Numbers8
1यहोवा मूसाके आओर आगु कहलथिन,2“हारूनके कहि दिऔ जे ओ सातटा दीपके स्तम्भ पर राखि एहि तरहें राखि दिऔ जे दीप स्तम्भक आगु दिस चमिक जाए।”3तखन मूसा हुनका यहोवाक बात कहलथिन आ हारून ओहिना कएलनि।4ई दियैठ सोना स बनल छल जे सोनाके एकटा पैघ ढेप स हथौरी स मारल गेल छल, ओकर आधार स' ल' क' उपरस' फूल स मिलैत जुलैत सजावट धरि। दीप-स्तम्भ ठीक ओहिना बनल छल जेना यहोवा मूसाके कहने छलाह जे एकरा बनाओल जाए।5यहोवा मूसाके सेहो कहलथिन,6“अहाँ लेवीके वंशजके आन इजराएलके बांकी लोकसबस' अलग क' क' हमरालेल स्वीकार बनाउ।7ओहि लेवीसबपर पानि छिटक' करु जे हुनकासबहक पापक दोषस' मुक्त होएबाक प्रतीक होएत। तखन देहक सब छुरास' केश मुंडन क कपड़ा धोक' अपनाके शुद्ध करए पड़तनि।8तखन ओसब एकटा बच्छा आ किछु आंटा जैतूनक तेलमे मिलाक' अनबाक चाही। ओसब वस्तु बलिदानक रुपमे जरा देल जाएत। एकटा आओर बच्छा सेहो अनबाक चाही जे ओकर पापक अपराध दूर करबाक लेल पापबलि देल जाएत।9तखन अहाँसब इजराएली लोकके बजाक' पवित्र तम्बूक सामने एकठाम आबि लेवीके वंशजसबहक चारुकात जमा करथि।10जं अहाँ इजराएली लेवीके वंशके यहोवाके आगु हाथ राखए पड़तैक। 11तखन हारूनके लेवीसबके हमरालेल इजराएली लोकसबके हिलाबबला चढ़ौनाके रुपमे प्रस्तुत करबाक चाही, जेना ओसब हमरालग उठाक' लेने होथि, जाहिस ओसब हमरालेल पवित्र तम्बूमे काज क' सकथि।12तेकरबाद लेवीके वंशजके दुनू बच्छाके माथपर हाथ राखए पड़तैक। तखन बच्छासबके मारिक' वेदीपर जराओल जाएत। एकटा हुनकालोकनिक पापक अपराधके दूर करबाक लेल पापबलि होएत, आ दोसर हमरा प्रसन्न करबाक लेल पूर्णरुपस' जरा देल जाएत।13लेवीके वंशजसबके हारून आ ओकर पुत्र सबहक सोझा वेदीपर ठाढ़ होएबाक चाही आ तखन अहाँसब ओकरासबके हमरा समर्पित क' दिअ जेना अहाँ ओकरासबके हमरालग उठएने होएब।14एहि संस्कार स' ई पता चलत जे लेवीके वंशज आन इजराएलीसबस' अलग अछि आ ओसब हमर अछि।15लेवीके वंशजके हमरा स्वीकार बनाओल गेलाकबाद, आ हमरालग विशेष चढौना जकां प्रस्तुत कएल गेलाकबाद जेना हमरालग उठाएल गेल होए, तखन ओसब पवित्र तम्बूपर काज करए लागि सकैत अछि।16ओसब हमर होएत। ओसब हमरालेल सब इजराएली सबहक जेठ पुत्रक बदलामे काज करत, जे सब सेहो हमर अछि।17इजराएलमे जेठ पुत्र, लोक आ पशु हमर अछि। जखन हम मिस्र देशके सब जेठ पुत्रसबके मरि देलहुं त' ओकरासबके अपनेलेल अलग क' देलिऐ। मुदा हम इजराएली सबहक जेठ पुत्रके, लोक आ पशु-पंक्षी के बकसलहुं, किएक त' ओसब हमर अछि।18मुदा आब हम लेवीके वंशजके चुनने छी जे आन इजराएली सबहक पहिन पुत्र सबहक स्थानपर रहथि।19हम लेवीके वंशजके हारून आ ओकर पुत्र सबहक पवित्र तम्बूमे सहायता करबाक लेल नियुक्त कएने छी, जेना हारून आ ओकर पुत्रसब इजराएलीसबके सेवा आ ओकरेसबके पापक दोष दूर करबाक लेल बलिदान दैत छथि आ इजराएलीसबके ओहि लोकक लग आबएस' रोकबाक लेल डेरापर जेकर परिणाम ई भेल जे महामारीस' बहुते गोटे बेमार भ' क' मरि जएताह।”20हारून आओर मूसा इजराएली समुदायके लेवीके वंशजके सब काम करएमे मदति कएलनि जेना यहोवा आज्ञा देने छलाह।21लेवीसब अपनाके शुद्ध क' क' अपन कपड़ा धो लेलक, आ हारून ओकरासबके यहोवाक समक्ष लहराबएबलि बलि चढ़एलनि आ ओकरासबके शुद्ध करबाक लेल प्रायश्चित कएलनि।22तेकरबाद लेवीसब हारून आ हारूनके पुत्र सबहक समक्ष जमा होबएबला तम्बूमे अपन सेवा कर' लगलाह। ई ओहिना भेल जेना यहोवा मूसाके लेवी सबहक विषयमे आज्ञा देने छलथि। ओसब लेवीके संग एहि तरहे व्यवहार कएलनि।23यहोवा फेरु मूसास' बात कएलनि। ओ कहलनि,24“ई सबटा लेवी सबहक लेल एहन नियम अछि जे पच्चीस वर्ष आ ओहिस' बेसी उम्रक' छथि। भेट होबबला तम्बूमे सेवा देब लेल सहभागी होबए पड़तनि।25पचास वर्षक उमेरमे एहि प्रकारक सेवास' अवकाश ल लेबाक चाही। ओहि उमेरमे आब सेवा नहि करबाक चाही।26अवकाशके बाद, ओसब संगी लेवीसबके मदतिक' सकैत छथि जे सबटा तम्बूमे काज करैत रहैत छथि, मुदा हुनकासबके आब सेवा नहि करबाक चाही। एहिसब विषयमे अहाँके लेवीसबके निर्देश देब पड़त।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.