कुलुस्सी1
1हम, पौलुस, अहाँसबके ई पत्र लिखैत छी, आ हमर संगी-विश्वासी तिमुथियुस हमरासंग छथि। परमेश्वर हमरा मसीह यीशुक प्रेरित होएबाक लेल पठौलनि किएकत, परमेश्वर हमरा एहने काज करबाक लेल चुनलनि। 2हम ई पत्र अहाँसबके पठा रहल छी जे परमेश्वरक पवित्र लोक छी आ मसीहमे एकजुट विश्वासयोग्य संगी-विश्वासी बनू। आ जे कुलुस्से नगरमे रहैत छथि। अपनासबके पिता परमेश्वर आ प्रभु यीशु मसीह दिसस' अहाँसब सदैव अनुग्रह आ शान्ति पबैत रही।3हम अहाँसबके लेल कतेको बेर प्रार्थना करैत छी। आ जखन-कखनो प्रार्थना करैत छी हमसब अपन प्रभु यीशु मसीहक पिता परमेश्वरके धन्यवाद दैत छी।4एहिलेल ई जानि जे अहाँ मसीह यीशुपर भरोसा करैत छी आ परमेश्वरक सब पवित्र लोकस' प्रेम करैत छी।5अहाँ ई सब काज करैत छी कारण अहाँ ओहि सबकाजके आशा प्रतीक्षा क' रहल छी जिनका परमेश्वर अहाँसबलेल स्वर्गमे सुरक्षित रखने छथि। परमेश्वर अहाँक लेल की रखने छथि पहिनेस' अहाँके एहि विषयमे बुझल छल जखन अहाँसब ओ सुसमाचारके सत्य वचन सुनलहुं, जे मसीहक विषयमे सुसमाचार अछि।6जेना कुलुस्सेमे अहाँसब ई सुसमाचार सुनलहुं आ विश्वास कएलहुं। तहिना संसारमे लोकसबके एकरा सुनि रहल छी आ विश्वासमे लोकसब बढ़ि रहल अछि। ई लोकनि एहि समयमे अपन जीवन अलग तरहें जीबि रहल छथि, ओहि समयमे जेना अहाँ जीवनके अलग तरहें जीबि रहल छलहुं जखन अहाँ पहिन बेर एकर विषयमे जनलहुं। आ सांच्चे अनुभव कएलहुं जे परमेश्वर हमरासबके प्रति केहन अनुग्रही व्यवहार करैत छथि।7मात्र एतबे छल जे प्रिय भाइ आ संगी सेवक एपाफ्रास अहाँके कहने छल से होएत। ओ हमरासबसंग मसीहक लेल काज करैत छथि, आ हमरासबके से नीक लगैत अछि। ओ निष्ठापूर्वक मसीहक सेवा करएलेल हमरासब काजक' रुपमे चुनैत छथि।8ओ हमरासबके कहलनि जे अहाँसब परमेश्वरक सब लोकस' प्रेम करैत छी, जेना परमेश्वरक आत्मा अहाँसबके करबाक सामर्थ्य देने अछि।9इपाफ्रास हमरासबके जे किछु कहने छलाह, ताहि कारण, जखन ओ हमरा सब पहिन बेर अहाँक विषयमे कहलनि, तहियास' हमसब परमेश्वरसंग अहाँसबके लेल सदैव प्रार्थनामे लागल छी। जखन-कखनो हम अहाँक लेल प्रार्थना करब हम परमेश्वरस' निहोरा करैत छी जे ओसब बात अहाँके देखाबथि ओ जे चाहैत अछि जे अहाँ करु आ परमेश्वरक आत्मा अहाँसबके सिखा रहल अछि। ओ अहाँके ओहि आत्मिक बातसबके बुझएमे सक्षम करथि।10हम प्रार्थना क' रहल छी जे अहाँसबके पता चलए जे परमेश्वर की चाहैत छथि जाहिस' अहाँसब जीवनके एहन तरीकास' जिऐत छी जे प्रभुक आदर करए आ सब तरहें ओकरा प्रसन्न करैत छथि। जखन अहाँ एहि तरहें व्यवहार करैत छी, तएं अहाँसब प्रकारके नीक काजमे फलदायी भ' सकब आ सदैव परमेश्वरके नीक जकां जानब।