Romans11
1यदि हम पुछी, “की परमेश्वर अपन इजराएली लोकसबके अर्थात् यहूदीके अस्वीकारक' देने अछि?” त' उत्तर होएत, “निश्चितरुपस' नहि!” ई मन राखू जे हमहूं इजराएलके लोकसबस' सम्बन्धित छी। हम अब्राहमके वंशज छी, आ हम बिन्यामीनके गोत्रस' सम्बन्धित छी, मुदा परमेश्वरके बजाहैट हमरा अस्वीकार नहि कएलनि!2नहि, परमेश्वर अपन ओहि लोकके अस्वीकार कएलनि, जिनका ओ बहुत पहिनेस' एहन लोकके रुपमे चुनने छलनि जिनका ओ एक विशेष तरीकास' आशीष देत। ई मन राखू की एलियाह गलतीस' परमेश्वरस' इजराएली लोकके विषयमे शिकायत कएने छल, जेना की पवित्र शास्त्र कहैत अछि :3“हे प्रभु, ओ अहाँके बांकी प्रवक्तासबके मारि देने अछि, आ ओ अहाँक वेदीके नाश क' देने अछि। हमहीं अहाँपर विश्वास करएबला एकमात्र व्यक्ति जीवित बचल छी, आ आब ओ हमरा मारि देबाक प्रयत्न क' रहल अछि!” 4परमेश्वर हुनका एहि तरहें अलौकिक उत्तर देलनि: “अहीं एसगरे नहि रहि गेल छी जे हमरा प्रति विश्वासयोग्य अछि। हम इजराएलमे अपनालेल एहन सात हजार पुरुषके सुरक्षित रखबाक देख-रेख कएने छी, जे सब झूठ देवता बालके उपासना नहि कएने अछि।” 5एहि तरहें, एहि समयमे किछु विश्वासयोग्य इजराएली बचल अछि। एहन एहिलेल अछि किएकत' परमेश्वर हुनका बनल रहबाक लेल अनुग्रहमे चुनने छथि।6किएकत' एहन एहिलेल अछि किएकत' ओ अपन चुनल लोकके प्रति दयालु भ क' व्यवहार करैत अछि, आ एहन एहिलेल नहि अछि केओ भल काज कएने अछि एहि कारणे ओ हुनका चुनलनि। यदि परमेश्वर लोकके एहिलेल चुनने होथि केओ भल काज कएने अछि, त' ओ हुनका प्रति दयालु भ क' व्यवहार करएके आवश्यकता नहि होथि।7किएकत' परमेश्वर इजराएलके किछु लोकके खाली नहि चुनने छलनि, एहिस' हमरा मालूम होएत अछि की अधिकांश यहूदी ओ प्राप्त करएमे असफल रहल जिनका ओ खोज क' रहल छल यद्यपि जे यहूदीसबके परमेश्वर चुनने छलनि हुनका ओ प्राप्त भ' गेल। अधिकांश यहूदी ओ बुझएके लेल तैयार नहि भेल जे परमेश्वर हुनका कहि रहल छलनि।8ई ओएह अछि जेकरा विषयमे यशायाह प्रवक्ता शास्त्रमे लिखने छलनि: “परमेश्वर ओकर आत्माके हठी बना देलनि। हुनका मसीहके विषयमे सत्यताके बुझएमे सक्षम होएबाक चाही छल, मुदा ओ नहि बुझि सकल। जखन परमेश्वर कहलनि त' हुनका हुनकर आज्ञा मानबाक चाही छल, मुदा ओ एहन नहि कएलनि। ई आइके दिन धरि एहने अछि।” 9दाऊद शास्त्रमे इहो कहलनि, “हे परमेश्वर, जाहि विलासितापूर्ण जीवनशैली मे ओ रहैत अछि, हुनका ओ पूर्णरुपस' तरहें दण्डित करु जेना एकटा शिकारी कोनो जानबरके जाल आ फन्दामे फंसबैत अछि! ओकरा विलासितापूर्ण जीवनशैलीके ओकरा पाप करबाक लेल मजबूर करु आ ओकरा पाप करएके लेल प्रतिफल दू! 