Philippians3

1जे बांकी लोकसब अछि, यौ भाइ-बहिनसब, प्रभुमे आनन्दित रहू। एहि बातसबके अहाँके लिखएमे हमरा कोनो दुख नहि होएत अछि आ ई अहाँके विश्वासके सुरक्षाके लेल अछि।2कुकुरसबस ' बचल रहू, खराब काज करएबलास' सेहो सतर्क रहू, अंग कटनिहार करएबलासबस' बचल रहू। 3किएकत' हम खतनाबला छी एहन लोक जे परमेश्वरक आत्मास' आराधना करैत अछि आ मसीह यीशुपर घमण्ड करैत अछि आ देखाइ देबएबला विधिसब पर भरोसा नहि रखैत अछि,4मुदा हमरा त' शरीरो पर विश्वास अछि। यदि केओ दोसर लोक शरीरपर भरोसा राखएके सोंचैत अछि, त' हम आओर बेसी करैत छी:5आठम दिन खतना भेल, इजराएली जातिस', बिन्यामीनके गोत्रक, इब्रानीसबके इब्रानी छी; व्यवस्था अनुसार, फरिसी छी;6उत्साही भ' क', मण्डलीके सतावएबला; धार्मिकताक अनुसार जे व्यवस्थामे अछि, त' निर्दोष ठहरैत छी।7जे किछु मसीह हमरालेल कएलथि ताहि कारण आब जे बात हमरालेल लाभक छल, हम ओहे बातके मसीहक खातिर हानिक मानी लेने छी।8मुदा एकर उनटा, हम अपन प्रभु यीशु मसीहक बहुमूल्य ज्ञानके कारणे सब बातके सेहो हानिक बुझति छी, जाहिके चलते हमसब बातके नोक्सान उठएने छी आ हम ओकरा बेकार बुझति छी जाहिस' हम मसीहके प्राप्त क' सकी9आ ओहिमे मिलि जाहि, ओहि धार्मिकताके ल क नहि जे व्यवस्थास' अछि, परन्च जे मसीहमे विश्वास करएके चलते अछि परमेश्वर दिसस' भेटल धार्मिकता10जे हुनका आ हुनकर पुनरुत्थानक सामर्थ्यके आ हुनके जकां दुख उठाक' सहभागी होए आ मरए चाहैत छी जेना मसीह कएलथि,11यदि कोनो तरीकास' हम ओहि पुनरुत्थानके ल' सकी जे की मरलाहा मे' स' अछि।12एहन नहि अछि जे हम एकरा पहिनहि ल' लेने छी, वा पहिनेस' सिद्ध क' देल गेल छी, मुदा हम एकर पाछु लागल छी, यदि वास्तवमे हमहूं ओहि इनामके पाबि सकी जे हमरालेल मसीह यीशु जीतक' रखने छथि।13हे प्रिय भाइ-बहिनसब, हम नहि मानए छी जे हम ओकरा पाबि लेने छी। मुदा एगो बात अछि जे पाछु अछि ओकरा बिसरिक आ जे आगु अछि ओकरालेल बढ़ल जाइछी,14हम मसीह यीशुमे परमेश्वरक दिसस' बजाएल गेल इनामक लेल लक्ष्यके दिस आगु बढ़ैत जाएत छी।15एहिलेल, जतेक गोटे परिपक्व विश्वासीसब छी ओकरा एहि बातमे सहमत होबए चाही; आ यदि अहाँ कोनो बातक विषयमे' अनेको तरीकास' सोंचैत छी, त' परमेश्वर ओकरो अहाँपर प्रगट क देत।16किएकत, जे हम प्राप्त कएने छी, अपनासबके ओहिमे जीवन व्यतीत करबाक चाही।17हे भाइ-बहिनसब, हमर अनुसरण करएबला बनू, आ ओकरा ठीकस' देखू जे एहि तरहें' चलैत अछि, जेना अहाँ लग हम एगो उदाहरण जकां छी।18किएकत बहुते लोक जेकरा विषयमे हम अहाँके बेसी काल अहाँके कहने छी, मुदा एहि समयमे कनिते, हम कहैत छी मसीहक क्रूसक शत्रु जकां व्यवहार करैत अछि,19ओकर अन्त विनाश अछि, ओकर पेटे ओकर ईश्वर अछि, आ ओकर प्रशंसा ओकर लाजमे अछि, जे पृथ्वीक वस्तुक विषयमे सोंचैत अछि।20मुदा हमर नागरिकता स्वर्गमे विद्यमान अछि, जतस' हमहूं आतुर भ' क' उद्धारकर्ता, प्रभु यीशु मसीहक आबएलेल प्रतीक्षा करैत छी।21जे अपन महिमामय शरीरक अनुरुपतामे मसीहके सामर्थ्यके अनुसार सब समानसबके अपना अधीन करबाक लेल हमरासबहक दिन शरीरके परिवर्तित क देत।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67