Revelation2

1तेकरबाद यीशु मसीह हमरा कहलथि, “इफिसुस नगरमे रहनिहार विश्वासीसबके समूहके स्वर्गदूतके ई सन्देश लिखू: जे अपन दहिना हाथमे सातटा तरेगनसबके लेने छथि; आ जे सातटा लाबनिसबके बीचमे चलैत छथि से ई कहैत छथि:2अहाँ जे किछु कएने छी से हम जनैत छी। हम जनैत छी जे अहाँ हमरालेल कठोर परिश्रम करैत छी, हम जनैत छी जे जं समय कठिन होइत अछि तखनो अहाँ धैर्य रखैत छी। हम इहो जनैत छी जे अहाँ दुष्ट लोकसबके सहि नहि सकैत छी, आ अहाँ लोकसबस' ओकर विश्वासके विषयमे प्रश्न करैत छी, आ अहाँ ओहि लोकसबके जनैत छिऐ जे प्रेरित होएबाक दाबी करैत अछि, मुदा ओसब नहि अछि।3हम इहो जनैत छी जे जं अहाँ हमरापर विश्वास करैत छी त' धैर्यस' हमरा नामस दुखसब सहि लैत छी। आ अहाँ हमर सेवा सदैव करएस' पाछु नहि हटलहुं, अहाँ हमरा पाछु चलबाक कारणे सताओल गेल रही, अहाँ कठिन समयमे हमर सेवा करैत हमर वचनके पकड़ने रही। अहाँ हारि नहि मानलहुं, ने त्यागलहुं जखन केओ अहाँक लेल कठिन भ' गेल छल।4तइयो, अहाँके जे किछु गलत कएने छी ताहिके विरुद्ध हम कहैत छी जे अहाँ आब एक-दोसरस' आ हमरास' प्रेम नहि करैत छी, जेना अहाँ पहिन बेर विश्वासमे आएल समय करैत छलहुं।5एहिलेल, हम अहाँके ई स्मरण करएलेल कहैत छी जे अहाँ हमरास' कतेक प्रेम करैत रही। पश्चाताप करु आ ओहने प्रेम करु जेना अहाँ शुरुमे करैत रही। यदि अहाँ ओहने नहि करब, त' हम अहाँ लग आबिक' अपन लाबनिके हटा देब जे अहाँ हमरा आगु नहि रही।6मुदा अहाँ एकटा काज बड्ड नीक जकां करैत छी: ओ ई अछि जे अहाँ निकोलायी पन्थके बात नहि मानैत छी, जे ई कहैत अछि जे अहाँ मूर्तिसबके पूजा क' सकैत छी आ अनैतिक रुपस' काज सेहो क' सकैत छी। ओसब जे किछु करैत अछि अहाँ ओकरा ओहिना घृणा करैत छी, जेना हम घृणा करैत छी। 7जे केओ हमर सन्देशके बुझए चाहैत अछि, ओकरा ओहि सन्देशके ध्यानपूर्वक सुनबाक चाही जे पवित्र आत्मा मण्डलीसबके कहि रहल छथि। ओ सन्देश ई अछि: हम विजय प्राप्त करएबलासबके ओहि वृक्षके फल खाएलेल देब जे अनन्त जीवन दैत अछि आ ओ वृक्ष परमेश्वरके वाटिकामे अछि। ”8तेकरबाद यीशु मसीह हमरा कहलथि, “स्मुरनाक मण्डलीके दूतके ई सन्देश लिखू: हम अहाँके कहि रहल छी हम सबस' पहिन छी, जे सब किछुके सृष्टि कएने रही आ हमहीं अन्तिम छी, जे सब किछुके अन्त करैत छी। हमहीं एकमात्र छी जे मरि गेल रही आ फेरुस' जीवित भ' गेल छी।9हमरा जानकारी अछि जे अहाँ कतेक दुख उठएने छी। हम जनैत छी जे अहाँ गरीब छी, मुदा अहाँ ओहि बातसबमे धनीक छी जे अनन्त अछि। अहाँ जनैत छी जे लोकसब अहाँके सराप दैत अछि आ अहाँके विषयमे अधलाह बात बजैत अछि किएकत' अहाँ मसीहके अनुसरण करैत छी। ओ यहूदी जे वास्तबमे यहूदी नहि अछि से अहाँके सराप दैत अछि आ अहाँके विषयमे अधलाह बात बजैत अछि, ओसब शैतानके सभाघरके सदस्य सेहो अछि।