Revelation12

1तेकर बाद आकाशमे एकटा आश्चर्यजनक चेन्ह देखाइ देलक। ओ एकटा स्त्री छलीह, जेकर वस्त्र सूर्य छल। चन्द्रमा हुनक पयरके नीचा छल। हुनक माथपर मुकुटके माला छल जे बारह तरेगनसबस' बनल छल।2ओ एकटा बालकके जन्म देबएबाली रही, आ ओ प्रसव-पीड़ाके कारण चिकरैत करैत छलीह।3आकाशमे एकटा विचित्र चेन्ह देखाइ देलक। ओ एकटा विशाल लाल अजगर छल। ओकर सातटा मूड़ी आ दसटा सींग छल। ओकरा मूड़ीसबपर राजमुकुट छल।4अजगरके नांगरि आकाशके एक तिहाइ तरेगनसबके पृथ्वीपर खसा देलक। अजगर ओहि स्त्रीके आगु ठाढ़ भ' गेल जे ओ जहिना बच्चाके जन्म देतीह, ओ ओहि बच्चाके गीड़ि लेतैक।5तखन ओ स्त्री एकटा बेटाके जन्म देलीह जिनका सारा सामर्थ्यके संग सारा लोकसबके समूहसबपर शासन करबाक लेल नियुक्त कएल गेल छल जेना ओ लोहाके राजदण्ड लेने रहैक। अजगरस' परमेश्वर ओकरा बच्चाके झपटिक' अपना सिंहासनपर ल' लेलथि।6मुदा ओ स्त्री निर्जन क्षेत्रमे भागि गेलीह। ओतए ओकरा लग एकटा एहन स्थान अछि जाहिके परमेश्वर ओकरालेल तैयार कएने छथि, जे ओ ओकर एक हजार दू सय साठि दिन धरि देखभाल क' सकथि।7तखन आकाशमे एकटा युद्ध भेलैक। मिकाएल आ अपन स्वर्गदूत जेकरा ओ आदेश देने रहथि जे ओ अजगरके विरुद्ध युद्ध करए। अजगर आ ओकर दूतसब मिकाएल आ हुनकर स्वर्गदूतसब संगे युद्ध कएलक।8मुदा अजगर युद्ध जीतएलेल सक्षम नहि रहल; आ ने परमेश्वर अजगर आ ओकर दूतसबके स्वर्गमे रहबाक अनुमति देने रहथि।9परमेश्वर ओहि विशाल अजगरके स्वर्गस' बाहर फेक देलथिन। ओ अजगर प्राचीन सांप अछि जेकर नाम महा दुष्ट आ शैतान अछि। ई ओएह अछि जे सारा पृथ्वीपरके लोकसबके धोखा दैत अछि। ओकरा सारा दूतसबके संग ओकरा पृथ्वीपर फेक देल गेल छल।10तखन हम सुनलहुं जे स्वर्गमे केओ जोरस' चिचिआएल,“आब अपनासबके परमेश्वर अपन लोकके अपना शक्तिस' उद्धार कएने छथि, आ ओसब लोकपर राज करैत छथि!आब मसीह अधिकारके संग शासन करब शुरु क' देने छथि!किएकत' परमेश्वर अपनासबके संग भाइसबके दोष लगौनिहारके  स्वर्गस' बाहर फेक देलथिन।ई ओएह छल जे दिन-राति परमेश्वरके आगु ठाढ़ रहैत छल, आ हुनका कहैत छल जे ओसब कोन-कोन गलत काज कएने छल। 11अपनासबके प्रिय विश्वासीसब ओकरापर  विजयी भेल अछि, किएकत' बलि-भेंड़ा ओकरासब लेल अपन लेहू बहौलथि आ ओकरासब लेल मरलथि;आ किएकत' ओसब आओर लोकसबके यीशुके विषयमे अपन सांच गवाही बतौने रहैक।ओसब अपन प्राणके मोह नहि कएलनि, ओसब यीशुके विषयमे सांच बातके चर्चा करएमे मृत्युओ स' नहि डेरएलनि।12एहिलेल स्वर्गमे सबगोटेके आनन्दित होएबाक चाही।मुदा पृथ्वी आ समुद्रमे रहनिहारसबके संग भयानक घटना घटतैक, किएकत' शैतान अहाँसबलग नीचा उतरि आबि गेल अछि।ओ बेसी क्रोधमे अछि किएकत' ओ जनैत अछि जे परमेश्वरस' दण्ड पाबएलेल ओकरालग समय बड्ड कम अछि।”
13जं अजगरके बुझएमे चलि अएलनि जे ओकरा पृथ्वीपर फेक देल गेल अछि त' ओ ओहि स्त्रीके पाछु करए लागल, जे ओहि बच्चाके जन्म देने रहए।14मुदा परमेश्वर ओहि स्त्रीके बड़का गरुड़ जकां दूटा पांखि देलथिन जे ओ उड़िक निर्जन क्षेत्रके ओहि स्थानपर चलि जाइक जे परमेश्वर ओकरालेल तैयार कएने छथि। जत परमेश्वर साढ़े तीन साल धरि ओकर देखभाल कएलथि! ओ सांप जे अजगर अछि, ओहि स्त्री लग नहि पंहुचि सकैत छल।15तखन ओ सांप ओहि स्त्रीके पानिस' दहाबएलेल अपन मुंहस' स्त्री दिस नदी जकां पानि बहओलक।16मुदा ओहि स्त्रीके मदति करबाक लेल भूमि अपन मुंह खोलिक अजगरके मुंहस निकलल पानि पीब लेलक।17तखन अजगर ओहि स्त्रीपर बड्ड क्रोधित भ' गेल, एहिलेल ओ स्त्रीके सन्तानसबके विरुद्ध युद्ध करबाक लेल निकलल। ई सब ओ लोक अछि जे परमेश्वरके आज्ञासबके पालन करैत अछि आ यीशुके विषयमे सांच गवाही दैत अछि।18तखन अजगर समुद्रके तटपर ठाढ़ भ' गेल। 

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67