Romans12

1एहिलेल, एहि सबबातके ध्यानमे रखैत जे हम अहाँके बतएने छी, हम अहाँस' विनती करए छी, यौ भाइसब, परमेश्वरक करुणाके आधार पर अहाँ अपन शरीरके एकटा जीवित बलिदानके रुपमे अर्पित करु, जे पवित्र आ परमेश्वरक प्रसन्न करएबला भ' सकए। इहे अहाँक असली सेवा अछि परमेश्वरके।2एहि संसारके पापी लोकसबके जकां नहि बनू। बल्कि, परमेश्वर अहाँक विचारके बदलिक' अहाँक आचरण बदलि दिए, जाहिस' अहाँ बुझि सकी आ परखि सकी की परमेश्वरक इच्छा की अछि। परमेश्वर चाहैत अछि की अहाँ ओ करी जे नीक, प्रसन्नकारी आ सिद्ध अछि।3सांचो, जाहि तरहें परमेश्वर हमरा अनुग्रहपूर्वक अधिकार देने अछि, हम अहाँसबस' कहैत छी की अहाँ अपन विषयमे आवश्यकतास' बहुते अधिक नहि सोंचू। बल्कि, अपना विषयमे सही विचार करु, जतेक विश्वास परमेश्वर अहाँमेस' प्रत्येकके देने अछि ओकर अनुसार।4अहाँके अपना विषयमे सही सोंचब चाही किएकत' जेना एकटा मानव शरीरके कएटा अंग होएत अछि, आ प्रत्येक अंगके अलग उदेश्य होएत अछि,5ओहिना, हमहूं मसीहमे बहुते विश्वासी छी आ एकटा शरीरक अंग छी। हम एक-दोसरके संग एहि तरहें जुड़ल छी जेना मानव शरीरके अंग जुड़ल होएत अछि।6तइयो, हम मसीहमे विश्वासीसबके अलग-अलग आत्मिक वरदान भेटल अछि, परमेश्वरक अनुग्रहके अनुसार। यदि परमेश्वर अहाँके भविष्यवाणी करएके क्षमता देने अछि, त' विश्वासीके अनुसार भविष्यवाणी करु जे परमेश्वर अहाँके देने अछि।7यदि परमेश्वर अहाँके सेवा करबाक क्षमता देने अछि, त' अहाँके सेवा करबाक चाही। यदि परमेश्वर अहाँके शिक्षा देबाक क्षमता देने अछि, त' अहाँके शिक्षा देबाक चाही।8यदि परमेश्वर अहाँके दोसरके प्रोत्साहित करबाक क्षमता देने अछि, त' अहाँ प्रोत्साहित करु। यदि परमेश्वर अहाँके दिअके क्षमता देने अछि, त' अहाँ उदारतास' दिऔ। यदि परमेश्वर अहाँके नेतृत्व करएके क्षमता देने अछि, त' अहाँ उत्साहपूर्वक नेतृत्व करु। यदि परमेश्वर अहाँके दयालु होएबाक क्षमता देने अछि, त' अहाँ प्रसन्नता स' दया करु।9प्रेममे निष्कपट बनू। जे अधलाह अछि ओकरास' घृणा करु। जे नीक अछि हुनका दृढ़तास' पकड़ने रहू। 10अपन संगी विश्वासीसबस' भातृ-स्नेह करएमे एक-दोसरस' प्रेम बनू। दोसर संगी-विश्वासी सबहक आदर करएमे पहिन बनू।11अपन संगी विश्वासीसबस' प्रेम करएके मामिलामे एक-दोसरके प्रति आत्मामे प्रोत्साहित बनल रहू। दोसर संगी-विश्वासी सबहक आदर करएमे पहिन बनू। प्रभुके सेवा करैत रहू।12प्रभुमे आशास' आनन्दित रहू। कष्टमे धैर्य राखू। लगातार प्रार्थना करैत रहू।13जे किछु अहाँके लग अछि ओकरामे परमेश्वरक पवित्र लोकके सहायता करु। दोसरके स्वागत करएमे सहभागीके अवसर खोजू।14जे लोक अहाँके अपमान करैत अछि, ओकरालेल परमेश्वरस' आशीष मांगू। ओकरा सराप देबएके बदला आशीष दू।15जे आनन्दित अछि ओकरासंगे आनन्दित होउ। जे कनैत अछि ओकरासंगे कानू। 16एक-दोसरके प्रति ओहने विचार राखू जेहन अपनालेल रखैत छी। अभिमानी नहि बनू। बल्कि, विनम्र लोकसबके संगे रहू। घमण्ड नहि करु। 17अधलाहके बदला अधलाह नहि करु। जे कोनो काजसबके सोझामे भल अछि, ओकरापर ध्यान दू।18जत धरि भ' सकए, सबहक संग मेल-मिलाप भ' क' शान्तिस' रहू।19हे प्रिय भाइसब, जखन केओ अहाँके विरुद्ध अधलाह करैत अछि, त' बदला नहि लिअ। बल्कि परमेश्वरके ओकरा दण्ड दिअ दिऔ। हम ई एहिलेल कहैत छी किएकत मूसा शास्त्रमे लिखने अछि, “प्रभु कहैत अछि, ‘हमहीं प्रतिशोध लेबए। हमहीं ओकरा ओकर कर्म अनुसार दण्ड देब।’” 20बल्कि हमरा बदला लेबाक अनुमति नहि दैत परमेश्वर शास्त्रमे ई निर्देश देने अछि, “यदि अहाँके दुश्मन भूखल होअए त' ओकरा भोजन कराउ। यदि ओ पियासल होए त' ओकरा पानि पियाउ। एना क' क' ओकरा माथपर अहाँ जरैत कोइलाके ढेर ध' देबनि।” 21दोसर शब्दमे, गलतीके अपना उपर हावी नहि होअए दू जे अहूं खराब काज करए लागू। बल्कि, भलाइस' गलती पर विजय प्राप्त करु।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67