Romans14
1ओहि लोकसबके स्वीकार करु जे विश्वासमे एहि बातक लेल निश्चित नहि अछि जे परमेश्वर ओकरा किछु एहन काज करबाक अनुमति देथिन वा नहि, जेकरा किछु लोक गलत बुझति अछि। मुदा जखन अहाँ ओकरा स्वीकार करु, त' ओकरास' ओहि विषयमे बहस नहि करब जे ओ की सोंचैत अछि। ई प्रश्न मात्र व्यक्तिगत विचार अछि।2किछु लोक विश्वास करैत अछि जे ओसब प्रकारक भोजन खा सकैत अछि। दोसर लोक विश्वास करैत अछि जे परमेश्वर नहि चाहैत अछि जे ओ किछु खाए, एहिलेल, ओ विश्वास करैत अछि जे ओकरा मात्र शाकाहारी भोजन खएबाक चाही।3जे केओ ई सोंचए जे सब प्रकारक' भोजन खएनाइ बिलकुल ठीक अछि, त' ओकरा ओहि लोकके तुच्छ नहि बुझबाक चाही जे एहन नहि बुझति अछि। जे केओ ई सोंचए जे सब प्रकारक' भोजन खएनाइ बिलकुल ठीक नहि अछि, त ओकरा ओहि लोकसबके दोषी नहि बनएबाक चाही जे दोसर तरहेंस' बुझति अछि, किएकत स्वयं परमेश्वर ओहि लोकसबके स्वीकार कएने अछि।4जखन अहाँ कोनो दोसरके दासक मूल्यांकन करैत छी त' अहाँ गलत छी। हमसब परमेश्वरक' सेवक छी, तएं, परमेश्वर हमरासबके स्वामी अछि। ओहे अछि जे ई निर्धारीत करत जे ओ लोकसब गलत कएने अछि वा नहि! एहि सम्बन्धमे केकरो दोसरके न्याय नहि करबाक चाही, किएकत ओ ओकरा अपना प्रति विश्वासयोग्य राखएमे सक्षम अछि।5किछु लोक आन दिनक तुलनामे किछु दिनके बेसी पवित्र मानैत अछि। दोसर लोकसब दिनके परमेश्वरक' आराधना लेल समान रुपस' उपयुक्त मानैत अछि। एहन विषयके विषयमे सब लोक दोसर लेल नहि, बल्कि अपनालेल सोंचब आ निर्णय लेबएलेल पूरे आश्वस्त होएबाक चाही। 6जत धरि ओहि लोकक' सोंच अछि जे विश्वास करैत अछि जे ओकरा सप्ताहक कोनो चुनल दिन आराधना करबाक चाही, त' ओ ओहि दिन आराधना क' क' प्रभुक' महिमा करैत अछि। आ जत धरि ओहि लोकक बात अछि जे सोंचैत अछि जे सब तरहें के भोजन करबाक उचित अछि, त ओ ओहि भोजनसब के खाक प्रभुक महिमा करैत अछि, किएकत ओ अपन भोजनक लेल परमेश्वरके धन्यवाद करैत अछि। जत धरि ओहि लोकक बात अछि जे कोनो प्रकारक भोजनके खएबाक लेल परहेज करैत अछि, त' ओ ओहि भोजनसब के नहि खाक प्रभुक महिमा करैत अछि आ ओ ओहि भोजनक लेल सेहो परमेश्वरक धन्यवाद करैत अछि जे ओ खाएत अछि। एहिलेल ई लोकसब गलत नहि अछि, चाहे ओ दोसर तरहेंस' सोंचैत होए।7हमरासबमे' स' केकरो खाली अपने खुश रहबाक लेल जीवन नहि बितएबाक चाही, आ हमरासबमेस' केकरो ई नहि सोंचब चाही जे जखन हम मरैत छी, त' एकर प्रभाव खाली हमरेपर पड़ैत अछि।8जखनधरि हम जीवित छी, त' हम प्रभुके छी आ हमरा खाली स्वयंके नहि, मुदा ओकरा खुश करबाक कोशिस करबाक चाही। आ जखन हम मरैत छी त ओ प्रभुए अछि जिनका हमरा खुश करबाक कोशिस करबाक चाही। एहिलेल जखनधरि हम जीवित छी आ जखन हम मरैत छी, तखनो हमरासबके प्रभुके खुश करबाक कोशिस करबाक चाही, किएकत हम ओकरे छी।9किएकत मसीह मारिक' फेरुस' जीबि उठल जाहिस' ओ प्रभु बनि सकए जेकर आज्ञाक पालन सब लोकसबके अर्थात् जीवित वा मरल दुनूके करबाक चाही।10शास्त्रमे ई लिखल अछि जे ई लाजक बात अछि जे अहाँ कोनो नियमसबके पालन करैत छी, कहैत छी जे परमेश्वर ओहि नियमसबके पालन नहि करएबला अहाँके संगी-विश्वासीसबके दण्डित करत। किएकत परमेश्वर हमरासबमेस सबगोटेके न्यायक सिंहासनके सामने खड़ा होएब पड़त।