Revelation4
1एहिसब घटना भेलाके बाद हम, यूहन्ना दोसर दर्शनमे देखलहुं जे स्वर्गमे एकटा दुआरि खुजल रहैक। जे हमरासंगे पहिनेस' बतिआएल रहथि, जिनकर आवाज जोरस' बजैत बिगुल जकां रहैक ओएह हमरा कहलथि, “एत' उपर आउ! हम अहाँके ओ घटना देखाएब जे भविष्यमे होबएबला अछि।”2हम तुरन्ते अनुभव कएलहुं जे पवित्र आत्मा विशेषरुपस' हमरा नियन्त्रण क' रहल छलथि। ओतए स्वर्गमे एकटा सिंहासन रहैक, आ ओहि सिंहासनपर केओ विराजमान भ' क' शासन करैत छलथि। 3हुनकर उपस्थिति एकटा चमकैत पारदर्शी सूर्यकान्त मणि जकां छल आ एकटा भव्य मणि जकां चमकौआ छल। सिंहासनके चारुकात एकटा मेघ-धनुष रहैक जे भव्य हरियर रंगके पन्ना जकां चमकैत रहैक। 4सिंहासनके चारुदिस चौबीसटा आओर सिंहासन छल। एहि सिंहासनसबपर चौबीस धर्मवृद्ध विराजमान छलथि। ओसब एकदम उज्जर वस्त्र पहिरने छलथि आ हुनकासबके माथपर सोनाके मुकुट रहैक।5सिंहासनमेस' लौका लौकैत आ ठनका सहित गर्जनके आवाज आबि रहल छल। सिंहासनके आगु सातटा मशाल जरैत छल, जे परमेश्वरके सात आत्माके दर्शबैत अछि। 6सिंहासनके आगु सीसास' बनल किछु छल जे समुद्र जकां लगैत छल। ई सीसा जकां साफ रहैक। सिंहासनके चारुकात एक-एकटा जीवित प्राणी रहैक। प्रत्येक प्राणीके आगु आ पाछु आंखि रहैक। 7पहिन जीवित प्राणी सिंह जकां छल। दोसर जीवित प्राणी एकटा बच्छा जकां छल। तेसर जीवित प्राणीके मुंह आदमीके मुंह सन रहैक। चारिम जीवित प्राणी उड़ैत गरुड़ सन छल। 8चारु जीवित प्राणीसबके छओ-छओटा पांखि रहैक। ओहि पांखिसबके उपरो आ निचो आंखिसब रहैक। ओसब सदैव दिन आ राति गाबि रहल छल:“प्रभु परमेश्वर पवित्र, पवित्र, पवित्र छथि, जे सब पर शासन करैत छथि।ओ ओएह छथि जे सदा अस्तित्वमे छथि,जे एखनो छथि, आ सबदिनके लेल रहथि।” 9ओ जीवित प्राणीसब सिंहासनपर विराजमान होएबलाके, सदाके लेल जीवित रहनिहारके स्तुति कएलक, आ आदर आ धन्यवाद देलक। 10जखन-कखनो ओसब एना करए, त' चौबीस धर्मवृद्धसब जे सिंहासनपर विराजमान छल हुनका आगु साष्टांग दण्डवत करैत छथि। ओसब हुनकर आराधना करैत अछि, जे सदा जीवित छथि। ओसब सिंहासनके आगु अपन अपन मुकुट ध' दैत अछि आ कहैत अछि:11“हे हमरासबके प्रभु आ परमेश्वर,अहाँ एहिके योग्य छी जे सब प्राणी अहाँके स्तुति करए;अहाँ एहिके योग्य छी जे सब प्राणी अहाँके आदर करए;अहाँ एहिके योग्य छी जे सब प्राणी स्वीकार करएजे अहीं सर्वशक्तिमान छी।किएकत' अहींसब किछुके रचना कएने छिऐ।एहिलेल, किएकत' अहाँ चाहैत रहिऐ जे ओसब होइक,अहीं ओकरासबके सृष्टि कएलिएन्हि; एहिलेल, ओसब अस्तित्वमे अछि।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.