Philippians1
1पौलुस आ तिमुथियुस, जे मसीह यीशुक सेवक अछि, हुनकर दिसस' मण्डलीके सेवक आ अगुवासब सहित, मसीह यीशुके ओहि सब पवित्र लोकसबके नाम ई पत्र लिखल अछि जे फिलिप्पी शहरमे अछि ,2अहाँपर अनुग्रह होअए आ हमर पिता परमेश्वर आ प्रभु यीशु मसीह दिसस' शान्ति भेटए।3अहाँक विषयमे अपन सबटा स्मरण रखबाक मे अपन परमेश्वरके धन्यवाद करैत छी,4सदिखन, अहाँसबहक लेल हमर सबटा अनुरोध मे, आनन्द सहित संग प्रार्थना करए छी5जहियास अहाँसब विश्वास कएली ताहिके पहिन दिनस' ल' क' एखन धरि सुसमाचारमे अहाँके सहभागिताके चलते;6एहि बातके विश्वास करैत छी जे, जे केओ अहाँमे नीक काजके शुरुआत कएने अछि ओहे एहिके यीशु मसीहके फेरुस आबएके दिन धरि पूरा करथि;7जेना की अहाँसबहक विषयमे एहि तरहेंस' सोंचब हमरालेल उचित अछि किएकत', अहाँ हमर मनमे छी, अहाँसब हमर झिझिरमे आ सुसमाचारक बचाब आ सत्यापन दुनूमे हमरासंगे अनुग्रहमे सहभागी भेल छी।8कारण, परमेश्वर हमर गवाह छथि जे कोना हम मसीह यीशुमे ललसा करैत छी आ अहाँसबके लेल कतेक प्रेम करैत छी।9आ हम ई प्रार्थना करैत छी जे अहाँसबहक प्रेम ज्ञान आ समस्त समझमे बेसीस' बेसी बढ़ैत रहू,10जाहिस' जे नीक अछि, तेकरा अहाँ जांच करी जाहिस' अहाँसब मसीहके फेरुस' आबएके दिन धरि शुद्ध आ निर्दोष बनल रहू।11धार्मिकताके फलस' भरपूर भ' क' परमेश्वरक महिमा आ प्रशंसाके लेल जे यीशु मसीह दिसस' अछि। 12यौ भाइ बहिनसब, आब हम चाहैत छी जे अहाँसब ई जानिलिअ जे हमरा विषयमे जे घटना घटल अछि, से सुसमाचारके आगु बढ़एबाक लेल भेल अछि। 13एकर परिणाम ई छै जे मसीहके दास भेलाके कारण हमर कैदके झिझिर पूरा रोमी सम्राटके महलके पहरदार आ सबहक बीच उजागर भ' गेल अछि।14आ अधिकांश संगी-विश्वासी भाइसबके प्रभुमे प्रोत्साहित कएल गेल अछि जे ओसब हम जहलमे गेलास' दृढ़ विश्वासस' वचन प्रचार करबाक साहस करथि।15किछु लोक ईर्ष्या आ झगड़ाक कारणे मसीहक प्रचार करैत छथि, मुदा किछु लोक नीक भावनास' करैत छथि ,16जे प्रेम करैत अछि, से बुझि गेल अछि जे हमरा सुसमाचारक रक्षा करबाक लेल नियुक्त कएल गेल अछि,17मुदा जे सब अछि स्वार्थी महत्वाकांक्षा मसीहके इमानदारीस' प्रचार नहि करैत अछि, हमर जहलमे हमर संकट बढ़एबाक योजना बना रहल अछि।18तखन की भेल? ई सबटा बातसब तरहें प्रचार कएल गेल अछि चाहे ढोंग मे होए वा सत्य मसीह, आ एहिमे हम आनन्दित छी। हं, आ हम आनन्दित होएब,19किएकत' हम जनैत छी जे अहाँसबहक प्रार्थना आ यीशु मसीहक आत्माके प्रबन्धक द्वारा ई हमर कैदस' उद्धार होएत ,20हमर उत्सुक अपेक्षा आ आशाके अनुसार जे हम कोनो बातमे लज्जित नहि होएब, मुदा सब किछुमे भरोसा करब, आ मसीह हमर शरीरमे महिमा प्रगट होएत, आब सदिखन, चाहे जीवनस' होए वा मृत्युस'।21किएकत' हमरालेल जीवित रहब मसीहके लेल अछि आ मरि जएनाइ हमरालेल बेसी लाभ अछि।22आब यदि शरीरमे जीवित रहबाक अछि, त' ई हमरालेल फलदायी परिश्रम अछि मुदा हम नहि जनैत छी जे केकरा चुनब।23मुदा हम एहि दुनूके बीच बहुत दबाव मे पड़ि गेल छी, हम चाहैत छी जे हम जाक' मसीहक संग रहब, कारण ई बहुत नीक अछि,24मुदा शरीरमे रहल अहाँसबहक लेल बेसी आवश्यक अछि।25आ एहि बातके मानिक', हम जनैत छी जे हम बनल रहब, आ विश्वासमे अहाँके बढ़ब आ आनन्दके लेल, हम अहाँके संगे सदिखन रहब26जाहिस' अहाँसबलग आबिक' मसीह यीशुपर अहाँक घमण्ड हमरामे बढ़ैत रहए।27मसीहक सुसमाचारक योग्य तरीकास' स्वयंके संचालित करु जाहिस' हम अहाँसबके देखक' आबि जाउ वा अहाँसबके नहि रहला मे, हम अहाँसबहक विषयमे सुनब, जे अहाँसब एक आत्मामे आ एक विचारस' सुसमाचारपर विश्वासीके लेल एकसंग प्रयास करए छी।28आ जे अहाँसबहक विरोध करैत अछि ओकरास' कोनो बातमे नहि डेराउ। ई हुनकासबहक लेल ओकरसबहक विनाशक संकेत अछि, मुदा अहाँक उद्धारक संकेत अछि आ ई परमेश्वरक दिसस' अछि।29किएकत' मसीहद्वारा अहाँसबके ई बात मंगनिएमे देल गेल अछि जे अहाँसबके मात्र हुनकापर विश्वास करबाक लेल नहि, बल्कि हुनकालेल कष्ट भोगबाक लेल सेहो देल गेल अछि,30ओहिना संघर्ष करु जहिना अहाँसब हमरा देखलहुं, आ आब अहाँसब हमरास' सुनैत छी।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.