10आबएबला दुखस' नहि डेराउ। सांच त' ई अछि जे शैतान अहाँसबमेस किछुके जहलमे धरएबला अछि जे अहाँके कठिन परिस्थितिसबके सामना करए' पड़ए। जत अहाँके जांचल जाएत। दस दिनके लेल अहाँके हमरालेल दुख उठाबए पड़त, हमरापर भरोसा रखने रहब, भलेहि ओसब अहाँके मारि दिए, किएकत' अहाँ हमरापर भरोसा रखैत छी, आ हम अहाँ माथपर मुकुट राखि देब जे एकटा संकेत होएत जे अहाँ लग अनन्त जीवन अछि। 11पवित्र आत्मा विश्वासीसबके मण्डलीके जे सन्देश दैत अछि ओहिके ध्यानस सुनू। जे केओ विजय प्राप्त क' लेने अछि, दोसर मृत्युस' कोनो हानि नहि होतैक।”12तेकरबाद यीशु मसीह हमरा कहलथि, “पिरगमुन शहरके मण्डलीके स्वर्गदूतके ई सन्देश लिखू: ‘हम अहाँके जे बात कहि रहल छी। हमरालग तेज दूधारी तरुआरि अछि।13हम जनैत छी जे अहाँ ओतए रहैत छी, जत शैतानके सिंहासन अछि, हम जनैत छी जे अहाँके विश्वास हमरा नामके कारण दृढ़ अछि आ जाहि बातके हम प्रेम करैत छी आ जे बात हमरालेल महत्वपूर्ण अछि, ओकरा अहाँ पकड़िक' रखने रहैत छी। एतधरि जे ओ हमरा विश्वासयोग्य साक्षी अन्तिपासके मारि देलक, किएकत' ओ लोकसबके बतौने रहैक जे हम के छी आ हम ओकरासबके लेल की कएने छी।14मुदा, हमरा किछु एहन बात देखाइ दैत अछि जे अहाँके गवाहीके हानिक' रहल अछि आ अहाँके आज्ञाकारीतामे बाधा बनि रहल अछि। एतधरि जे अहाँ अपन किछु इजराएल सदस्यके आगु ठोकर राखि बिलाम सन शिक्षासबके अनुमति दैत छिऐ, जे अहाँ बहुत पहिने सिखऔने रहिएक। ओ बालाक जे मूर्तिसबपर चढ़ाएल मासु खाएलेल सिखऔने रहैक आ परमेश्वरके लोकसबके बीच अनैतिक शारीरिक सम्बन्धमे पड़ि गेल रहैक।15एहिना, अहूं अपन किछु सदस्यसबके निकोलायीके शिक्षापर चलएस' नहि रोकि रहल छी, ई व्यभिचार अछि, ई बिना शंका स्वीकारके योग्य नहि अछि।16एहन करब बंद करु, आ अपन पापसबस पश्चाताप करु, नहि त' हम अचानक अहाँ लग आबि आ हम ओकरासबसंगे अपना मुंहके तरुआरिस' जे परमेश्वरके वचन अछि, युद्ध करब।17ओहि सन्देशके ध्यानस' सुनू जे पवित्र आत्मा मण्डलीसबके कहैत छथि। जे विजय प्राप्त करैत अछि, हम ओकरा गुप्त मन्ना देब, जे ओकरा तृप्त करत आ बल देत आ हम ओकरा एकटा उज्जर पत्थल सेहो देब, जाहिपर ओकरालेल एकटा नव नाम लिखबाएब, आ ओहि नामके मात्र ओहे जानि सकत।’”
