Revelation11
1तेकरबाद, एकटा स्वर्गदूत हमरा नापएबला लग्गा देलनि। परमेश्वर हमरा आदेश दैत कहलनि, “सभाघरमे जा' क' वेदीके नापि, आ ओहि लोकसबके गनती करु जे ओतए आराधना करैत अछि।2मुदा सभाघरके बाहर आंगनके नहि नापब, किएकत' एकरा गैर-यहूदी लोकक समूहके देल गेल अछि। जेकर परिणाम स्वरुप, ओसब पवित्र यरूशलेमके बियालीस महिना धरि लतमरदनि करत।3हम दूटा गवाहके घोषणा करबाक लेल पठाएब जे हम एक हजार दू सय साठि दिन धरि ओकरासबलग भविष्यवाणी करब। ओसब चट्टीके वस्त्र पहिरत जे लोकसबके पापके प्रति ओकरासबके दुखके दर्शाओत।”4एहि गवाहसबके प्रतिनिधित्व पृथ्वीपर राज करएबला प्रभुके उपस्थितिके जैतूनके गाछ आ दूटा दिहैट करैत अछि। 5जं केओ ओहि गवाहीसबके हानि करबाक प्रयास करैत अछि त', गवाहसबके मुंहस' आगि निकलिक' शत्रुसबके नाश क' देत। यदि केओ ओकरासबके हानि करए चाहत त' ओकरासबके एहिनाक ओसब मारि दैत अछि।6ओहि गवाह लग अधिकार होएत जे ओसब परमेश्वरके सन्देशके घोषणा करबाक समय आकाशस' वर्षा रोकने रहैक ओ सब जगहके पानिके लेहू बना देबाक अधिकार सेहो रखैत अछि। ओकरासबके पृथ्वीपर सब प्रकारक महामारीसब पठाबएके अधिकार सेहो होएतै। ओसब जतेक बेर चाहत ओतेक बेर एना करत।7जं ओसब अपन गवाही लोकसबके सुना देतनि, तखन ओ पशु, जे ओहि अथाह कुण्डस' निकलत जे नीचा अछि जेकर गहिंराइके कोनो अन्त नहि अछि। ओ ओकरासबपर विजय भ' क' मारि देतैक।8दुनू गवाहके लास महानगरके गलीमे राखल गेल रहत, जत ओकरासबके प्रभुके क्रूसपर चढ़ाएल गेल छल। ओ शहर जेकरा सदोम वा मिस्रके आत्मिक प्रतीक कहल जाइत अछि, किएकत' एकर लोक सदोम आ मिस्रमे रहनिहार लोकसब जेहन बड्ड अधलाह अछि।9कतेको जातिसब, कुल, भाषासब आ कुलके लोकसब साढ़े तीन दिन धरि ओहि लासके देखत, मुदा ओसब ओहि लासके कबरमे दफनाबके अनुमति केकरो नहि देत।10जं पृथ्वीपर रहनिहार अपश्चातापी पापी लोकसब देखत जे ओ गवाह मरि गेल अछि, त ओसब आनन्दित होतैक आ उत्सव मनौतैक। ओसब एक-दोसरके उपहार पठौतैक, किएकत' ओ दुनू प्रवक्तासब ओहि महामारीसबके पठौने रहैक जाहिके कारण ओसब पीड़ित भेल छल।11मुदा साढ़े तीन दिन बाद, परमेश्वर ओकरासबके फेरुस सांस देथिन जे ओसब जीवित रहैक। ओसब ठाढ़ भ' जएतैक, आ जे लोकसब ओकरासबके देखत, ओसब भयभीत भ' जाएत।12ओ दुनू गवाह प्रवक्तासब स्वर्गस' एना कहैत एकटा जोरक आवाज सुनत, “एत आउ!” तखन ओसब मेघपर सबार भ' क' स्वर्ग चलि जाएत। ओकरासबके शत्रु ओकरासबके स्वर्ग जाइत देखत।