10जखन ओकरापर खतरा आ पड़ल त' ओ ओकरा देख नहि सकल। अहाँ सर्वदा ओकरा ओकर परेशानीके कारण पीड़ित करु।” 11फेरुस' हम कहैत छी, “यहूदी लोकसब एहिलेल ठोकर नहि खाइत छल जे खसि पड़ए?” कखनो नहि! बल्कि, हुनकासबहक अपराधके कारणे ई उद्धार आन जातिसबके देल गेल अछि, जाहिस' हुनकासबके ईर्ष्या करबाक लेल भड़काओल जा सकए। 12जखन यहूदीसबके अपराध मसीहके अस्वीकार करबाक परिणाम ई भेल जे परमेश्वर एहि संसारके आन लोकसबके विश्वास करएके अवसर द' क' ओकरा भरपूर आशीष देलनि। आ जखन यहूदी आत्मिकरुपस' विफल भ' गेल, त' एकर परिणाम ई भेल की परमेश्वर गैर-यहूदीसबके भरपूर आशीष देलनि। किएकत' ई बात सांच अछि, त' सोंचू की ई कतेक अद्भुत होएत जखन परमेश्वरके द्वारा चुनल गेल यहूदी पूरा संख्या मसीहपर विश्वास करत!13आब आगु आबएबला ई बात अहाँ गैर-यहूदीसबके लेल अछि जे हम कहि रहल छी। ओ हमहीं छी जे अहाँ जेहन गैर-यहूदीसबके लेल प्रेरित छी, आ हम एहि सेवाके बड़ाइ करैत छी जाहिके लेल परमेश्वर हमरा नियुक्त कएने छथि।14किएकत' हमरा इहो आशा अछि जे हम अपन शरीरस' अपन संगी यहूदीसबके ईर्ष्यालु बनाएब, जेकर परिणाम स्वरुप हुनकामे स' किछु विश्वास करत आ एहि प्रकार बचाएल जाएत।15परमेश्वर हमर अधिकांश संगी यहूदीसबके एहिलेल अस्वीकारक' देलनि किएकत' ओ विश्वास करएस' अस्वीकार क' देलनि, जेकर परिणाम स्वरुप ओ अपन आ एहि संसारके आन लोकके बीच मेल-मिलापके सम्बन्ध स्थापित कएलनि। यदि अधिकांश यहूदीसबके द्वारा मसीहके अस्वीकार करएके बादो एहन भेल, त' ओहि उत्कृष्ट बात सबके विषयमे विचार करु जे हुनकाद्वारा ओकरापर विश्वास करएके बाद होएत। ई एहन होएत की जेना ओ मरलके स्थानमेस' जीवित उठल अछि!16जेना सानल आंटाके सौंसे ढेरी परमेश्वरके भ' जाएत अछि जं लोक ओहि सानल आंटास' पहिन बनल रोटी परमेश्वरके चढ़बैत अछि, ओहिना यहूदीसब परमेश्वरके एहिलेल भ' जाएत किएकत' ओकर पूर्वज परमेश्वरके छल। आ जेना गाछक पवित्र अछि त' डाढ़ि सेहो पवित्र परमेश्वरक भ' जाएत अछि यदि जड़ि परमेश्वरक अछि, त' ओहिना हमर महान यहूदी पूर्वज जे परमेश्वरक छल, ओकर वंशज सेहो कोनो दिन परमेश्वरके भ' जाएत।17परमेश्वर बहुते यहूदीसबके ओहिना अस्वीकारक' देने अछि, जेना लोक गाछक सुखल डाढ़िके तोड़ि देत अछि। आ अहाँमेस' प्रत्येक गैर-यहूदी जेकरा परमेश्वर स्वीकार कएने अछि, ओ एकटा बिना खेतीबला जैतूनके गाछक डाढ़ि जकां अछि जेकरा केओ खेतीबला जैतूनक गाछक डाढ़िमे जोड़ि देने अछि। परमेश्वर हमरास' पहिन यहूदी पूर्वजसबके आशीषमे सहभागी होएबाक तरीकास' अहाँके ओहिना लाभ पहुंचबैत अछि, जेना खेतीबला जैतूनक गाछक जड़िस' डाढ़िके लाभ पहुंचैत अछि।