर निन टूटि गेलनि, आ उठिक' बसि गेलाकबाद, देखलक जे कोनो स्त्री हुनक गोरथारीमे सुतल अछि।9ओ पुछलक, “अहाँके छी?” ओ कहलीह, “हम अहींके दासी रूथ छी। आब अहाँ हमरासंगे विवाह क' क' हमर जीवन सुरक्षित क' दिअ', किएक त' अहाँ हमर मरि गेल पतिके नजदीकके छुटकारा देबबलासबमे स' छी।”10बोअज कहलक, “ऐ कनिया, यहोवा अहाँके आशीष देथि! पहिनेस' अहाँ अपन सासु प्रति बहुत इमानदार छलहुं, मुदा आब पहिनेस' बेसी इमानदारी देखबैत विवाहलेल कोनो जवान आ धनवान आ गरीबके पाछु नहि गेलहुं।11से ऐ कनिया, जे किछु अहाँ हमरा कहली ओ सबकिछु करएलेल हम तैयार छी, नहि डेराउ, एहि नगरके सबकेओके बुझल अछि जे अहाँ इमानदार आ चरित्रवान स्त्री छी।12ओना त' हम नाओमीके नजदिकी छुटकारा देबएबला मे स' हम छी आ एहिलेल हम अहाँ दुनूगोटेके जिम्मेवार छी। मुदा एकगोटे आओर छथि जे हमरोस' नजदिकी छुटकारा देबएबलासबमे स' छथि।13आइ राति एहि ठाम रहू, काल्हि भोरे हम ओहि आदमीके अहाँके छोड़ाबएलेल कहबनि। यदि मानि गेलनि त' ठीक, मुदा विवाह करएलेल तैयार नहि भेल त' हम यहोवाके किरिया खा' क' कहैत छी जे हम अहाँसंगे विवाह करब आ अहाँके देखभाल करब। एखन भोर धरि एहि ठाम सुति रहू।”14रूथ बोअजके गोरथारीमे ओंठल रहलीह आ केओ नहि चिन्हए तएं बड़का भोरे उठिक' चलि गेलीह, किएक त' बोअज नहि चाहैत छलनि जे हुनक खरिहानमे हुनकासंगे कोनो स्त्री रहनि से लोकसब जानए।15तब बोअज ओकरा कहलकनि, “अहाँ अपन ओढ़ना बिछाउ” आ रूथ ओहिना कएलीह तब बोअज ओहिमे जौ राखि देलनि आ ओढ़नाके बान्हिक' माथपर राखि देलक आ ओ शहर दिस आबि गेलीह।16जं रूथ घर पहुंचली, ओकर सासु पुछलक, “ए बौआ, अहाँ रूथ छी?” तखन रूथ अपन सासुके ओ सबकिछु कहि देलनि जे बोअज ओकरासंगे कएने छल।17ओ नाओमीके कहलनि, “एना कहैत ओहे ई जौ देलकनि, ‘अहाँ अपन सासु ल' खाली हाथ जाउ से हम नहि चाहैत छी।’”18तखन नाओमी कहलकनि, “हमर बौआ, आब कथी होएत से देखएलेल बाट जोहू। ओहि आदमीके ई काज समाधान कएने बिना चैन नहि अएतै।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.