Revelation5

1जे सिंहासनपर बैसल रहथि हुनका हाथमे हम एकटा पुस्तक देखलहुं। ई पुस्तकके बाहर आ भितर दुनू दिसस' लिखल गेल छल। आ एहिके सातटा मोहर मारिक' बंद कएल गेल छल। 2हम एकटा शक्‍तिशाली स्वर्गदूतके देखलहुं जे बड़ जोरस घोषणा करैत छल, “ओ व्यक्ति जे ओहि पुस्तकके मोहरसबके तोड़िक एकरा खोलबाक योग्य छथि ओ अबथि आ एहिके खोलथि।”3मुदा स्वर्गमे आ पृथ्वीपर वा पृथ्वीके नीचा कोनो प्राणी एहिके योग्य नहि भेटल जे एहि पुस्तकके खोलि सकए आ ओहि पुस्तकमे लिखल बातसब देखएमे समर्थ होइक।4हम जोरस' कानए लगलहुं किएकत' ओहि पुस्तकके खोलए आ पढ़एके योग्य नहि छल।5मुदा ओहि चौबीस धर्मवृद्धसबमेस' एकगोटे हमरा कहलनि, “नहि कानू! देखू, जिनका यहूदा कुलके सिंह कहल जाइत अछि, जे राजा दाऊदके वंशज आ उत्तराधिकारी छथि, ओ शैतानके हरा देने छथि! जेकर फलस्वरुप, ओ एहि पुस्तकके सातो मोहरसबके तोड़एके आ एकरा खोलएके योग्य छथि!” 6तखन हम देखलहुं जे एकटा बलि-भेंड़ा जे प्रभु यीशु मसीह छथि, चारिटा जीवित प्राणीसब आ सिंहासनके चारुभर धर्मवृद्धसबके बीचमे ठाढ़ छथि। यद्यपि ओ जीवित छलथि, हुनकापर एहन चेन्ह रहनि जेना हुनका केओ मरि देने होइक। हुनका सात सींग छलनि, आ हुनका सातटा आंखिसब छलनि जे परमेश्वरके सातटा आत्मा छथि जे सारा पृथ्वीपर पठाओल जएतनि। 7ओ बलि-भेंड़ा जे सिंहासनपर बैसल रहथि से आबिक' ओकर दहिना हाथस' ओ पुस्तक ल' लेलथि।8जं बलि-भेंड़ा ओ पुस्तक ल' लेलथि, त' चारु जीवित प्राणीसब आ चौबीसो धर्मवृद्धसब हुनका आगु आराधना करबाक लेल मुंहे भरे खसि पड़ल। हुनका सबगोटेके हाथमे वीणा छल, आ हुनकासबलग सोनाके कटोरा छल जाहिमे धूप छल जे परमेश्वरके पवित्र लोकसबके प्रार्थनास' भरल छल।9जीवित प्राणीसब आ धर्मवृद्धसब एकटा नव गीत गएलनि। ओसब एना गएलनि:“अहाँ पुस्तक प्राप्त करए आ ओकरा मोहरसब खोलबाक योग्य छी,किएकत' अहाँ मारल गेल छलहुं, आ अहाँ अपन लेहुद्वारापरमेश्वरके लेल हरेक कुल, भाषा, लोकसबमेस' परमेश्वरके लोकसबके बचौने छिऐ। 10अहाँ ओकरासबके एहन लोक बना देने छिऐ जेकरापर हमर परमेश्वर शासन करैत छथि।आ परमेश्वरके सेवा करएबला पुजारी बना देलिऐ जे पृथ्वीपर राज्य करत।”
11जेना हम देख रहल छलहुं, हम सिंहासनके चारुदिस आ जीवित प्राणीसब आ चौबीस धर्मवृद्धसबके चारुदिस कतेको स्वर्गदूतसबके आवाज सुनलहुं। ओसब क लाख छल, एतेक बढ़का भीड़ जे केओ गनियो नहि सकैत छल। 12ओसब जोरस' गाबि रहल छल:“ओ बलि-भेंड़ा जिनका ओसब मारि देने रहैक,ई उचित अछि जे अपनासबके हुनक शक्ति, धन, बुद्धि आ सामर्थ्यके प्रशंसा करबाक चाही।ई उचित अछि जे सब सृजल गेल वस्तुसब हुनकर आदर आ स्तुति करए!”
13आ हम स्वर्गमे आ पृथ्वीपर आ पृथ्वीके नीचा आ समुद्रमे हरेक प्राणीके ई कहैत सुनलहुं,“अपनासबके सदा सिंहासनपर बैसएबलाके बलि-भेंड़ाके स्तुति, आदर आ महिमा करबाक चाही।ओ पूरा शक्तिके संग सदा राज्य करए।”
14चारु जीवित प्राणीसब कहलनि, “आमीन।” तखन धर्मवृद्धसब साष्टांग दण्डवत क' क' परमेश्वर आ बलि-भेंड़ाके आराधना कएलनि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67