Revelation3

1तखन यीशु मसीह हमरा कहलथि, “ई सन्देश सरदीस शहरके मण्डलीके स्वर्गदूतके लिखू।” हम अहाँके ओ बात कहि रहल छी। हम ओएह छी जिनकालग परमेश्वरके सातटा आत्मा आ तरेगनसब अछि। हम ओसब किछु जनैत छी जे अहाँ कएने छी। अहाँ नामके लेल मात्र जीवित छी, मुदा अहाँ मरल छी।2जागल रहू! हमरालेल आओर बेसी काज करु, नहि त' जे एखनधरि अहाँ कएने छी से व्यर्थ भ' जाएत। अहाँके एना करबाक चाही, किएकत' हमर परमेश्वर जनैत छथि जे अहाँ एखनधरि अहाँ पर्याप्त काज नहि कएने छी।3एहिलेल, परमेश्वरके ओहि सन्देश आ सत्यताके स्मरण राखू जे अहाँ सुनिते मात्र ग्रहण कएने रही। सबदिन एहिके पालन करु आ अपन पापी व्यवहारस' पश्चाताप करु। यदि जं अहाँ एना नहि करब, त' हम एहन समयमे अहाँ लग आएब जाहि समयके विषयमे अहाँ सोंचियौ नहि सकैत छी जेना चोर आबि जाइत अछि। अहाँ कहियो नहि बुझि पाएब जे हम कहिया आबिक अहाँके न्याय करब।4तइयो, अहाँ लग सरदीस शहरमे किछु एहन नाम चलल विश्वासीसब अछि जे कहियो कोनो गलत नहि कएने अछि। एनाक' क' अपन वस्त्रके गन्दा नहि होबए देने अछि। एहिलेल ओसब हमरासंग रहबाक योग्य अछि, ओसब हमरासंग रहत आ सब तरहें शुद्ध भ' जाएत, जेहन शुद्ध उज्जर वस्त्र पहिरने होइक।5जे लोक शैतानपर विजय प्राप्त क' लेत, हम ओकरा ई उज्जर वस्त्र पहिराएब। हम ओकरासबके नामके जीवनके पुस्तकमे अनन्त जीवन पाबएबला लोकसबके नाम होएत। एहिस' बेसी, हम ओकरासबके अपन पिता आ हुनकर स्वर्गदूतसबके आगु स्वीकार करब जे ओसब हमर अछि। 6जे केओ बुझए चाहैत अछि, ओ एहि सन्देशके सावधानीस' सुनैक, जे पवित्र आत्मा ओहि विश्वासीसबके समूहके द' रहल छथि जे एकसंग जमा भेल अछि।7तखन यीशु मसीह हमरा कहलथि जे फिलादेलफिया शहरके मण्डलीके स्वर्गदूतके ई सन्देश लिखू: “जे बातसब हम अहाँके कहि रहल छी। हम पवित्र, एकमात्र सत्य परमेश्वर छी। जेना लोकसबके यरूशलेमके प्राचीन शहरमे प्रवेश करबाक अनुमति देबएके कुंजी राजा दाऊद लग रहैक, तहिना हमरालग लोकसबके हमर अपना राज्यमे प्रवेश देबएके अधिकार अछि। हम ओ छी जे दुआरि खोलि दी त' ओकरा केओ बंद नहि क' सकैत अछि आ जाहि दुआरिके हम बंद क' दी त' ओकरा केओ खोलि नहि सकत। 8अहाँ जे किछु कएने छी से हम जनैत छी। ध्यान राखब जे हम अहाँके लेल एकटा दुआरि खोलने छी जेकरा केओ बंद नहि क' सकैत अछि। हमरा जानकारी अछि जे अहाँ लग कनिक शक्ति अछि, हम जे कहने छी से अहाँ पालन कएने छी, आ अहाँ हमर नामके अस्वीकार नहि कएने छी जे अहाँ हमरापर विश्वास करैत छी।9सावधान रहू! हम जनैत छी जे अहाँके किछु लोक ओहि लोकसबसंगे भेटल अछि जे शैतानके सभाघर अनुसार चलैत अछि। ओसब दृढ़ भ' क' कहैत अछि जे ओसब यहूदी अछि, मुदा हम अहाँके कहैत छी जे ओसब सांच यहूदी नहि अछि। ओसब झूठ बजैत अछि। हम अहाँ लग आबिक नम्रतास' अहाँके पयर आगु ठेहुनियां देबाक कारण बनाएब जाहिस' ओसब जानि सकैक जे हम अहाँस प्रेम करैत छी।10किएकत' हम दुखके धैर्यस' सहबाकलेल अहाँके आज्ञा देलहुं त' अहाँ हमर आज्ञा मानि लेलहुं। एहिलेल हम अहाँके ओहि अपश्चातापी पापी लोकसबस' सुरक्षित राखब जे हमर आज्ञा नहि मानबाक प्रयास करैत अछि। ओ जल्दिए सारा संसारमे सबगोटेके संग एहिना करत।