Philippians2
1तएं, यदि मसीहमे किछु प्रोत्साहन अछि, यदि किछु स्नेहस' भरल सान्त्वना अछि, यदि किछु पवित्र आत्माके संगति अछि, यदि किछु स्नेह आ करुणा अछि,2तखन हमर आनन्दके पूरा करु जे अहाँसब समान विचारके होउ, एकहि प्रेम राखू, एकहि आत्मामे रहू, एक जकां विचार राखू।3स्वार्थी महत्वाकांक्षा आ खाली अभिमान स' किछु नहि करु, बल्कि नम्रतापूर्वक दोसरके अपनास' नीक बुझू,4सबगोटेके ओ अपन समानक लेल नहि सोंचू, बल्कि एक-दोसरके विषयमे सेहो सोंचू।5अहाँसब अपनामे एहन सोंच राखू जे मसीह यीशुमे सेहो छल,6जे मसीह पूर्णरुपस' परमेश्वरके प्रतिरुप मे बनल रहबाक कारण परमेश्वरक समानता के कोनो बात नहि बुझलनि।7ओकर बदलामे ओ दासक रुप धारण क' लेलक, आ जे संसारमे मनुष्यक स्वरुपमे जन्म लेलक आ मनुष्य जकां जीबिक' स्वयंके शून्य क' लेलकनि,8तखन मरए कालधरि, एत' धरि जे ओ क्रूसक मृत्यु धरि आज्ञाकारी भ क', ओ स्वयंके विनम्र क' लेलक!9एहिलेल, परमेश्वर सेहो हुनकर बहुत महिमा कएलनि, आ हुनका एकटा एहन नाम प्रदान कएलनि जे सब नामस' उपर अछि10जाहिस' स्वर्ग आ पृथ्वीपर आ पृथ्वीक नीचा सब ठेहुन यीशुक नामपर टेकए,11आ पिता परमेश्वरक प्रशंसाके लेल सब जिउ ई बात स्वीकार करत जे यीशु मसीह प्रभु छथि।12तएं हे, हमर प्रियजन, जेना अहाँसब नहि खाली हमर उपस्थितिमे, मुदा ओहिस' बढ़िक' एहि समयमे हमर अनुपस्थिति मे सदिखन आज्ञा मानली, त' डेराइत आ कंपैत अपन उद्धारक काज पूरा करु।13किएकत' ओ परमेश्वरे छथि जे इच्छा आ काज दुनूके लेल अपनहिके प्रसन्नताक लेल अहाँमे काज करैत छथि।14सब काज बिना कोनो शिकायत वा बिना कुड़बुड़एने करु15जाहिस' अहाँसब निर्दोष आ शुद्ध भ' जाउ, परमेश्वरके एहन निष्कलंक सन्तान जे भ्रष्ट आ विकृत पीढ़ीक बीचमे रहैत अछि, जेकरा बीचमे अहाँ संसारमे डिबियाके जकां चमकैत छी,16मसीहक दिन हमर अपन घमण्ड करबाक लेल जीवनक सन्देशके पकड़ने छी जे हम व्यर्थ नहि दौड़लहुं आ नहि व्यर्थ परिश्रम कएलहुं।17मुदा एतधरि जे यदि हम अहाँसबके विश्वासक कारण बलिदान आ सेवा पर उझलि देल जा रहल छी, त' हम आनन्दित छी आ अहाँसबके संगे आनन्दित होएत छी।18आब तहिना अहाँसब सेहो आनन्दित होउ आ हमरासंगे आनन्दित होउ।19आब हम जल्दिए तिमुथियुसके अहाँ लग पठाबके प्रभु यीशुस' आशा करैत छी जाहिस' हमहूं अहाँक विषयमे जानकारी पाबिक उत्साहित भ' सकब।20किएकत' हमरालग एहन समान विचारके केओ नहि अछि, जे अहाँके विषयमे वास्तविक रुपस' चिन्तित होएत,21किएकत' ओसब यीशु मसीहक बातक नहि, मुदा अपने बातक खोजमे रहैत अछि।22मुदा अहाँसब हुनकर सिद्ध औकाति के जनैत छी जे ओ अपन पिताक संग एगो बच्चा जकां, हमरासंग सुसमाचार प्रचार करबाक सेवा कएलनि।23एहिलेल, जहिना हम देखब जे हमरा सम्बन्धमे परिस्थितिसब कोना व्यतीत होएत, ओहि समय हम हुनका पठाबके आशा रखैत छी।24मुदा हम प्रभु पर विश्वास करैत छी जे हम अहाँसबलग जल्दिए आबि जाएब।25आब हम एपाफ्रुदितुसके अहाँ लग वापस भेजनाइ जरुरी बुझए छी, जे हमर संगी-विश्वासी भाइ आ सहकर्मी आ संगी योद्धा, आ अहाँक सन्देशवाहक दूत आ हमर जरुरतिके लेल सेवक अछि,26ई देखैत जे ओ अहाँसबके संगे रहबाक लेल ललसा करैत छी आ किएकत' अहाँ जे सुनली जे ओ बेमार छल एहिलेल ओ व्यथीत अछि।27किएकत' सांचोमे ओ मृत्युके सीमा धरि बेमार छलाह, मुदा परमेश्वर हुनकापर दया कएलनि, मात्र हुनकापर नहि, बल्कि हमरापर सेहो, जाहिस' हमरा दुखपर दुख नहि होए।28एहिलेल हम हुनका आओर आतुर भ' क' पठा देलिऐ जे हुनका फेरुस' देख अहाँसब आनन्दित होएब आ हम पीड़ास' मुक्त भ' जाएब।29एहिलेल प्रभुक पूर्ण आनन्दस' स्वागत करु आ हुनका सन लोकसबके आदर करु।30किएकत' मसीहक काजक कारण ओ अपन प्राण जोखिममे राखि मृत्युके सीमामे पहुंच गेलाह जाहिस' ओ हमरा सेवामे अहाँसबके जे कमी अछि ओकर भरपाइ क' सकथि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.