Ruth2

1ओत' एकटा आदमी रहैक जे नाओमीके पतिके नातागोतामे के रहए। ओ धनवान आ प्रतिष्ठित रहए आ एलीमेलेकके वंशके रहए आ ओकर नाम बोअज रहनि।
2  मोआबी रूथ अपन सासु नाओमीके कहलीह, “हमरा खेतमे जाएके अनुमति दिअ, जे हम खेतमे जाक' बालि कटनिहारके पाछु जाक' लोढ़ि सकी जे हमरा दया देखाओत।” नाओमी कहलनि, “जाउ हमर बौआ जाउ।”
3तखन रूथ लोढ़ा लोढ़' चलि गेलीह। ओ खेतमे पहुंचक' बालि कटनिहारके पाछु पाछु लोढ़ए लगलीह। लोढ़िते लोढ़िते ओ खेतके ओहि भागमे पहुंच गेलीह जे खेत ओकर सम्बन्धी बोअज आ एलीमेलेकके छल।
4आ बोअज सेहो बेतलेहमस' घुरिक' आएल छल। ओ कटनी करएबलासबस' हालचाल पुछिक' कहलक, “यहोवा अहाँसबके संग रहथि” ओसब कहलक जे यहोवा अहाँके आशीष देथि।
5बोअज रूथके देख अपन जनसबके अगुवाके पुछलनि, “ई स्त्रीके छथि।”6ओ अगुवा हुनका कहलकनि, “ओ नाओमीसंगे मोआबस' आएल मोआबी स्त्री रूथ छथि।7ओ स्त्री हमरा कहलनि, ‘कटनी करएबलासबके पाछु पाछु पजासबके बीच लोढ़ा लोढ़ए दिअके विनती कएलनि।’ ओ भोरेस' एखन धरि बिना सुस्तएने काज क' रहल अछि, मुदा किछुकाल लेल सुस्ता रहल छथि।”
8तखन बोअज रूथके कहलनि, “हे कनिया हमर बात सुनू, अहाँके लोढ़ा लोढ़एलेल दोसर खेतमे जएबाक कोनो काज नहि अछि। हमर नोकरनीसबके संगे एहि ठाम रहू आ ओकरेसबसंगे लोढ़ा लोढ़ू।9हमर नोकरनीसबके संगे कटनी कएनिहारके पाछु पाछु जाउ, ओकरासबस' कहि देने छी जे अहाँके केओ किछु नहि कहताह। जखन अहाँके पियास लागे त' पानिके वर्तनमे स पानि पीबि लिअ, जे पैनभरनीसब पानि भरिक' रखने अछि।”
10तखन रूथ जमीनपर माथ टेकिक' प्रणाम कएलीह, आ कहलीह, “जे हम त' परदेशी छी ई बुझति, हमरा प्रति एतेक कृपा किएक?”11बोअज कहलनि, “लोकसब हमरा सबटा बात बतौलनि अछि जे अहाँ अपन पतिके मरलाक' बाद अहाँ अपन सासुके नीक सेवा कएने छी। ओसब बतौलनि जे अहाँ अपन माय-बाबू आ अपन जन्मभूमिके छोड़िक' ओहि लोकसबके बीचमे रहएलेल आबि गेल छी जेकरा अहाँ कहियो स' नहि जनैत छी।12हम यहोवास' विनती करए छी, जेहन अहाँ काज कएने छी ओकर फल देथि, जिनका शरण स्थानमे अहाँ आएल छी ओएह यहोवा इजराएलके परमेश्वर अहाँके कल्याण करथि।”
13ओ विनम्रतापूर्वक कहलनि, “मालिक, हमरापर अहाँके कृपा अछि किएक त' हम अहाँके नोकरनी आ नोकरनी सबमेस' नहि होइतहुं अहाँ जे दया देखएलहुं आ शान्ति देलहुं।”
14भोजनक समय खाएकालमे बोअज रूथके कहलनि, “आबिक' किछु खा' लिअ, ई रोटी ल' क' चटनी जरे खाउ।” तखन ओ जन-बोनिहार संगे बसि गेलीह आ बोअज ओकरा खायक देलक आ ओ पेट भरि खा' क' किछु उबारियो लेलीह।
15खएलाके बाद, जखन रूथ फेरुस' लोढ़' जाएलेल उठलनि, बोअज अपन नोकरसबके कहलनि, “लोढ़ैत काल पसही आ बोजहाके बीचमे जा' क' लोढ़त त' ओकरा केओ किछु नहि कहबनि।16मुदा हम चाहैत छी जे अहाँसब बोझा बान्हैत काल किछु बालि छिट देबनि जे ओ लोढ़ि सकए आ ओकरा केओ किछु नहि कहबनि आ नहि डंटबनि।”
17तएं रूथ सांझ धरि लोढ़ा लोढ़ैत रहि गेलीह आ जखन सांझ दिस लोढ़ा मिजलक त' बड़का टोकरी स' एक टोकरी जौ भेलै।18रूथ लोढ़ाके अनाज ल' क' नगरमे अपन घर गेलनि आ अपन दिनभरिके काज क' परिणाम सासुके देखएलीह आ दुपहरमे भोजनक समय खाइत कालमे उबरल भोजन सेहो सासुके देलीह।
19रूथके सासु ओकरा पुछलनि, “आजुक दिन कत' स' ई अनाज जम्मा कएलहुं? केकरा खेतमे लोढ़ा लोढ़ली? हमर विनती अछि जे परमेश्वर हुनका आशीष देथि, जे अहाँपर दया देखौलक।” तखन रूथ अपन सासुके कहलीह जे ओ केकरा खेतमे लोढ़ा लोढ़ए गेल छलीह आ हुनकर नाम बोअज रहए सेहो कहि देलीह।20 नाओमी अपन पुतहु के कहलीह, “यहोवा हुनका आशीष देथि, यहोवा जीवित आ मरि गेलसबके उपर कृपा कएनाइ नहि छोड़ने अछि।” तखन ओ कहलनि, “ओ त', हमर पतिके कुटुम्ब अछि, सांच्चे कहू त' ओ आदमी हमरासबहक परिवारके छोड़ाबएबला सबमेस' एक छथि।21तखन मोआबी रूथ अपन सासुके कहलीह, ओ हमरा कहलथि जे हमर नोकरसब जाधरि अनाज नहि समेटि लेत ताधरि ओकरासबसंगे काज करु।”22नाओमी अपन पुतहु रूथके कहलनि, “हे हमर बौआ अहाँक लेल नीक होइत जे हुनकर नोकरनीसबसंगे खेतमे जाउ किएक त' दोसरके खेतमे जाएब त' समस्या भ' सकए।”23एहि कारण रूथ बोअजके जौ आ गहुंम खेतमे हुनका नोकर चाकरसबसंगे काज कएलीह, आ अपन साउससंगे रहलीह।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67