Numbers9

1इजराएली सबहक मिस्र देश छोड़लाक' एक साल बाद, दोसर सालक' पहिन महिना मे, जखन ओसब सीनैके जंगलमे छल, तखन यहोवा मूसास' कहलनि,2“इजराएली लोकसबस' कहियौ की ओकरासबहक निर्धारीत समयमे फेरुस' फसहके पाबनि मनाबहि के अछि। 3एहि मासक चौदहम दिन, सांझ पड़ कालमे ई काज करबाक चाही जाहि विषयमे हम अहाँसबके पहिने निर्देशन देने छली, से सबटा निर्देशक पालन अवश्य करु।”4तखन मूसा इजराएलीसबके कहलनि जे यहोवा फसह पर्व मनाबएके विषयमे की कहने छलाह।5लोकसब ओहि मासके चौदहम दिनके सांझमे सीनैके जंगलमे इजराएलीसब ओहिना फसहके पर्व मनओलक जेना यहोवा मूसाके आज्ञा देने छलाह।6मुदा इजराएलके किछु लोक एकटा लाशके छुबि लेलक, आ फलस्वरुप ओसब अशुद्ध भ' क' फसह मनाबएके योग्य नहि भेल छल। तएं ओसब हारून आ मूसा स पुछलनि,7ई लोकसब मूसाके कहलक, “ई सत्य अछि जे हमसब लाशके छूबिक' अशुद्ध छी। मुदा एहिस' हमरासबके आन इजराएलीसब जकां फसह पर्व मनाबए आ यहोवाके बलि चढ़ाबए स किएक रोकल जाएत?”8मूसा उत्तर देलनि, “एतहि प्रतीक्षा करु जाधरि हम पवित्र तम्बूमे जा' क' ई नहि जानि जाउ जे यहोवा एहि विषयमे की कहैत छथि।”9तखन मूसा तम्बूमे जा क' यहोवास' पुछलनि जे ओ लोकसबके की कहल जाए, आ यहोवा ई कहलनि,10“इजराएली लोकसबके ई कहि दिऔ जे, ‘अहाँसबमे स केओ आ अहाँक वंशजसब जे लाशके छु लेने अछि आ परिणाम स्वरुप हमरालेल अशुद्ध भ' जाइत अछि, आ जं अहाँ फसह मनाब' कालमे कोनो लम्बा यात्रापर घरस दूर छी त' तखनो अहाँके एकरा मनाबएके अनुमति भेटत।11मुदा, अहाँसब ठीक एक मासक बाद, ओहि मासक चौदहम दिनक गोधुली सांझमे मनाउ। फसह पावनिमे भेंड़के' माउस बिना खमीरके रोटी आ तीत जड़ी-बूटी के संग खाउ।12दोसर दिन भोर धरि ओहिमे स कोनो चीज नहि बांकी राखू। आ भेंड़के कोनो हड्डी नहि तोड़ू। फसह मनाबएके विषयमे सब नियमके पालन करु। 13मुदा जं अहाँसबमेस' केओ शुद्ध छी आ एहन काज नहि कएने छी जाहिस' अहाँसब फसह पर्व मनाबए लेल अशुद्ध भ' जाहि, आ अहाँसब घरस दूर नहि छी आ कोनो समयपर हमरा चढौना नहि चढ़बैत छी त' अहाँसब आबि हमर लोक नहि रहब। अहाँके सजाय भेटत।14अहाँसबहक बीच रहनिहार परदेशीसबके सेहो हमर आने यहोवाके आदरमे फसह पर्व मनाबए आ ओहि विषयमे हमरसब आज्ञाक पालन करबाक चाही; देशी आ परदेशी दुनूके लेल एके विधि होअए।’”15जाहि दिन पवित्र तम्बू ठाढ़ कएल गेल छल। गवाहीके सन्दूकके एकटा बादल ओकरा झांपि देलकऐ। मुदा सूर्य डुबि गेलाकबाद दोसर दिन सूर्य उगत समय धरि बादल एकटा विशाल आगि जकां छल।16आ से सबदिन होइत छल जखन इजराएलीसब जंगलमे छल।17जखन बादल उठिक' नव स्थानपर जाए लागल त' इजराएलीसब ओकर पाछु-पाछु करैत छल। जत' बादल रुकि गेल तखन इजराएलीसब ओतहि रुकिक' अपन तम्बू लगबैत छल।18इजराएलीसब जखन यहोवा ओकरासबहक' चलएलेल कहलनि तखन ओसब आगु बढ़लनि आ जखन यहोवा ओकरासबके बादलके चलाक आ रोकिक' रुकबाक लेल कहलनि तखन रुकि गेलाह। जखन बादल पवित्र तम्बूक उपर रहल तखन इजराएलीसब ओहि स्थानपर रुकल गेल।19कहियो बादल बहुत दिन धरि पवित्र तम्बूक उपर रहैत छल, जं एहन होइत छल त ओहिस यहोवाके निर्देश पालन क' क' इजराएलीसब आगु नहि बढ़ैत छल।20कहियो बादल किछु दिन धरि पवित्र तम्बूक उपर रहैत छल। यहोवाके आज्ञा मुताबिक लोकसब रुकिक' अपन तम्बू ठाढ़ क' लैत छल, आ जखन यहोवा ओकरासबके एहन करबाक आज्ञा देलनि तखन ओसब नव स्थानपर जाइत छल।21कहियो त' बादल मात्र एकदिन धरि एकठाम रहैत छल। जखन एना होइत छल, जखन दोसर दिन भोरे बादल आकाशमे उठल, तखन लोकसब चलए लगैत छल। जखन बादल घुसकैत छल, दिनमे आ रातिमे लोकसब आगु बढ़ए लगैत छल।22जं बादल दू दिन आ एक मास आ एक साल धरि पवित्र तम्बू उपर रहैत छल त' ओहि समयमे इजराएलीसब जत छल ओतहि रहैत छल। मुदा बादल जखन आकाशमे उठैत छल त' ओसब आगु बढ़ए लगैत छल।23जखन यहोवा ओकरासबके रुकिक' डेरा डालिक' आज्ञा देलनि त' ओसब ओहिना कएलक। जखन ओ सबके आगु बढ़बाक आज्ञा देलनि त' ओसब आगु बढ़ल। ओसब मूसाद्वारा यहोवा कहने सब किछु आदेश पालन कएलनि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67