11हम जल्दिए आबि रहल छी एहिलेल हम अहाँके जे कहने छी से करैत रहू, जाहिस' केओ अहाँके ओहि विजयके मुकुटस' वंचित नहि होबए दिए जे परमेश्वर अहाँके लेल रखने छथि।12हम ओहि लोकसबके सुरक्षित राखब जे शैतानपर विजय प्राप्त करैत अछि। ओसब हमर परमेश्वरके सभाके खम्हासन मजगूत होएत, आ ओसब सदाके लेल ओतए रहत। हम अपन परमेश्वरके नामके चेन्ह ओहि लोकसबपर लगा देब जाहिस' ई प्रगट होइक जे ई सब हमर अछि। हम ओकरासबके अपन परमेश्वरके शहर, नव यरूशलेमके नामस' सेहो चिन्हित करब, जे हमर परमेश्वरके स्वर्गस' उतरत। हम ओहिपर अपन नामके एकटा चेन्ह सेहो देब जे ओसब हमर अछि। 13समझदार प्रत्येक व्यक्ति एहि सन्देशके ध्यानपूर्वक सुनैक, जेकरा पवित्र आत्मा विश्वासीसबके समूहके द' रहल छथि जे एकेसंग जमा अछि।”14तखन यीशु मसीह हमरा कहलथि, “ई सन्देश लौदीकियाके शहरमे एकत्रित भेल विश्वासीसबके समूहके स्वर्गदूतके लिखू: हम अहाँके ई बात कहि रहल छी। हम ओएह छी जे परमेश्वरके सब प्रतिज्ञाके आश्वासन दैत छी। हम ओएह छी जे परमेश्वरपर भरोसा रखबाक सत्य गवाही दैत छी। हम परमेश्वरके सारा सृष्टिपर शासक छी।15जे किछु अहाँ कएने छी, ओसब हम जनैत छी: अहाँ एहि बातस' अस्वीकार नहि क' सकैत छी अहाँ हमरापर भरोसा करैत छी, मुदा अहाँ हमरास बेसी प्रेम नहि करैत छी। अहाँ ओहि पानि सन छी जे ने ठंढा आ ने गरम अछि।16किएकत' अहाँ ने ठंढा ने गरम छी, हम अहाँके अस्वीकार करएबला छी, जेना हम अपन मुंहमे सुसुम पानिके उगलि रहल छी।17अहाँ कहि रहल छी, ‘हम धनवान छी आ हम बहुत धन जमा कएने छी। हमरा किछु कमी नहि अछि।’ अहाँ एहन लोक जकां छी जे बहुत दुखित आ अभागल, गरीब, आन्हर, आ नंगटे छी।18हम अहाँ एकटा सुझाव दैत छी जे जं किछु अहाँके चाही, ओसब किछु हमरा प्राप्त करु, जेना अहाँ हमरास' शुद्ध सोना मोल ल' रहल छी जाहिस' अहाँ वास्तवमे धनीक भ' जाएब। आ हम अहाँके धर्मी बनाएब, जेना अहाँ हमरास' उज्जर वस्त्र मोल ल' रहल छी जाहिके अपन नंगापन आ लाज झांपएलेल पहिर लिअ। पवित्र लोकके बुझएलेल हम अहाँके सहायता करैत छी जे अहाँ हमरास अपन अस्वस्थ आंखिसबमे लगाबएलेल सुरमा मोल ल' रहल छी जे अहाँ देख सकी।19किएकत' हम ओकरासबके डंटैत छी आ सुधारैत छी जेकरास' हम प्रेम करैत छी, अपन मनस' सारा पापी व्यवहारस' पश्चाताप क' क' शुद्ध भ' जाउ।20हम एत छी! हमसब केओके बजाबि रहल छी, आ ठाढ़ छी अहाँके दुआरिपर प्रतीक्षा क' रहल छी आ केबाड़ी ढकढका रहल छी। यदि अहाँ हमर आवाज सुनिक केबाड़ी खोलब त', हम भितर आएब आ अपनासब संगे मित्र जकां एकसंगे भोजन करब।21हम ओकरासबके जे शैतानपर विजय प्राप्त क' सकत ओकरा हम अपन सिंहासनपर बैसिक' शासन करबाक अनुमति देब। जेना हम शैतानपर विजय प्राप्त कएने छी आ आब अपन पिताके संग हुनक सिंहासनपर बैसिक' शासन करैत छी।22जं केओ समझदार अछि त' ओ एहि सन्देशके ध्यानस' सुनैक जे पवित्र आत्मा विश्वासीसबके समूहके कहि रहल छथि जेसब एकेसंग जमा भेल अछि।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67