13ओहि समय एकटा बड़का भूकम्प होएत, जाहि कारण शहरमे भवनसबके दसम भाग खसि पड़त, आ सात हजार लोकसब मरि जाएत। बांकी लोकसब भयभीत भ' जाएत आ स्वीकार करैत परमेश्वरके महिमा करत जे स्वर्गमे राज करएबला परमेश्वर अद्भुत छथि।14ई दोसर भयावह विपत्ति होएत मन रहए जे तेसर भयावह विपत्ति जल्दिए होबएबला अछि।15फेरु सातम स्वर्गदूत अपन बिगुल फुकलनि। स्वर्गमे एकटा जोरक आवाज सुनाइ देलक, “अपनासबके प्रभु परमेश्वर आ मसीह जिनका परमेश्वर नियुक्त कएने छथि, आब संसारके लोकसबपर शासनक' सकैत छथि, आ ओ ओकरासबपर सदाके लेल शासन करथिन!” 16परमेश्वरके उपस्थितिमे अपन सिंहासनपर बैसल चौबीस धर्मवृद्धसब अपन मुंह जमीन दिस क' क' हुनकर आराधना कएलकनि।17ओसब गएलनि:“हे प्रभु परमेश्वर, अहीं छी जे सबके उपर शासन करत छिऐ!अहीं छी जे जीवित छिऐ!अहीं छिऐ जे सदा जीवित रहैत छिऐ!हमसब अहाँके धन्यवाद करैत छी जे अहाँ प्रत्येकके अपन शक्तिस' पराजय कएलिऐ,जेसब अहाँके विरुद्ध विद्रोह कएलक।आ आब अहीं संसारके सब लोकपर राज करैत छिऐ।18
सब गैर-यहूदी जातिके अविश्वासी लोक क्रोधित भ' क' अहाँपर गरजने रहैक,आ परिणाम ई भेल जे अहाँ क्रोधित भ' गेली।अहाँ निर्णय लेलिऐ जे इहे ठीक समय अछि जे अहाँ ओकरासबके न्याय करबनि जेसब मरलसबमेस जिआओल गेल अछि।ओ समय आबि गेल अछि जे अहाँ अपन सब सेवकसबके, प्रवक्तासबके आ आन विश्वासीसबके प्रतिफल देबै;जे पवित्र लोक अहाँके आदर करैत अछि,आ एहिमे सब छोट आ नमहर सब अछि।अहाँके लेल समय आबि गेल अछि जे पृथ्वीके नाश करएबला लोकसबके अहाँ नाश क' दिऔ।” 19तखन परमेश्वर स्वर्गमे अपन सभाघरके द्वारि खोलि देलथिन, आ हम ओहिमे करारके पवित्र सन्दूकके देखलहुं, जे लौका लौकैत छल; पृथ्वी हिल गेल, आ आकाशस बड़का-बड़का पत्थल खसल।
सब गैर-यहूदी जातिके अविश्वासी लोक क्रोधित भ' क' अहाँपर गरजने रहैक,आ परिणाम ई भेल जे अहाँ क्रोधित भ' गेली।अहाँ निर्णय लेलिऐ जे इहे ठीक समय अछि जे अहाँ ओकरासबके न्याय करबनि जेसब मरलसबमेस जिआओल गेल अछि।ओ समय आबि गेल अछि जे अहाँ अपन सब सेवकसबके, प्रवक्तासबके आ आन विश्वासीसबके प्रतिफल देबै;जे पवित्र लोक अहाँके आदर करैत अछि,आ एहिमे सब छोट आ नमहर सब अछि।अहाँके लेल समय आबि गेल अछि जे पृथ्वीके नाश करएबला लोकसबके अहाँ नाश क' दिऔ।” 19तखन परमेश्वर स्वर्गमे अपन सभाघरके द्वारि खोलि देलथिन, आ हम ओहिमे करारके पवित्र सन्दूकके देखलहुं, जे लौका लौकैत छल; पृथ्वी हिल गेल, आ आकाशस बड़का-बड़का पत्थल खसल।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.