Revelation9
1फेरु पांचम स्वर्गदूत अपन बिगुल फुकलनि आ हम एकटा तरेगन देखलहुं जे आकाशस' पृथ्वीपर खसल। परमेश्वर हुनका ओहि कुण्डके कुंजी देलथिन जे अथाह छल आ ओकर पेन्ह नहि रहैक।2जं ओ तरेगन ओहि कुण्डके खोललनि, त' ओहिमेस' एहन धुआं निकलल, जेना बड़का जरैत भट्ठामेस निकलल होइक। ओहि धुआंक कारण सूर्यके प्रकाश आ आकाश केकरो नहि देखाइ दैत छल। 3धुआंमेस' फनिगासब भरि पृथ्वीपर आएल। परमेश्वर ओकरा लोकसबके बिच्छ जकां डंसबाक अधिकार देलथिन।4परमेश्वर ओहि फनिगाके आदेश देलथिन जे पृथ्वीपर कोनो घास वा कोनो गाछ वा कोनो गाछ-वृक्षके हानि नहि करब। परमेश्वर ओकरासबके आदेश देलथिन जे मात्र ओहि लोकसबके हानि करब जेकरा माथपर परमेश्वरके चेन्ह नहि अछि। 5परमेश्वर ओहि फनिगासबके लोकसबके मारि देबाक अनुमति नहि देने छलथि। फनिगासब लोकसबके पांच महिना धरि बेसी कष्ट देलक। ओकरासबके एहन पीड़ा होइत छल जेना बिच्छके डंसला पर होइत अछि।6ओहि पांच महिना धरि जखन फनिगा विद्रोही लोकसबके पीड़ित करत त' ओकरासबके एहन पीड़ा होएत जे लोकसब मरि जएबाक उपाय तागत मुदा ओकरासबके कोनो उपाय नहि सुझत। ओसब मरए चाहत मुदा मरि नहि पाओत। 7ओ फनिगासब ओहि घोड़ासब जकां देखाइ दैत छल जे युद्धके लेल तैयार अछि। ओकरासबके माथपर किछु रहैक जे सोनाके मुकुट जकां देखाइ दैत छल। ओकरासबके मुंह आदमीके मुंह सन रहैक। 8ओकरासबके केश स्त्रीसबके केश जकां नमहर नमहर छल। ओकरासबके दांत सिंहके दांत सन मजगूत छल।9ओसब धातुस बनल कवच छातीपर पहिरने छल। जखन ओसब उड़ैत छल त', ओकरा पांखिसब ओहि घोड़ाके गर्जन जेहन अबैत छल जेहन रथसब युद्धमे दौड़ैत काल अबैत अछि।10ओकरासबके नांगरि ओहि बिच्छके नांगरि जकां छल। एहि नांगरिसबस ओसब लोकसबके डंक मारि सकैत छल, ओहि पांच महिना धरि लोकसबके हानि करबाक अधिकार ओकरासबके नांगरिमे रहैक।11जे राजा ओकरासबपर शासन करैत छल, ओ ओहि कुण्डके स्वर्गदूत छल जे नीचा धरि जाइत छल, जेकर गहिंराइके अन्त नहि छल। इब्रानी भाषामे ओकर नाम “अबद्दोन ” छै आ यूनानी भाषामे “अपुल्लयोन” छै। एहि दुनू नामके अर्थ विनाश करएबला होइत छै।12ई पहिन भयानक घटनाके अन्त छल। मुदा ध्यान दिऔ जे दूटा आओर भयानक घटनासब सेहो होबएबला अछि।13तेकर बाद, छठम स्वर्गदूत अपन बिगुल फुकलनि, आ हम सोनाके वेदीके चारु कोन्हस' जे परमेश्वरके उपस्थितिमे अछि, एकटा आवाज सुनलहुं।14ओ आवाज छठम स्वर्गदूतके कहि रहल छलथि, जेकरालग बिगुल छलनि, “ओहि चारु स्वर्गदूतसबके खोलि दिऔ जेकरा हम परात महानदी लग बान्हल गेल अछि।”15तखन छठम स्वर्गदूत, ओहि चारु स्वर्गदूतके मुक्त कएल गेल, जेसब ओहि दिन, महिना आ वर्षके प्रतीक्षा कएने रहैक। ओसब स्वतन्त्र कएल गेल जे अपन सैनिकसबके एक तिहाइ लोकसबके मारएलेल सक्षम बना सकैक।16घोड़ासबपर सबार सैनिकसबके संख्या बीस करोड़ छल। हम केकरो कहैत सुनलहुं जे ओसब कतेक रहैक।17दर्शनमे हम देखलहुं जे घोड़ा आ ओहिपर सबार सैनिक केकरा जकां देखाइ छल। सैनिकसबके छातीपर बान्हल कवच आगि जकां लाल, धुआं जकां मटमैल, आ गन्धक सन पियर रंगके रहए। घोड़ासबके माथ सिंहके माथ सन छल। ओकरासबके मुंहस आगि, धुआं आ जरैत गन्धक निकलि रहल छल।18ई तीनू वस्तु आगि, धुआं आ जरैत गन्धक जे घोड़ासबके मुंहस' निकलैत छल, पृथ्वीपरके एक तिहाइ लोकसबके मारि देलक।19घोड़ासबके अधिकार ओकरासबके मुंह आ नांगरिसबमे छल। ओकरासबके नांगरिसबमे सांप सन मूड़ीसब छल जाहिद्वारा लोकसबके हानि कएलक।20मुदा बांकी लोकसब, जे आगिके पीड़ा आ धुआं आ जरैत गंधस' नहि मारल गेल छल, ओसब पाप करैत छल, ओहिस पश्चाताप नहि कएलक। ओसब दुष्टात्मासब वा अपनेस बनौने सोना, चानी, पितरि, पत्थल आ काठक मूर्तिसबके उपासना करब बंद नहि कएलक। ओ मूर्तिसब छल जे देख नहि सकैत छल, सुनि नहि सकैत छल आ चलए नहि सकैत छल, तइयो लोकसब ओहि मूर्तिसबके आराधना करब बंद नहि कएलक। 21ओसब लोकसबके हत्या करब, वा जादू टोनाके अभ्यास, वा अनैतिक शारीरिक सम्बन्धके काजसब करब, वा चोरी करएस' पश्चाताप नहि कएलक।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.