Romans10

1हमर प्रिय विश्वासी भाइसब, हमर मनके अभिलाषा अछि जे परमेश्वर इजराएलीसबके उद्धार करथि। हम प्रार्थना सेहो करैत छी जे ओ ओकरा उद्धारक' लेथि।2ई एहिलेल अछि जे हम व्यक्तिगत रुपस' गवाही दैत छी जे परमेश्वरक प्रति उत्साही अछि। परन्च, ओकर उत्सुकता परमेश्वरके पूर्णरुपस' बुझला पर आधारित नहि अछि।3ई एहिलेल अछि जे ओ नहि जनैत जे परमेश्वर लोकसबके धर्मी कोनो बनबैत अछि, आ ओ स्वयंके धर्मी बनाबएके कोशिस करैत अछि। एहिलेल ओ ओहि तरीकाके स्वीकार करए से मना करैत अछि जेकरास' परमेश्वर लोकसबके धर्मी बनबैत अछि।4ओकर ई कोशिस गलत छल, किएकत यीशु मसीह ओहि नियमसबके अन्त क' देलनि जे परमेश्वर यहूदीसबके देने रहथि। मसीह जे ई एहिलेल कएलनि जे जे केओ यीशुपर विश्वास करए, परमेश्वर ओकरा धर्मी बना सकए।5वास्तवमे, मूसा जे शास्त्रमे ई धर्मके नियमसबके पालन क' क' धर्मी बनएके विषयमे लिखलक, “जे लोक परमेश्वरके सब नियमसबके पूरे स' पालन करैत अछि ओ सदाके' लेल जीवित रहत।” 6परन्च, ई मूसा जे शास्त्रमे परमेश्वरपर विश्वासक' क' धर्मी बनएलेल कहलकनि, “अपना मनमे ई नहि कहूं, ‘निश्चय जे केओ स्वर्गमे नहि जा सकत!’” ई एहि बातके बतबैत अछि जे मसीहके पृथ्वीपर लाबएके कोशिस करबाक आवश्यकता नहि अछि।7मूसा जे ई सेहो कहलकनि, “निश्चय केओ पातालमे नहि जा सकत!” ई एहि बातके बतबैत अछि जे मसीहके मृतकमेस' जीवित करएके कोशिस करबाक आवश्यकता नहि अछि।8परन्च, मूसा जे इहो कहलकनि परमेश्वरपर विश्वासक' क' धर्मी बनबाक विषयमे, “अहाँ ई अपन मनमे बुझि सकैत छी जे परमेश्वर की कहलनि। अहाँ एकरा प्रचार क' सकैत छी आ एकरा व्यक्तिगत रुपस' जानि सकए छी।” ई परमेश्वरपर विश्वास करएके विषयमे कहएलेल अछि। ई ओहे अछि जे हम मसीहमे विश्वासके वचन प्रचार करैत रहैत छी।9हम ई प्रचार करैत छी जे परमेश्वर कोनो लोकके बचाओत जे अपन शब्दमे स्वीकार करैत अछि जे यीशु सब वस्तुके प्रभु छथि आ व्यक्तिगत रुपस' हृदयमे विश्वास करैत अछि जे परमेश्वर यीशुके मृतकमेस' जीवित कएलनि।10ई सत्य अछि किएकत परमेश्वर कोनो लोकके धर्मी बनबैत अछि जे व्यक्तिगत रुपस' यीशुपर हृदयस' विश्वास करैत अछि, आ कोनो लोकके उद्धारक' लैत छथि जे ई स्वीकार करैत अछि जे यीशु प्रभु अछि।11वास्तवमे, ई शास्त्रमे कहल गेल अछि, “परमेश्वर कोनो लोकके अपमान नहि करत जे मसीहपर विश्वास करैत अछि।” 12सांच्चेके, प्रभु यीशु यहूदीसब आ गैर-यहूदीसब मे कोनो भेदभाव नहि करए छथि। ई एहिलेल अछि किएकत यीशु सबगोटेके प्रभु छथि जे सब पर शासन करए छथि। ओ ओहि सब लोकसबके उदारतास' आशीर्वाद दैत छथि जे हुनकास' बचएके लेल हुनका पुकारैत अछि।13वास्तवमे, योएलद्वारा जे शास्त्रमे लिखल अछि “परमेश्वर ओहि सब लोकके बचाओत जे प्रभुके नाम पुकारैत अछि।” 14एहिलेल, लोक निश्चितरुपस' प्रभु यीशुस' बचाबएलेल पुकारि नहि सकत यदि ओ प्रभु पर विश्वास नहि करत। आ लोक निश्चितरुपस' यीशुमे विश्वास नहि क' सकत यदि ओसब हुनका विषयमे नहि सुनलक। आ लोक निश्चितरुपस' यीशुक विषयमे नहि सुनि सकत यदि केओ हुनका विषयमे प्रचार नहि करत।15आ निश्चितरुपस' लोक दोसरसबके ई बताबएलेल प्रचार नहि करत जे यीशुके छथि जखनधरि जे केओ ओकरा नहि पठौलनि! यशायाहके' अर्थ छल जखन ओ शास्त्रमे लिखलक, “ई कतेक सुन्दर अछि जखन लोक जाक' दोसरके नीक सुसमाचारके विषयमे बतबैत अछि!” 16ओना, सब यहूदी लोक जे यीशुक विषयमे सुसमाचारके स्वीकार नहि कएलक। वास्तवमे, ई ओहे अछि जे यशायाह शास्त्रमे कहलकनि, “प्रभु, केओ हमरा कहए से विश्वास नहि करत!” 17त', लोक खाली यीशुपर विश्वासक' सकैत अछि यदि ओ ओकरा विषयमे सुनैत अछि। आ लोक खाली यीशुक विषयमे सुनि सकैत अछि यदि ओकरा मसीहक विषयमे सन्देश सुनएलेल भेटए।18परन्च, हम कहैत छी, “यहूदीसब निश्चितरुपस' ई सन्देश सुनलक!” ई सत्य अछि। जेना दाऊद शास्त्रमे लिखलक, “स्वर्गदूतसब गवाही जकां सबगोटे पूरे संसारमे सुनलक जे ओ कहलकनि।” 19हम ईहो कहैत छी, “इजराएली लोकसब निश्चितरुपस' ई सन्देश बुझलक!” परमेश्वर पहिने मूसाक माध्यमस' शास्त्रमे कहलकनि, “हम तोरा व्यक्तिगत रुपस' ईर्ष्या आ क्रोध दिआएब एहन जातिके माध्यमस' जे हमर नहि अछि आ जे हमरा नहि जनैत अछि।” 20एकर अतिरिक्त, परमेश्वर यशायाहके माध्यमस' बड़ साहस क' क' कहलकनि शास्त्रमे, “हम स्वयंके ओहि गैर-यहूदी लोकसबपर प्रगट कएलहुं जे हमरा बुझएमे रुचि नहि रखैत छल आ एतधरि जे हमरा विषयमे जांचबूझ नहि करैत छल।”21परन्च, परमेश्वर इजराएली लोकसबस' शास्त्रमे कहलथि, “हम सदिखन अहाँके बुझएलेल स्वागत क' रहल छी, परन्च अहाँ सदिखन हमर अवहेलना करैत छी आ हमर विरुद्ध विरोध करैत छी!” 

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67