11हम ई एहिलेल जनैत छी जे ई पवित्र शास्त्रमे लिखल अछि, “प्रभु कहैत छथि, हम जीवित छी, सबगोटे हमरा आगुमे झुकत! आ सब केओ हमर प्रशंसा करत।” 12किएकत हमरासबमे' स' सबगोटेके परमेश्वरके बताबए पड़त जे हम की कएने छी आ ओकरा ई निर्धारीत करए दिअ पड़त जे ओ एकरा मंजूरी दैत अछि की नहि।13एहिलेल हमरा दोसर विश्वासीसबहक न्याय करब बंद क' देबाक चाही। एकर बदला, हमरा ई संकल्प लेबाक चाही जे हम एहन किछु ठोकर नहि राखी जे हमरासबके संगी विश्वासीसबके पाप करबाक परीक्षामे फंसि जाइक।14किएकत हम प्रभु यीशुस' जुड़ल छी, एहिलेल हमरा पूरा विश्वास अछि जे एहन किछु नहि अछि जे खएबाक लेल अशुद्ध होए। मुदा यदि लोकसबके लगैत अछि जे किछु खएबाक गलत अछि, त' ओ खएनाइ ओकरालेल अशुद्ध अछि। एहिलेल अहाँके ओ खएबाक लेल प्रोत्साहित नहि करबाक चाही।15यदि अहाँ एहन भोजन खाउ जेकरा कोनो संगी-विश्वासी खएबाक लेल खराब बुझति अछि, त' अहाँ ओकरा परमेश्वरक' आज्ञाके पालन करबाक बंद करबाक लेल प्रेरित क' सकैत छी। अहाँ आब ओकरास' प्रेम नहि क सकब। कोनो संगी-विश्वासीके मसीहपर विश्वास कएनाइ बंद करएलेल प्रेरित नहि करु। आखिरकार, मसीह ओकरोलेल मरल छलथि!16एहि तरहें', एहन किछु नहि करु जेकरा अहाँके संगी-विश्वासी निन्दा कहए, भलेहि अहाँके लागए जे ई नीक अछि।17जखन परमेश्वर हमर जीवन जिअएके तरीका पर शासन करैत अछि, त' हम एहि विषयमे चिन्ता नहि करैत छी जे हम की खाइत आ की पिएत छी। एकर बदला, हम एहि विषयमे सोंचैत छी जे ओकर आज्ञाक' पालन करबाक लेल, एक-दोसराक' संगे शान्ति बनाक राखएलेल आ पवित्र आत्माके' कारणे धार्मिकता, आ आनन्दित, आ शान्ति अछि।18जे लोक एहि तरहें' व्यवहार क' क' मसीहक सेवा करैत अछि, ओ परमेश्वरके प्रसन्न करैत अछि, आ दोसरो ओकर ग्रहणयोग्य करत।19एहिलेल, हमरा सदिखन उत्सुकतापूर्वक से एहि तरहें जीवन बितबएके प्रयत्न करबाक चाही जाहिस' संगी मसीही विश्वासीसबहक' बीच शान्ति बनल रहए, आ हमरा एना करबाक' प्रयत्न करबाक चाही जे एक-दोसरके मसीहपर विश्वास करए आ ओकर आज्ञाक पालन करए' मे मजगूत करए।20भोजनके लेल परमेश्वरक काज नहि बिगाड़ू। सब खाएबला वस्तु शुद्ध होएत अछि, मुदा ई ओहि मनुष्यके लेल ठोकरके कारण अछि जे खाइत अछि आ अपमानित करैत अछि।21नीक अछि जे अहाँ मासु नहि खाउ, नहि दाखमद्य पिबू, वा एहन किछु नहि करु जे अहाँके संगी-विश्वासीके पाप करएलेल लोभाबए, वा जे ओहि व्यक्तिके ठेंस लगाबए अछि वा ओहि व्यक्तिके आत्मिकरुपस' अपरिपक्व रहके कारण भ' सकैत अछि।22जे अहाँ विश्वास करैत छी जेकरा करबाक अनुमति परमेश्वर अहाँके दैत अछि ओकरा अपन आ परमेश्वरक' बीच राखू। जे व्यक्ति सही मानैत अछि ओकरा न्याय नहि करतथि त ओ धन्य अछि।23परन्च किछु विश्वासीसबके सन्देह होएत अछि जे यदि ओ विशेष प्रकारक भोजन खाएत त' परमेश्वर प्रसन्न नहि होएत। आ वास्तवमे, यदि ओ नहि करत जे ओकरा ठीक लगैत अछि त' ओ कहत जे ओसब दोषी अछि। यदि हम बिना ई सुनिश्चित कएने किछु करैत छी जे परमेश्वर एकर मंजूरी दैत अछि त' हम पाप करैत छी छथि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.