18तेकरबाद यीशु मसीह हमरा कहलथि जे एहि सन्देशके थूआतीरा शहरके मण्डलीके स्वर्गदूतके लिखू, हम परमेश्वरके पुत्र छी, जिनकर आंखि धधकैत आगि जकां चमकैत अछि आ जिनकर पयर उत्तम पितरि सन चमकैत अछि, हम ई बात अहाँके बताबि रहल छी। 19जे नीक काज अहाँक' रहल छी, ओ हम जनैत छी हमरा जानकारी अछि जे अहाँ हमरासंग आ एक-दोसरसंग प्रेम करैत छी, आ अहाँ हमरापर भरोसा करैत छी। हम जनैत छी जे अहाँ दोसरके सेवा करैत कठिनाइके सामना करैत छी मुदा ओ हटैत नहि अछि। हमरा जानकारी अछि जे अहाँ ओहि काजसबके आओर बेसी क' रहल छी जे अहाँ पहिने कएने रही।20तइयो, अहाँ किछु गलती कएने छी: अहाँ अपना लोकसबके बीच ओहि स्त्रीके सहन क' रहल छी जे प्राचीन कालके कुटिल रानी इजबेल सन अछि। ओ कहैत अछि जे ओ प्रवक्तिनि छनि मुदा, ओ अपन शिक्षासबस' हमर सेवकसबके धोखा द' रहल अछि ओ ओकरासबके व्यभिचार आ मूर्तिसबपर चढ़ाएल मासु खाएलेल बहकबैत अछि।21यद्यपि हम ओकरा अनैतिक यौनाचार आ मूर्तिपूजाके प्रथास' पश्चाताप करबाक लेल अवसर देने रही, मुदा ओसब ओकरा छोड़ए नहि चाहैत अछि।22एकर परिणाम ई होएत जे हम ओकरा कष्टके बिछाओनपर फेक देब। हम ओकरो बड्ड दुख देब जे ओकरा सन अनैतिक काजसब करैत अछि, हम ओकरा बड्ड दुख देबै, यदि ओसब ओकरा जकां काजस' पश्चाताप नहि कएलक त'।23किछु लोक ओकर शिक्षासबके ग्रहण क' क' ओकरे सन्तान जकां भ' गेल अछि। एहि कारणे हम ओकरा निश्चय मारि देब। तखन मण्डलीसब बुझि जाएत जे हम ओकर विचारसब आ ओकर इच्छासबके जनैत छी हम अहाँसबमेस प्रत्येकके ओकरा अपन काजके अनुसार प्रतिफल देबै।24मुदा थूआतीरा शहरके बांकी सब विश्वासीसबके विषयमे हमरा किछु कहबाक अछि। ई नीक अछि जे अहाँ एहि गलत बातसबके स्वीकार नहि करैत छी। ई नीक अछि जे अहाँ ओहि शिक्षकसबके “गुप्त काजसब” के अस्वीकार क' दैत छिऐ जे शैतान ओकरासबके “सिखऔने” रहैक। हम अहाँपर कोनो आन आज्ञाके भारी नहि धरब।25मात्र हमरापर दृढ़ विश्वास करु आ जाधरि हम नहि आबि जाहि ताधरि अहाँ हमर आज्ञा मानू।26जे केओ शैतानके उपर विजय प्राप्त क' लैत अछि आ जे कोनो आदेश हम ओकरा दैत छी से ओकरा अपन मृत्यु धरि मानैत रहत, त हम ओकरासब लोकसबपर अपन अधिकार देब।27ओ ओकरासबके एहि तरहें नियन्त्रित करत जेना ओ ओकरासबके लोहाके राजदण्डस' शासन करैत होइक। ओ दुष्टइ करएबलाके एनाक' नाश क' देत जेना लोक माटिके बर्तनके चकनाचूर क' दैत अछि।28हम ई सब ओहि अधिकारस' करैत छी जे हमर पिता हमरा देने छथि। आ हम ओहो लोकसबके भोरके तरेगन देब जे हमरासंगे राज करैत अछि जाहिस जे हमरा हमर विजयमे बहुत आनन्द होइक।29जे केओ बुझए चाहैत होइक से ओहि सन्देशके ध्यानपूर्वक सुनैक जे पवित्र आत्मा विश्वासीसबके समूहके दैत अछि जे एकसंग जमा होइत अछि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67