11जखन अहाँ जीवन एहि तरहें जिऐत छी सब परिस्थितिके धैर्यपूर्वक सहन करएमे सक्षम होबएलेल, आ परमेश्वर अहाँके महिमामय शक्ति देथिन जे अहाँ आनन्दस' ई काज क' सकब। परमेश्वर अहाँके अपार शक्ति द सकैत छथि किएकत ओ राजसी रुपस' शक्तिशाली छथि।12तखन अहाँसब हमर पिता परमेश्वरके सदैव धन्यवाद देब, किएकत ओ अहाँसबके ओहि सब काजमे भाग लेबएमे सक्षम बना देने छथि जे हुनकर पवित्र लोकसबसंगे रहैत छनि।13हमर पिता परमेश्वर हमरासबके ओहि दुष्टक हाथस' छुटकारा देलनि जे पहिने हमरासबपर नियन्त्रण रखैत छल, आ ओ हमरासबके अपन पुत्रके राज्यमे प्रवेश करौलनि, जिनकास' ओ प्रेम करैत छथि, जाहिस' आब हमसब हुनकर पुत्रक आज्ञा मानब।14हमसब हुनकर पुत्रक संग एकजुट छी तएं परमेश्वर हमरासबके उद्धारक' देलनि अछि; अर्थात् ओ हमरा सब पाप क्षमाक' देलनि अछि।15परमेश्वरक पुत्र, मसीह परमेश्वरके स्वरुप छथि जे पूर्णरुपस' परमेश्वरके प्रगट कएने अछि, भलेहि परमेश्वरके केओ नहि देख सकैत अछि। परमेश्वर कोनो वस्तुक सृष्टि करबास' पहिने पुत्रक अस्तित्व छलनि, आ परमेश्वरक सृष्टि सब वस्तुपर हुनका पहिन स्थान छलनि।16अहाँसबके बुझल होएत जे पुत्रक अस्तित्व कोनो आन वस्तुक अस्तित्वस' पहिने छल आ सब वस्तुपर हुनकर पहिन स्थान छनि कारण पिता आ पुत्र मिलक ओहि सब वस्तुके सृष्टि कएलनि जे विद्यमान अछि। एहिमे सहभागी अछि सब वस्तु जे स्वर्गमे अछि आ पृथ्वीपर जे सब वस्तु अछि, आ सब वस्तु जे हमसब देख सकैत छी आ संगहि सब वस्तु जे हमसब नहि देख सकैत छी, आत्मिक प्राणी सहित जेना सिंहासन, प्रभुत्व, शासक, आ अधिकारी। पिता आ पुत्र मिलक सब वस्तुक सृजन कएलनि आ सब किछु पुत्रक आदर करबाक लेल विद्यमान अछि।17कोनो सृष्टिके अस्तित्वमे आबएस पहिने पुत्रके अस्तित्व छल, आ ओ सबके टिकाबए आ एकजुट करएबला छथि। 18मण्डलीके सम्बन्धमे अर्थात् सब विश्वासी, ओ ओकरापर ओहिना शासन करैत छथि जेना लोकक माथ ओकर शरीरपर शासन करैत अछि। जखन ओ सबस' पहिने मृतकमेस' जीबि उठलाह आब कहियो नहि मरत तखन ओ मण्डलीके शुरु करब सम्भव क' देलनि। हुनका विषयमे ई सब बातके कारण ओसब किछु आ केकरोस पैघ आ महत्वपूर्ण छथि।19पुत्रसब बातपर शासन करैत छथि कारण पुत्र पूर्णरुपस' परमेश्वर छथि, जेना पिता हुनकास' आनन्दपूर्वक चाहैत छलाह।