18किएकत', अहाँ गैर-यहूदीसब ओहि यहूदीसबके बेकार नहि बुझबाक चाही जेकरा परमेश्वर अस्वीकारक' देने अछि, भलेहि ओ ओहि डाढ़ि जकां अछि जेकरा केओ गाछस' तोड़ि देत अछि! यदि अहाँ एहि बातपर ओहि कारणे घमण्ड करए चाहैत छी जेना परमेश्वर अहाँके बचएने अछि, त' ई मन राखू की: डाढ़ि जड़िके पोषण नहि देत। एकर बदला, जड़ि डाढ़िके पोषण देत अछि। ओहिना, यहूदीसबस' जे किछु अहाँके भेटल अछि, ओहि कारणे परमेश्वर अहाँक' मदति कएने अछि! अहाँ यहूदीसबके किछु एहन नहि देलीह जे हुनका सहायता करी।19भ' सकैत अछि की अहाँ हमरास' कहि, “परमेश्वर यहूदीसबके एना अस्वीकारक' देलनि जेना लोक गाछस' खराब डाढ़ि तोड़िक' फेक देत अछि, आ ओ एहन एहिलेल कएलनि जाहिस' ओ हम गैर-यहूदीसबके स्वीकार क' सकए, जेना लोक जंगली जैतूनके गाछक डाढ़ि नीक गाछक डाढ़िमे लगबैत अछि।”20हम ई कहिक' जबाब देब जे अहाँ जे कहली ओ सत्य अछि। परमेश्वर किछु यहूदीसबके अपन लोकसबस' हटा देलनि, जेना की एकटा किसान बिना फल दिए बालि शाखा के तोड़ि देत अछि किएकत' ओ विश्वासघाती छल। अहाँ गैर-यहूदी लोक जे यीशुपर विश्वास करैत अछि हुनकापर विश्वासक' क' परमेश्वरक लोकके हिस्सा बनए रहैत अछि। अहंकारस' ई नहि सोंचू की अहाँ अविश्वासी यहूदी लोकस' नीक होए! बल्कि, परमेश्वरके डर मानू।21किएकत' परमेश्वर ओहि अविश्वासी यहूदीसबके नहि छोड़लथिन, जे जड़िस' नीकलल एकटा गाछके प्राकृतिक डाढ़िसब जकां बढ़ल छल, त' ई जानि लिअ जे यदि अहाँ विश्वास नहि करब, त' ओ अहाँके नहि छोड़त!22फेरु ध्यान दू, की परमेश्वर अनुग्रह भ' क' काज करैत अछि, मुदा ओ कठोरतापूर्वक सेहो काज करैत अछि। ओ ओहि यहूदीसबके प्रति कठोरतास' काज कएलनि जे सब मसीहपर विश्वास करएस' अस्वीकार क' देलनि। परमेश्वर अहाँक प्रति दयालु भ' क' काज कएलनि अछि, मुदा यदि अहाँ मसीहपर विश्वास बनौने नहि राखू, त' ओ कठोरतास' काज करत।23आ यदि यहूदीसब मसीहपर अविश्वासमे नहि बनल रहत, त' परमेश्वर हुनका फेरुस' ओहि गाछमे जोड़ियो देत, किएकत' परमेश्वर एहन करएमे सक्षम अछि।24अहाँ गैर-यहूदीसबके जे पहिने परमेश्वरस' अलग छल, ओहि तरीकास' लाभ पहुंचल अछि जिनकास' परमेश्वर यहूदीसबके आशीष देने छल। ई ओ निकलल डाढ़िसब जकां अछि जेकरा केओ जंगली जैतूनके गाछस' काटि देने अछि अर्थात् एकटा एहन गाछ जे बिना केकरो लगएने उगि आएल होए आ, जेना की लोक सामान्यतया पर करैत अछि, ओकर विपरीत, हुनका एकटा खेतक जैतून गाछमे जोड़ि देलनि। एहिलेल, परमेश्वर यहूदीसबके आओर बेसी तत्परता स' वापस स्वीकार करत किएकत' पहिने ओ हुनकर छल! ई एहन होएत की जेना केओ काटल गेल मूल