Revelation10

1एकरबाद हम फेरु एकटा दर्शन देखलहुं, ओहिमे हम देखलहुं जे एकटा आओर शक्तिशाली स्वर्गदूत स्वर्गस' नीचा अएलथि। एकटा बादल हुनका घेरने रहैक। हुनका माथपर पनिसोखा साजल रहैक। हुनक चेहरा सूर्य जकां चमकैत छल। हुनक पयर आगिके खम्हा जकां लगैत छल।2ओ अपन हाथमे छोटका चर्मपत्रके पुस्तक लेने रहथि जे खुजल छल। ओ अपन दहिना पयरके समुद्रमे आ बामा पयरके जमीनपर रखने छलथि।3ओ जोरस' जबाब देबएलेल किछु गर्जलथि, हुनक आवाज कोनो सिंहके गर्जन जकां छल। जं ओ सात बेर गर्जन कएलनि; ओहिमे गर्जनमे एहन शब्दसब छल जे हम बुझि सकैत छलहुं।4हम ओहि शब्दके लिखएबला रही, जे हम सुनने रही, मुदा स्वर्गस' एकटा आवाज हमरा कहलकनि, जे गर्जनमे अहाँ सुनलहुं ओहिसबके मोहर लगाक' गुप्त राखू आ नहि लिखू। 5तखन ओ स्वर्गदूत जिनका हम समुद्र आ भूमिपर देखने रही, ओ स्वर्ग दिस अपन दहिना हाथ उठएलनि ,6आ ओ स्वर्गदूत ओहि व्यक्तिके कहलकनि जे सदा सर्वदाके लेल जीवित छथि जे स्वर्ग आ ओहिमे जे किछु अछि से बनौने छथि, जे पृथ्वी आ ओहिपर भेल सबकिछु बनौने छथि, आ जे समुद्र आ ओहिमे भेल सब किछु बनौने छथि ओ जे कहएबला छलथि ताहि सत्यके कहूं। स्वर्गदूत कहलनि, “परमेश्वर जे किछु करबाक योजना बनौने छथि, ओहिके आब पूरा करएमे अबेर नहि होएत।”7ओ कहलनि जे सातम स्वर्गदूतके बिगुल फुकबाक समय आओत, त' परमेश्वरके गुप्त योजना पूरा भ' जाएत, जेना ओ अपन सेवकसब आ प्रवक्तासबद्वारा बहुत पहिने कहने रहथि। 8जिनका हम सुनने छलहुं, ओ स्वर्गस' हमरासंगे फेरु बात कएलनि। ओ कहलनि, “जाउ आ ओ खुजल पुस्तक ओहि स्वर्गदूतके हाथस' ल' लिअ जे समुद्र आ भूमिपर ठाढ़ छनि।”9एहिलेल हम स्वर्गदूत लग जा' क हुनकास' ओ छोटका चर्मपत्रके पुस्तक देब लेल कहलहुं, ओ हमरा कहलनि, “एहिके ल' लिअ आ एकरा खा' लिअ। अहाँके लेल मुंहमे मधु जकां मीठ लागत, मुदा ई अहाँके पेटके कड़ुआह क' देत।” 10हम स्वर्गदूतके हाथस' ओहि छोटका चर्मपत्रके पुस्तकके ल' लेलहुं आ ओकरा खा' लेलहुं। हमरा मुंहमे मधुसन मीठ लागल, मुदा तुरन्ते ई हमरा पेटके कड़ुआह क' देलक।11तखन स्वर्गदूत हमरा कहलकनि, “अहाँके कतेको देश, जातिसब, कतेको भाषा बजनिहार आ कतेको राजासबके फेरुस' परमेश्वरके भविष्यवाणी सुनएबाक अछि।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67