Philippians4
1यौ प्रिय भाइ बहिनसब, आ जेकरालेल हम ललायित छी, जे हमर आनन्दके कारण आ मुकुट अछि, हे प्रियसब, एहि तरहें' प्रभुमे स्थिर रहू।2हम प्रभुमे एनाहिए सोंचबाक लेल संगी-विश्वासी यूओदियास' आग्रह करैत छी आ सुन्तुखेस' सेहो विनती करैत छी।3हे हमर नीक संगी, हम अहूंस' आग्रह करैत छी, जे ओहि महिलासबहक मदति करु, जे सब सुसमाचारमे हमरासंगे मेहनति कएने अछि, संगे क्लेमेन्स आ हमर बांकी मदतिगार सहकर्मी, क्लेमेन्स जिनकर नाम जीवनके पुस्तकमे लिखल अछि।4प्रभुमे सदिखन आनन्दित रहू। हम फेरुस' कहब, जे आनन्दित रहू।5अहाँके कोमलता सब मनुष्यके बुझल होअए जे। प्रभुके आगमन निकट अछि।6कोनो बातक चिन्ता नहि करु, मुदा सब बातमे, प्रार्थना आ अनुरोध स' धन्यवादके संगे, अहाँके विनती परमेश्वरके बुझल होए,7आ परमेश्वरक शान्ति, जे सबटा बुद्धिस' बढ़िक अछि, मसीह यीशुमे अहाँके हृदय आ अहाँके मनके सेहो सुरक्षित राखत। 8जे बांचल लोक अछि, अन्तमे यौ भाइ-बहिनसब, जतेक बातसब सांच अछि, जतेक मानएबला अछि, जतेक न्यायसंगत अछि जतेक शुद्ध अछि, जतेक मनोहर अछि, जतेक सम्मानित अछि, यदि किछु धार्मिक अछि आ यदि कोनो सराहनीय अछि त' एहि बातक विषयमे सोंचू।9आ जे अहाँ हमरास' सिखली आ ग्रहण कएली आ सुनली आ देखली, ओहे बात सबके करु, आ परमेश्वरक शान्ति अहाँके संगे बनल रहए।10आब हम प्रभुमे बड्ड आनन्दित छी, किएकत' आब अन्तमे अहाँ हमरा विषयमे सोंचिक अहाँके चिन्ताके फेरुस' नवका बनौने छी, जेकरालेल अहाँ सांचोमे चिन्तित रही, मुदा अवसरके कमी छल।11एहन नहि अछि जे हम आवश्यकताके अनुसार बजैत छी, किएकत' हम अपनेस' सिख लेने छी जे जाहि परिस्थितिमे छी ओहिमे खुशी रही।12हम ई दुनू बातके जनैत छी जे कोनो दीन होएबाक अछि, आ हम जनैत छी जे कोनो सम्पन्नतामे होएबाक अछि। सब स्थिति आ सब परिस्थितिसबमे, हम दुनू बातसबके सिख लेने छी, तृप्त भेनाइ आ भूखल रहनाइ, आ प्रशस्त भेनाइ आ जरुरतिमे रहनाइ।13मसीहमे भ' क' हम सबटा काजसब क' सकैत छी जे हमरा सामर्थ्य दैत छथि।14एहिलेल, अहाँसबके हमर दुखमे सहभागी भेनाइ नीक बात छल।15आब, फिलिप्पीमे रहल हमर साथीसब इहो जनैत छी जे सुसमाचारक शुरुएमे, जखन हम मकिदुनिया प्रान्तस' निकलली, त' दिअ आ लिअके विषयमे खाली अहींके अतिरिक्त कोनो मण्डली हमरासंगे सहभागी नहि कएलक!16किएकत थिसलुनिका शहरके मे सेहो, एक-दू बेर अहाँसब हमर जरुरति सबहक लेल भेजली।17एहन नहि अछि जे हम भेटक ताकमे रहैत छी, मुदा ओहि फलक ताकमे रहैत छी जे अहाँके खातामे बढ़ैत जाएत अछि।18आब हमरालग सब किछुके भरपूर अछि, आ हम सन्तुष्ट छी। एपाफ्रुदितुसस' अहाँ दिसस' आएल ओहि समानके ल क हम सन्तुष्ट भ' गेल छी, जे परमेश्वरक लेल एगो सुगन्ध, एगो मीठ गंध, ग्रहणयोग्य, खुशी करएबला बलिदान अछि। 19आब हमर परमेश्वर अपन ओहि धनक अनुसार जे महिमा सहित मसीह यीशुमे अछि अहाँके सब जरुरति पूरा करथिन।20आब परमेश्वरके जे अपनासबके पिता छथि हुनकरे प्रशंसा सदिखन होइत रहए। आमीन।21मसीह यीशुके सब पवित्र लोकके नमस्कार करब। जे संगी-विश्वासी भाइसब हमरासंगे अछि अहाँसबके नमस्कार करैत अछि।22सबटा पवित्र लोक अहाँके नमस्कार करैत अछि, मुदा विशेष क' क' जे रोमी सम्राट कैसरक घरके अछि।23प्रभु यीशु मसीहक अनुग्रह अहाँसबके आत्मासंगे बनल रहए। आमीन।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.