डाढ़िसबके वापस जैतूनक ओहि गाछमे लगा देने होए जाहिस' ओ मूलरुपस' सम्बन्धित छल!25हे हमर गैर-यहूदी संगी विश्वासीसब, हम निश्चितरुपस' चाहैत छी की अहाँ एहि गुप्त सत्यके बुझू, जाहिस' अहाँ ई नहि सोंचू की अहाँ सबकिछु जनैत छी: इजराएलक बहुत स' लोक तखनधरि हठी बनल रहत जखनधरि की सब गैर-यहूदी जेकरा परमेश्वर चुनने अछि, यीशुपर विश्वास नहि क' लेत।26फेरु, ओहिना के, परमेश्वर इजराएलीसबके उद्धार करथिन। इहे ओ बात अछि जेकर यशायाह शास्त्रमे लिखने छलनि, “परमेश्वर यरूशलेमस' किनको भेजथि जे अपन लोकसबके बचौथिन। ओ लोक याकूबके वंशजसबके अधर्मी होअएस रोकत।” 27आ जेना जे परमेश्वर कहैत अछि, “जे करार हम ओकरासंगे बान्हब, ओ ओहे अछि जेकरास' हम ओकर पापक क्षमा करब।” 28यहूदीसब मसीहक विषयमे सुसमाचारके अस्वीकारक' देलक आ आब परमेश्वर ओकरासंगे अपन शत्रुसब जकां व्यवहार करैत अछि। परन्च करा स' अहाँ गैर-यहूदीसबके सहयोग भेटल अछि। परन्च किएकत ओ ओहे ओ के अछि जेकरा परमेश्वर चुनने अछि, आ किएकत ओ ओकर पूर्वजसबके लेल किछु करएके प्रतिज्ञा कएने छथि, ओहि चलते परमेश्वर एखनो ओकरास' प्रेम करैत अछि।29किएकत' परमेश्वर अपन वरदानसबस' आ बजाहैटस' कहियो पाछु नहि हटैत छथि।30अहाँ गैर-यहूदीसब एकबेर परमेश्वरक अनाज्ञाकारीता कएने रही, मुदा आब ओ अहाँ प्रति दयालु भ' क' एहिलेल काज करैत अछि, किएकत यहूदीसब हुनकर अवहेलना कएने छल।31ओहि तरहें आब ओसब परमेश्वरक अनदेखी कएने अछि। एकर मतलब ई भेल जेना केओ अहाँक प्रति कृपालु भ' क' काज कएने छल, ओहि तरहें ओ फेरुस' ओकरालेल दयालु भ' क' काज करथिन।32परमेश्वर घोषित कएलनि आ सिद्ध कएलनि अछि की सबलोक, यहूदी आ गैर-यहूदी दुनू, हुनका प्रति अनाज्ञाकारी रहल अछि। ओ ई एहिलेल घोषित कएलनि अछि, किएकत' ओ हमरासबके प्रति दयालु भ' क' काज करए चाहैत अछि।33हम आश्चर्य करैत छी जे परमेश्वरके धन, आ बुद्धि आ ज्ञानके गहिंराइ! हुनक न्याय कोनो समझ स बाहर अछि, आ हुनकर मार्ग खोजएस' दूर अछि!34हमरा ओ पवित्र शास्त्र स्मरण अबैत अछि जे बतबैत अछि जे, “केओ कखनो नहि बुझि सकल जे प्रभु की सोंचैत अछि। केओ कखनो हुनका सलाह देबएमे सक्षम नहि भेल।” 35हमरा ओ पवित्र शास्त्र स्मरण अबैत जे बतबैत अछि जे, “केओ कखनो नहि बुझि सकल जे प्रभु की सोंचैत अछि। केओ कखनो हुनका सलाह देबएमे सक्षम नहि भेल।” 36ओ परमेश्वरे छथि जे सब किछुके रचलथि। आ मात्र ओहे छथि जे सब किछुके सम्हारिक' रखैत छथि। ओ एकरा रचलथि ताहिके कारण ई अछि जे ओसब हुनकर प्रशंसा क' सकए। सब लोक हुनका सदिखन महिमा करए। आमीन!
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.