Romans13

1प्रत्येक विश्वासीके शासकीय अधिकारीसबके आज्ञाके मनएबाक चाही। ई स्मरण राखू जे ओ परमेश्वरे अछि जे ओहि अधिकारीसबके अधिकार दैत अछि। एकर बदला, जे अधिकारी अस्तित्वमे अछि ओकरा परमेश्वरे दिसस' नियुक्त कएल गेल अछि। 2तएं, जे केओ ओहि अधिकारीसबके विरोध करैत अछि ओ परमेश्वरक' दिसस' नियुक्ती के विरोध करैत अछि। एकर तथापि, जे लोक ओहि अधिकारीसबके विरोध करैत अछि ओ ओहि अधिकारीसबके दण्ड ओकरासबपर रहत।3हम ई एहिलेल कहैत छी, जे शासकके अधिकारीसब नीक काज करएबलाके भयभीत नहि करत। एकर बदला, ओ खराब काज करएबलाके भयभीत करैत अछि। एहिलेल, यदि अहाँमेस' केओ भला करए, त' ओ अहाँके दण्डित करबाक बदला अहाँके प्रशंसा करत!4सब अधिकारी अहाँके भलाइएके लेल परमेश्वरक सेवा करएलेल अस्तित्वमे अछि, जाहिस' ओसब अहाँमेस' सबगोटेके मदति क' सकए। यदि अहाँमेस' केओ खराब काज करए, त' निश्चय अहाँके ओकरास' भयभीत होएबाक चाही। ओ अधिकारी खराब काज करएबलाके दण्डित करएके द्वारा परमेश्वरक सेवा करएके लेल अस्तित्वमे अछि।5एहिलेल, अहाँके लेल ओहि अधिकारीसबके आज्ञाके पालन करबाक आवश्यक अछि, खाली एहिलेल नहि जे यदि अहाँ ओकर अनाज्ञाकारीता करब त' ओ अहाँके दण्डित करताह, बल्कि एहिलेल जे अहाँ अन्तरात्मामे जनैत छी जे अहाँके ओकर अधीन रहबाक चाही!6एहिलेल अहाँ कर सेहो दैत छी, किएकत ओ ओहे अधिकारी अछि जे लगातार अपन काज करैत परमेश्वरक सेवा करैत अछि।7सब अधिकारीसबके ई कहि दिऔ जे अहाँके ओकरा देबाक चाही! ओहि लोकसबके कर दिऔ जे अहाँ से कर मंगैत अछि। ओहि लोकसबके समान पर कर दिऔ जे अहाँस कर मंगैत अछि। जेकर अहाँके भय मानबाक चाही ओकर भय मानू। जेकर अहाँके सम्मान करबाक चाही ओकर सम्मान करु।8अपन सब कर्जसबके ओहि समय चुकाउ जखन अहाँके चुकब चाही। एकेटा बात जे कर्जक जकां अछि जेकरा चुकएनाइ अहाँके कखनो बंद नहि करबाक चाही ओ एक-दोसरस' प्रेम करबाक अछि। जे केओ एक-दोसरस' प्रेम करैत अछि, ओ परमेश्वरक व्यवस्थामे जे किछु मांग भेल अछि ओकरा पूरा कएने अछि।9परमेश्वर अपन व्यवस्थामे बहुते बातसबके आज्ञा देने अछि, जेना व्यभिचार नहि करु, केकरो हत्या नहि करु, चोरी नहि करु, आ कोनो दोसरके समानके इच्छा नहि करु। मुदा हम एहि वाक्य मे सम्पूर्ण व्यवस्थाके अर्थ कहि सकैत छी की: “जेना अहाँ अपने आपस' प्रेम करैत छी, अपन पड़ोसीस' ओहिना प्रेम करु।” 10यदि अहाँ अपन लगपासक सब लोकस' प्रेम करैत छी, त' अहाँ केकरो हानि नहि पहुंचाएब। तएं, जे केओ दोसरस' प्रेम करत, ओ परमेश्वरक नियमके सब मांग के पूरा करैत अछि।11ओएह करु, जे हम एखन अहाँस' कहली, विशेषरुपस' किएकत' अहाँ जनैत छी जे जाहि समयमे हम रहि रहल छी, ओ कतेक महत्वपूर्ण अछि। अहाँ जनैत छी की अहाँलेल ई पूर्णरुपस' सतर्क आ सक्रिय होएबाक समय अछि, ओहि लोक जकां जे निनस' जागि गेल अछि, किएकत' जखन मसीह हमरा एहि संसारके पाप आ दुखस' आखिरकार उद्धार करब, ओ समय आब निकट अछि। ओ समय आब ओहि समयस' अधिक निकट अछि जखन हम पहिन बेर मसीहपर विश्वास कएने रही।12एहि संसारमे जीवन बिताबएके हमरा समय लगभग समाप्त भ' गेल अछि, ओहि रातिके जकां जे लगभग समाप्त भ' गेल अछि। ओ समय निकट अछि जखन मसीह फेरुस' आएत। एहिलेल, हमरासबके ओहि खराब काजसबके कएनाइ बंद क' देबाक चाही जेकरा लोक रातिमे कएनाइ पसीन करैत अछि, आ हमरासबके ओहि काजसबके करबाक चाही जे हमरा खराब काज विरोध करएमे मदति करए, ओहि सैनिक सब जकां अपन शत्रुसबके विरोध करएलेल तैयार रहके लेल दिनमे अपन ढाल पहिरैत अछि।13हमरासबके उचित व्यवहार करबाक चाही, जे बुझू मसीहक घुमिक समय पहिनेस' आबि गेल अछि। हमरासबके मतवाला भ' क' दोसरके संगे खराब काज नहि करबाक चाही। हमरासबके कोनो तरहें के व्यभिचार वा उग्र कामुक व्यवहार नहि करबाक चाही। हमरासबके झगड़ा नहि करबाक चाही। हमरासबके दोसरसबस' ईर्ष्या नहि करबाक चाही।14एकर विपरीत, हमरासबके प्रभु यीशु मसीह जकां बनबाक चाही जाहिस' दोसर लोक देख सकए जे ओ केहन अछि। अहाँके ओहि काजसबके करबाक इच्छा छोड़ि देबाक चाही जे अहाँके पुरना दुष्ट स्वभाव करबाक चाहैत अछि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67