20परमेश्वर पिता सेहो खुशीस' पुत्रक माध्यमस' काज करब चुनलनि जाहिस' स्वर्ग आ पृथ्वीमे भेल समस्त वस्तु हुनकाद्वारा बनाओल गेल प्रत्येक मनुष्यके अपना संग मिलान कएल जा सकए। जखन हुनकर पुत्र क्रूसपर मरि गेल तखन परमेश्वर ई काज कएलनि अपन पुत्र द्वारा, जे सब बातमे परमेश्वर आ हुनकर सृष्टिके बीच शान्ति बनौलनि।21अहाँ मसीहपर विश्वास करैत छलहुं स' पहिने, अहाँ परमेश्वरक लग नहि आबए चाहैत छलहुं, आ अहाँ हुनकर विरोधी छलहुं किएकत' अहाँसब जे किछु सोंचैत छलहुं आ करैत छलहुं से गलती छल।22मुदा आब अहाँसब हुनकर शारीरिक देहमे हुनक मृत्युद्वारा परमेश्वरसंगे मिलान कएल गेल छी, जाहिस' अहाँसब हुनका सामने पवित्र आ निर्दोष आ निष्कलंक क' सकब, जे अपमानस' बाहर भ' जाएब।23ई बात अहाँक लेल बिलकुल सत्य अछि जाधरि अहाँ मसीहपर विश्वासमे दृढ़ बनल रहब, आ जाधरि अहाँ विश्वासस' परमेश्वर करबाक आशा करब नहि छोड़ब जे ओ सुसमाचारमे प्रतिज्ञा कएने छलाह जे अहाँ लग अछि सुनल आ जे आकाशके नीचा सौंसे संसारके लोक सेहो सुनने अछि। हम पौलुस, परमेश्वरक सेवक छी ओहि लोकसबके सुसमाचार प्रचार करैत छी।24वर्तमानमे हम हर्षस' कष्ट उठा रहल छी कारण ई अहाँसबके हितके लेल अछि। हम शारीरिक रुपस' कष्ट उठबैत छी जाहिस' मसीह अपन लोक, मण्डली लेल जे दुख शुरु कएने छलाह, जे मसीहके अपन शरीर अछि, तेकरा अपन भागके पूरा करबाक लेल।25परमेश्वर हमरा अपन मण्डलीके सेवक बनबाक लेल बजौलनि, आ ओ हमरा विशेषरुपस' अहाँसबलेल अपन योजना पूरा करबाक लेल नियुक्त कएलनि। एहि योजनामे हमर भाग अछि जे हम अहाँसब गैर-यहूदीसबके परमेश्वरक समस्त सुसमाचार पूर्णरुपमे घोषणा करी।26बहुत पहिनेस' परमेश्वर एहि सुसमाचारके गुप्त रखलनि, लोकस' नुकाक' रखने छलाह, मुदा आब ओ एहि सुसमाचारके अपन पवित्र लोकके प्रगट क' देलनि अछि।27परमेश्वर अपन लोकधरि ई वैभवपूर्ण आ महान सुसमाचार जे नुकाएल छल, पहुंचाबए चाहैत छलाह, जे गैर-यहूदी पर लागू होइत अछि आ संगहि यहूदी पर सेहो। रहस्य ई अछि जे मसीह अहाँसबसंगे एकजुट छथि गैर-यहूदी, जेकर माने छै की अहाँ विश्वासपूर्वक मसीह जेहन तेजस्वी प्राणी होएबाक आशा क' सकैत छिएन्हि।28ई ओएह मसीह छथि जिनका हमसब सबलोकके प्रचार करैत छी। जखन हमसब एहि विषयमे बात करैत छी त हमसब बुद्धिमानीस' सब व्यक्तिके जतेक सम्भव भ' सकए चेतबैत छी आ सिखबैत छी। हम ई सब काज करैत छी जे एहिमेस' प्रत्येक लोक मसीहक संग प्रत्येक व्यक्ति आत्मिकरुपस' परिपक्व भ' सकए।29हम ओहि लक्ष्यके पूरा करएके चक्करमे अपन सब काजमे मेहनति करैत छी। हम ई क' सकैत छी किएकत' मसीहके महाशक्ति हमरा भितरमे काज करैत अछि जे हमरा ई करएमे सामर्थी बनबैत अछि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.